सामग्री पर जाएँ

अहमदाबाद

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अहमदाबाद
અમદાવાદ
Ahmedabad
अमदाभाद
अहमदाबादक प्रसिद्द स्थलसभ
अहमदाबादक प्रसिद्द स्थलसभ
देश भारत
राज्यगुजरात
जिलाअहमदाबाद
संस्थापकसुल्तान अहमद साह प्रथम
नामकरणअहमदसाह
सरकार
  प्रकारमेयर परिषद
  अङ्गअहमदाबाद नगरपालिका सङ्गठन
  मेयरमिनाक्षी पटेल (बिजेपी)
  कार्यकारी मेयरबिपिन सिक्का
  नगर प्रमुखडि. थारा
क्षेत्रफल
  महानगरीय क्षेत्र४६४.१६ किमी (१७९.२१ वर्गमाइल)
उन्नतांश५३ मिटर (१७४ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)[]
  महानगरीय क्षेत्र५५,७०,५८५
  क्रम५अम
  घनत्व१२०००/वर्ग किमी (३१०००/वर्ग माइल)
  महानगर६३,५२,२५४
वासिन्दाअहमदाबादी/अमदाभादी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
पोस्टल कोड
३८० 0XX
क्षेत्रीय सङ्केत०७९
सवारी दर्ताGJ-1,GJ-18,GJ-27,GJ-28
लैङ्गिक अनुपात१.११[] /
साक्षरता दर८९.६२
भाषासभगुजराती, हिन्दीअङ्ग्रेजी
स्रोत: भारतक जनगणना[]

अहमदाबाद वा अमदाभाद (/ˈ[invalid input: 'ah']m[invalid input: 'i-']dəb[invalid input: 'ah']d/; गुजराती उच्चारण: [ˈəmdɑːvɑːd]) भारतक गुजरात प्रदेशक सबसँ पैग शहर आ पुरान राजधानी छी । ई अहमदाबाद जिलाक मुख्यालय आ गुजरात उच्च न्यायालयक सदन छी । समस्त भारतक पैग नगरसभमे छठम आ सातम सभसँ पैग महानगरीय क्षेत्र छी । ६३ लाखको जनसङ्ख्या भेल ई शहर, साबरमती नदीक किनारमे अवस्थित अछि । पहिने गुजरातक राजधानी याह रहल छल बादमे राजधानी गान्धीनगरमे स्थानान्तरण कएल गेल । अहमदाबादके कर्णावती क नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । ई शहरक आधारशिला सन् १४११ मे बैसाएल गेल छल । ई शहरक नाम सुलतान अहमद शाहक नाममे राखल गेल अछि ।

अहमदाबादक नाम सुल्तान अहमद शाहक नाममे राखल गेल अछि । सुल्तान अहमद शाहद्वारा ई शहरक स्थापना सन् १४११ मे केनए छल । ई शहरके भारतक म्यानचेस्टर सेहो कहल जाइत अछि । वर्तमान समयमे, अहमदाबाके भारतक गुजरात प्रान्तक आर्थिक राजधानी होमएक संगे एकटा प्रमुख उद्योगिक शहरक रूपमे चिनहल जाइत अछि ।

ऐतिहासिक रूपमे, भारतीय स्वतन्त्रता सङ्घर्षक समयमे अहमदाबाद प्रमुख आधार शिविर रहल छल । याह शहरमे महात्मा गान्धी साबरमती आश्रमक स्थापना केनए छल आ भारतीय स्‍वतन्त्रता सङ्घर्षमे जुड़ल बहुतेक आन्‍दोलनक शुरुवात सेहो याह ठामसँ भेल छल । अहमदाबाद बुनाईक लेल सेहो बहुतेक प्रसिद्ध अछि । एकर साथ ई शहर व्यापार आ वाणिज्य केन्द्रक रूपमे विकसित भ रहल अछि । अङ्ग्रेजी शासनक अवधिमे, ई ठामके फौजी मुख्यालयक रूपमे प्रयोग कएल जाइत छल ।

पश्चिम भारतमे अवस्थित ई शहर, समुद्र सतहसँ १७४ फिटक उचाईमे अवस्थित अछि । शहरमे दुईटा ताल अछि- कङ्करिया आ वस्त्रापुर ताल । साबरमती नदी गर्मीक मौसममे सुखैक कारण, नदीक ठाममे साफ माटि रहैत अछि । वर्षाक महिना वाहेक पुरे साल गर्मीक माहौल रहैत अछि । गर्मी मौसममे सबसँ उच्च तापमान ४७ डिग्री आ जाड़क समयमे कममे ५ डिग्री तापमान पहुँचैत अछि ।

प्रशासन

[सम्पादन करी]

अहमदाबाद नगरपालिका निगम ई शहरके देख रेखक काम करैत अछि आ किछ भाग औडाद्वारा प्रशासित अछि ।

यातायात

[सम्पादन करी]
हवाई मार्ग-

एतय सरदार वल्लभभाई पटेल विमानस्थल अछि । ई प्रमुख भारतीय शहरसभक साथ साथे विदेशसभक शहरसभके जोडैत अछि जेना कोलम्बो, मसकट, लण्डनन्यू योर्क शहर

रेल मार्ग-

अहमदाबाद स्टेशन देशके लगभग सब प्रमुख स्‍टेशसभसँ सीधा जुडल अछि ।

सडक मार्ग-

अहमदाबादक दूरी मुम्‍बईसँ लगभग ५४५ किलोमिटर तथा राष्ट्रिय राजधानी दिल्‍लीसँ ८७३ किलोमिटर अछि । एतय मुम्‍बईसँ बसद्वारा सेहो जाएल जा सकैत अछि ।

पर्यटन स्थल

[सम्पादन करी]

अहमदाबादमे भ्रमण कर लायक बहुतेक स्थलसभ अछि । एहिमे किछ आधुनिक अछि आ किछ पौराणिक सेहो अछि ।

ई तालक निर्माण कुतुब-उद्-दीनद्वारा सन् १४५१ मे कराएल गेल छल । वर्तमान समयमे अहमदाबादक निवासीसभक बीच ई ठाम सबसँ बेसी प्रसिद्ध अछि । ई तालक चारोदिस बगैचा लगाएल गेल अछि । तालक मध्य भागमे बहुतेक सुन्दर सुन्दर द्वीप महल अछि । जतय मुगल कालक समय नूरजहांजहांगीर प्रायजसो घुमफिर करै लेल आबैत छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Amdavad City Profile", egovamc.com, Ahmedabad Municipal Corporation, मूलसँ १५ मार्च २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ४ जून २०१५
  2. mhupa.gov.in/ray/csmc_ppt/6th-csmc-Ahmedabad-AHP.pdf
  3. "Cities having population 1 lakh and above", The Registrar General & Census Commissioner, India, अन्तिम पहुँच २६ जुलाई २०१४
  4. "Urban Agglomerations/Cities having population 1 lakh and above", The Registrar General & Census Commissioner, India, अन्तिम पहुँच २६ जुलाई २०१४
  5. "Distribution of Population, Decadal Growth Rate, Sex-Ratio and Population Density", 2011 census of India, Government of India, अन्तिम पहुँच २१ मार्च २०१२
  6. "Ahmadabad (Ahmedabad) District : Census 2011 data", census2011, अन्तिम पहुँच २८ मई २०१४

बाह्य लिङ्कसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]