मीना परान्डे

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सन् १९५० मे मीना

मीना परान्डे (जन्म: १२ दिसम्बर १९३१) भारतीय टेबल टेनिस खेलाड़ी छी।[१][२] सन् १९४८ सँ सन् १९६५ धरि सक्रिय टेबल टेनिस खेलाड़ी कऽ रूपमे ओ चारि बेर भारतीय टेबुल टेनिस राष्ट्रिय च्याम्पियन रहल छल। मीना सन् १९५४ मे भारत कऽ प्रतिनिधित्व करैत इङ्ल्यान्डमे आओर सन् १९५६ मे जापानमे सम्पन्न अन्तर्राष्ट्रिय टेबुल टेनिस प्रतियोगितामे सहभागिता जनेने छल। अन्तर्राष्ट्रिय स्तर पर, मीना सिङ्गापुर, बैङ्कक, भियतनाम, पाकिस्तान आ श्रीलंका कऽ दौरा केनए छल। ओ टेबुल टेनिस खेलक प्रशिक्षण नागपुर कऽ श्री चन्दोरकर सँ प्राप्त केनए छल। भारतीय रेलवे सँ सेवानिवृत्त भऽ, गेलाक बाद ओ सन् १९६५ सँ सन् १९८५ धरि बहुतेक नव होनहार टेबल टेनिस खेलाडीसभकें प्रशिक्षित केनए छल।

करियर[सम्पादन करी]

सन् १९५१ मे हुनकर दादी हुनका टेबल टेनिस खेलवाक लेल प्रेरित आ प्रोत्साहित केनए छल। एकर बाद हुनका सेहो ई खेल प्रति झुकाव बढ़ल आ ओ बहुत जल्दी टेबुल टेनिस खेल कऽ बारीकिसभ सीखलके। मीना वर्ष १९५१ सँ व्यवसायिक प्रतिस्पर्धी टेबल टेनिस खेलनाके शुरू करि देनए छल। मीना राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय स्तर पर टेबल टेनिस खेलसभमे भाग लेब कऽ लेल भारतक विभिन्न शहर आ विदेशसभमे बहुत बेर यात्रा केनए छल। ओ बहुत कम उमरमे टेबुल टेनिस कऽ नेसनल च्याम्पियन बनल आ कूल ४ बेर राष्ट्रिय च्याम्पियन बनल छल जहिमे पहिल बेर सन् १९५४ बड़ौदामे, सन् १९५६ सहारनपुरमे, सन् १९५७ अहमदाबादमे आओर अन्तत: सन् १९५९ मे कोलकातामे[३] ओ सन् १९५३ सँ सन् १९५८ धरि महाराष्ट्र राज्य कऽ लेल आ बादमे सन् १९५९ सँ सन् १९६५ धरि भारतीय रेलवे कऽ लेल खेललक। ओ दुई बेर विश्व च्याम्पियनसिपमे भारत कऽ प्रतिनिधित्व केनिहार ओ पहिल महाराष्ट्रक महिला छी। ओ एशियाली च्याम्पियनसिपमे, सन् १९५४ मे सिङ्गापुर, सन् १९५५ मे बैङ्कक, सन् १९६२ मे भियतनाम आ सन् १९६३ मे बम्बई (आब मुम्बई) मे भारत कऽ प्रतिनिधित्व केनए अछि। ओ सन् १९५४ मे एसियाक टेबुल टेनिस खेलाड़ीक क्रमाङ्कमे तेसर क्रममे रहल छल। मीना तीन बेर श्रीलंका आ पाकिस्तान कऽ दौरा केलक आ स्थानीय प्रतियोगिता जितने छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "प्रतिष्ठा गमावलेला पुरस्कार!"लोकसत्ता (मराठीमे)। 18 फरवरी 2018। अन्तिम पहुँच 4 मार्च 2019 {{cite news}}: Check date values in: |date= (help)
  2. Division, Publications (enमे). Women of India. Publications Division Ministry of Information & Broadcasting. आइएसबिएन 9788123022840. https://books.google.co.in/books?id=cSWaDQAAQBAJ&pg=PT216&dq=Meena+Parande&hl=hi&sa=X&ved=0ahUKEwjhp8-x8-fgAhXafn0KHXL_AB4Q6AEINzAC#v=onepage&q=Meena%20Parande&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 4 मार्च 2019. 
  3. Mellow, Melville De (1979) (enमे). Reaching for Excellence: The Glory and Decay of Sport in India. Kalyani Publishers. https://books.google.co.in/books?id=izEFAAAAMAAJ&q=Meena+Parande&dq=Meena+Parande&hl=hi&sa=X&ved=0ahUKEwjYu4Hc9OfgAhUZfX0KHUqOABw4KBDoAQhOMAY. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]