सामग्री पर जाएँ

कोटा, राजस्थान

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कोटा
Kota, Rajasthan
देशभारत भारत
राज्यराजस्थान
जिलाकोटा
क्षेत्रफल
  कुल५२७ किमी (२०३ वर्गमाइल)
उन्नतांश
२७१ मिटर (८८९ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
  कुल१०,०१,६९४
  क्रम४६अम
  घनत्व१९००/वर्ग किमी (४९००/वर्ग माइल)
वेबसाइटkota.rajasthan.gov.in

कोटा (/ˈktə/) भारतक राजस्थानक एक प्रमुख उद्योगिक आ शैक्षणिक शहर छी । ई चम्बल नदीक तटमे अवस्थित अछि । कोटा शहर राजधानी जयपुरसँ सडक आ रेलमार्गसँ लगभग २४० किलोमीटरक दूरीमे अवस्थित अछि । ई नगर जयपुर-जबलपुर राष्ट्रिय राजमार्ग १२ मे अवस्थित अछि । दक्षिण राजस्थानमे चम्बल नदीक पूर्वी किनारमे अवस्थित, कोटा ओ शहरसभमे गिनल जाइत अछि जतेक उद्योगीकरण पैग मात्रामे कएल जाइत अछि । कोटा अनेक किला, महल, सङ्ग्रहालय, मन्दिर आ बगैचाक लेल लोकप्रिय अछि । ई शहर नवीनता आ प्राचीनताक गजब मिश्रण अछि, जतेक एक तरफ शहरक स्मारक प्राचीनताको बोध कराबैत अछि तँ चम्बल नदीमे बनल हाइड्रोइलेक्ट्रिक प्लान्ट आ न्युक्लियर पावर प्लान्ट आधुनिकताक एहसास कराबैत अछि ।

कोटा चम्बल नदीक पूर्वी तटमे अवस्थित अछि । ई [[राजस्थान]क दक्षिणी भागमे अछि । एकर भौगोलिक निर्देशाङ्क २५°११′N ७५°५०′E / २५.१८°N ७५.८३°E / 25.18; 75.83 अछि ।[] एकर क्षेत्रफल १२,१३६ किमी (राजस्थान राज्यक ३.६३ % भूभाग) अछि ।[] एकर औसत उचाई २७१ मिटर (८८९ फिट) अछि ।

कोटाक सूती साडी गोटा पत्ती बोर्डरक संग

कोटाक विशेष सूती तथा कोटा डोरीया साडी, कोटा स्टोन, कचोरीक लेल प्रसिद्ध अछि । कोटाके शिक्षा नगरीक नामसँ सेहो जानल जाइत अछि ।

प्रारम्भमे कोटा बुन्दी राज्यक एक भाग छल । मुगल शासक जहाँगीर जब बुन्दीक शासकसभके पराजित केलक तब कोटा सन् १६२४ मे एक स्वतन्त्र राज्यक रूपमे स्थापित भेल । राव माधो सिंह एतयक प्रथम स्वतन्त्र शासकक रूपमे गद्दीमे बैसल । सन् १८१८ मे कोटा ब्रिटिश साम्राज्यक अधीन भऽ गेल ।

प्रमुख आकर्षण

[सम्पादन करी]

सिटी फोर्ट दरबार

[सम्पादन करी]

चम्बल नदीक पूर्वी तटमे १७अम शताब्दीमे बनल ई किला कोटाक मुख्य आकर्षण छी । ई किलाक परिसर राजस्थानक सबसँ विशाल किला परिसरसभमे सँ एक छी । १७अम शताब्दीमे बनल हात्ति पोल किलामे प्रवेशक सुन्दर प्रवेशद्वार अछि ।

राव माधो सिंह सङ्ग्रहालय

[सम्पादन करी]

ई सङ्ग्रहालय पुरान महलमे अवस्थित अछि आ एकरा राजस्थानक सबसँ सुन्दर सङ्ग्रहालयसभमे गिनल जाइत अछि । कोटा राज्यक प्रथम शासक राव माधो सिंहक नाममे सङ्ग्रहालयक नाम राखल गेल अछि । सङ्ग्रहालयमे कोटाक सुन्दर दावालचित्र, मूर्ति, तस्वीर, हतियार आ शाही वंश सम्बन्धित अनेक वस्तुसभ देखल जा सकैत अछि ।

चम्बल बगैंचा

[सम्पादन करी]

ई एक सुन्दर पिकनिक स्थल छी आ एतय मगरमच्छ ताल देखल जा सकैत अछि । ई बगैंचा चम्बल नदी आ अमर निवासक नजदिक अवस्थित अछि ।

देवताजीक हवेली

[सम्पादन करी]

देवताजीक हवेली राजस्थानक सबसँ सुन्दर भवनसभमे एक छी । कोटाक ई हवेली अद्भुत दवालचित्र आ चित्रकारीक लेल प्रसिद्ध अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Kota District Census 2011 Handbook: VILLAGE AND TOWN WISE PRIMARY CENSUS ABSTRACT (PCA)" (PDF), Censusofindia.gov.in, पृ: २९ (pdf) Urban Section, अन्तिम पहुँच १९ अप्रैल २०१६
  2. Falling Rain Genomics, Inc - Kota
  3. Statistics by Govt. of Rajasthan

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]