कोटा, राजस्थान

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कोटा
Kota, Rajasthan
देशभारत भारत
राज्यराजस्थान
जिलाकोटा
क्षेत्रफल
 • कुल५२७ किमी (२०३ वर्गमाइल)
उन्नतांश
२७१ मिटर (८८९ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल१०,०१,६९४
 • क्रम४६अम
 • घनत्व१९००/वर्ग किमी (४९००/वर्ग माइल)
वेबसाइटkota.rajasthan.gov.in

कोटा (/ˈktə/) भारतक राजस्थानक एक प्रमुख उद्योगिक आ शैक्षणिक शहर छी । ई चम्बल नदीक तटमे अवस्थित अछि । कोटा शहर राजधानी जयपुरसँ सडक आ रेलमार्गसँ लगभग २४० किलोमीटरक दूरीमे अवस्थित अछि । ई नगर जयपुर-जबलपुर राष्ट्रिय राजमार्ग १२ मे अवस्थित अछि । दक्षिण राजस्थानमे चम्बल नदीक पूर्वी किनारमे अवस्थित, कोटा ओ शहरसभमे गिनल जाइत अछि जतेक उद्योगीकरण पैग मात्रामे कएल जाइत अछि । कोटा अनेक किला, महल, सङ्ग्रहालय, मन्दिर आ बगैचाक लेल लोकप्रिय अछि । ई शहर नवीनता आ प्राचीनताक गजब मिश्रण अछि, जतेक एक तरफ शहरक स्मारक प्राचीनताको बोध कराबैत अछि तँ चम्बल नदीमे बनल हाइड्रोइलेक्ट्रिक प्लान्ट आ न्युक्लियर पावर प्लान्ट आधुनिकताक एहसास कराबैत अछि ।

भूगोल[सम्पादन करी]

कोटा चम्बल नदीक पूर्वी तटमे अवस्थित अछि । ई [[राजस्थान]क दक्षिणी भागमे अछि । एकर भौगोलिक निर्देशाङ्क २५°११′N ७५°५०′E / २५.१८°N ७५.८३°E / 25.18; 75.83 अछि ।[२] एकर क्षेत्रफल १२,१३६ किमी (राजस्थान राज्यक ३.६३ % भूभाग) अछि ।[३] एकर औसत उचाई २७१ मिटर (८८९ फिट) अछि ।

परिधान[सम्पादन करी]

कोटाक सूती साडी गोटा पत्ती बोर्डरक संग

कोटाक विशेष सूती तथा कोटा डोरीया साडी, कोटा स्टोन, कचोरीक लेल प्रसिद्ध अछि । कोटाके शिक्षा नगरीक नामसँ सेहो जानल जाइत अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

प्रारम्भमे कोटा बुन्दी राज्यक एक भाग छल । मुगल शासक जहाँगीर जब बुन्दीक शासकसभके पराजित केलक तब कोटा सन् १६२४ मे एक स्वतन्त्र राज्यक रूपमे स्थापित भेल । राव माधो सिंह एतयक प्रथम स्वतन्त्र शासकक रूपमे गद्दीमे बैसल । सन् १८१८ मे कोटा ब्रिटिश साम्राज्यक अधीन भऽ गेल ।

प्रमुख आकर्षण[सम्पादन करी]

सिटी फोर्ट दरबार[सम्पादन करी]

चम्बल नदीक पूर्वी तटमे १७अम शताब्दीमे बनल ई किला कोटाक मुख्य आकर्षण छी । ई किलाक परिसर राजस्थानक सबसँ विशाल किला परिसरसभमे सँ एक छी । १७अम शताब्दीमे बनल हात्ति पोल किलामे प्रवेशक सुन्दर प्रवेशद्वार अछि ।

राव माधो सिंह सङ्ग्रहालय[सम्पादन करी]

ई सङ्ग्रहालय पुरान महलमे अवस्थित अछि आ एकरा राजस्थानक सबसँ सुन्दर सङ्ग्रहालयसभमे गिनल जाइत अछि । कोटा राज्यक प्रथम शासक राव माधो सिंहक नाममे सङ्ग्रहालयक नाम राखल गेल अछि । सङ्ग्रहालयमे कोटाक सुन्दर दावालचित्र, मूर्ति, तस्वीर, हतियार आ शाही वंश सम्बन्धित अनेक वस्तुसभ देखल जा सकैत अछि ।

चम्बल बगैंचा[सम्पादन करी]

ई एक सुन्दर पिकनिक स्थल छी आ एतय मगरमच्छ ताल देखल जा सकैत अछि । ई बगैंचा चम्बल नदी आ अमर निवासक नजदिक अवस्थित अछि ।

देवताजीक हवेली[सम्पादन करी]

देवताजीक हवेली राजस्थानक सबसँ सुन्दर भवनसभमे एक छी । कोटाक ई हवेली अद्भुत दवालचित्र आ चित्रकारीक लेल प्रसिद्ध अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Kota District Census 2011 Handbook: VILLAGE AND TOWN WISE PRIMARY CENSUS ABSTRACT (PCA)" (PDF)। Censusofindia.gov.in। p. 29 (pdf) Urban Section। अन्तिम पहुँच 19 April 2016
  2. Falling Rain Genomics, Inc - Kota
  3. Statistics by Govt. of Rajasthan

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]