वड़ोदरा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(वडोदरासँ पुनर्निर्देशित)
वड़ोदरा
વડોદરા
Vadodara
शहर
लक्ष्मी विलास दरबार
लक्ष्मी विलास दरबार
देशभारत भारत
राज्यगुजरात
जिलावड़ोदरा जिला
क्षेत्रफल
 • कुल२२५ किमी (८७ वर्गमाइल)
 • क्रम१८
उन्नतांश
१२९ मिटर (४२३ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)[२]
 • कुल२०६५७७१[१]
 • क्रम२०अम
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
३९० ०XX
टेलिफोन कोड(९१)२६५
आइएसओ ३१६६ सङ्केतISO 3166-2:IN
वेबसाइटvmc.gov.in

वड़ोदरा (IPA: /ʋə'ɽod̪əɾa/), (पूर्व नाम : बडौदा ) गुजरात राज्यक तेसर सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई एक शहर छी जतेक महाराजा सयाजीराव विश्वविद्यालय अपन सुन्दर वास्तुकलाक लेल जानल जाइत अछि । वड़ोदरा गुजरातक एक महत्त्वपूर्ण नगर छी । वड़ोदरा शहर, वड़ोदरा जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय, पूर्वी-मध्य गुजरात राज्य, पश्चिम भारत, अहमदाबादक दक्षिण-पूर्वमे विश्वामित्र नदीक तटमे अवस्थित अछि । वड़ोदराके बडौदा सेहो कहल जाइत अछि । एकर सबसँ पुरानो उल्लेख सन् ८१२ क अधिकारदान या राजपत्रमे अछि, जाहिमे एकरा वादपद्रक बताएल गेल अछि । ई क्षेत्रके जैनिसभक कब्जासँ मुक्त करेनिहार दोर राजपूत राजा चन्दनक नाममे शायद एकरा चन्दनवटीक नामसँ सेहो जानल जाइत छल । समय-समयमे ई शहरक नव नामकरण होइत गेल, जेना वारावती, वातपत्रक, बडैदा आ सन् १९७१ मे वड़ोदरा नाम राखल गेल ।

इतिहास[सम्पादन करी]

इतिहासमे ई शहरक पहिल उल्लेख सन् ८१२ मे ई क्षेत्रमे आबि बैसल व्यापारीसभक समयसँ भेटल अछि । सन् १२९७ मे ई प्रान्त हिन्दू शासनक अधिन हिन्दूसभक वर्चस्वमे छल । ईसाई यूगक प्रारम्भमे ई क्षेत्र गुप्तवंशक साम्राज्यक अधीन छल । भयङ्कर युद्धबाद, ई क्षेत्रमे चालुक्य वंशक सत्ता कायम भेल आ एकर आधिन भऽ गेल । अन्तमे, ई राज्यमे सोलङ्की राजपूतसभ कब्जा केलक । ई समयधरि मुस्लिम शासन भारत वर्षमे फैलल छल आ देखते देखते वड़ोदराक सत्ताक बागडोर दिल्लीक सुल्तानसभक हात चलि गेल । वड़ोदरामे दिल्लीक सुल्तानसभ एक लम्बा समयधरि शासन केलक, जाबे धरि ओ सभ मुगल सम्राटसभद्वारा परास्त नहि भऽ गेल । मुगलसभक सबसँ पैग समस्या मराठा शाषक छल जे कनिक कनिक करि मुदा अन्ततः ई क्षेत्रमे अपन राज्य स्थापित केलक आ ई मराठा वंश गाइकवाडक राजधानी बनल । सर सयाजी राव गाइकवाड (१८७५-१९३९) III, एहि वंशक सबसँ सक्षम आ लोकप्रिय शासक छल आ ओ ई क्षेत्रमे बहुतेक सरकारी आ नौकरशाही सुधार करैमे सफल भेल । ब्रिटिश राजक समयमे भारतक बहुतेक क्षेत्रमे ब्रिटिशसभक प्रभाव छल मुदा बडोदरा भारतक स्वतन्त्रताधरि एक शाही राज्य बनल रहल । बहुतेक अन्य रियासतसभ जका, बडोदरा राज्य सेहो सन् १९४७ मे गणतन्त्र भारतमे शामिल भऽ गेल ।

उद्योग[सम्पादन करी]

ई शहरमे उत्पादित होमएवला विभिन्न प्रकारक वस्तुसभमे सूती वस्त्र तथा हथकरघा वस्त्र, रसायन, दियासलाई, मसिनसभ आ फर्नीचर शामिल अछि ।

यातायात[सम्पादन करी]

वड़ोदरा एक रेल आ मेर्ग जङ्क्सन छी तथा एतय एक विमेनस्थल सेहो अछि ।

जनसङ्ख्या[सम्पादन करी]

सन् २००१ क भारतक जनगणना अनुसार वड़ोदरा शहरक जनसङ्ख्या १३,०६,०३५ अछि आ बडोदरा जिलाक कुल जनसङ्या ३६,३९,७७५ अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Census 2011, Indian। "Indian Census 2011"{{cite web}}: CS1 maint: numeric names: authors list (link)
  2. Cities having population 1 lakh and above, Census 2011. censusindia.gov.in

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]