नासिक

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
—  नगर  —
View of , India
निर्देशांक: (निर्देशांक ताकू)
जिला नासिक
महापौर
सांसद
आधिकारिक जालस्थल: www.nashik.com


नासिक या नाशिक भारतक महाराष्ट्र राज्यमे अवस्थित एक शहर छी। नासिक महाराष्ट्रक उत्तर पश्चिममे, मुम्बई सँ १५० किमी आ पुणे सँ २०५ किमीक दुरीमे अवस्थित अछि। ई शहर मुख्य रूपसँ हिन्दू तीर्थयात्रिसभक प्रमुख केन्द्र छी। नासिक पवित्र गोदावरी नदीक सतह पर स्थित अछि। समुद्रक मानक अनुसार एकर ऊँचाई ५६५ मीटर अछि। गोदावरी नदीक किनार पर बहुत सुन्दर-सुन्दर सन घाट अवस्थित अछि। ई शहरक सभसँ प्रमुख भाग पञ्चवटी छी। एही ठाम बहुतो मन्दिर सेहो अछि। नासिकमे पावनिसभक समयमे बहुत बेसी सङ्ख्यामे भीड़ देखल जाएत अछि।

इतिहास[सम्पादन करी]

नाशिक शक्तिशाली सातवाहन वंशक राजासभक राजधानी छल। मुगल कालक समयमे नासिक शहरक गुलशनबादकें नामसँ सेहो जानल जाएत छल। एकर अतिरिक्त नाशिक शहर भारतीय स्वतन्त्रता सङ्घर्षमे सेहो अपन एक महत्वपूर्ण भूमिका निभौने अछि। डॉ॰ भीमराव अम्बेडकर द्वारा १९३२मे नाशिककें कालाराम मन्दिरमे अस्पृश्योंकसभ प्रवेश करिकें आन्दोलन चलौने छल।

मुख्य आकर्षण[सम्पादन करी]

नीलकण्ठेश्वर मन्दिर
नासिकक लग अवस्थित पाण्डवलेनी गुफा

नाशिक आस्थाक शहर छी। एही ठाम पर बहुतो रास सुन्दर मन्दिर आ घाट देखबाक लेल मिलैत अछि। एतय विभिन्न पावनिसभ बहुत उत्साहक सङ्ग मनाओल जाएत अछि।

कुम्भ मेला[सम्पादन करी]

नाशिकमे होमए बला कुम्भ मेला, जे एहि ठाम सिंहस्थकें नामसँ प्रख्यात अछि, शहरक आकर्षण कऽ सभसँ पैग केन्द्र छी। भारतीय पञ्चाङ् अनुसार सूर्य जखन कुम्भ राशीमे होएत अछी ओहि समय इलाहाबादमे कुम्भ मेला लगैत अछि आ जखन सिंह राशीमे होएत अछि, तखन नाशिकमे सिंहस्थ कुम्भ मेला होएत अछि।

पञ्चवटी[सम्पादन करी]

पञ्चवटी नाशिकके उत्तरी भागमे अवस्थित अछि। एक मान्यताक अनुसार भगवान राम, सीतालक्ष्मणक सङ्ग किछ समयकें लेल पञ्चवटीमे रहल छल ताही कारण सेहो पञ्चवटी प्रसिद्ध अछि। वर्तमान समयमे पञ्चवटीमे जाहि स्थानसँ सीताक अपहरण कएल गेल छल ओ स्थान पाँचटा बड़हड़क गाछक लगमे अछि।

राम आ सिता पञ्चवटी

सीता गुम्फा[सम्पादन करी]

सुन्दरनारायण मन्दिर[सम्पादन करी]

मोदाकेश्वर गणेश मन्दिर[सम्पादन करी]

रामकुण्ड[सम्पादन करी]

गोदा पार्क

कालाराम मन्दिर[सम्पादन करी]

शिरड़ी[सम्पादन करी]

शिरड़ी एकटा छोट गाम छी जे कोपरगाव तालुकामे अवस्थित अछि। शिरड़ी भारतक प्रमुख धार्मिक स्थानसभमे सँ एक छी।

सोमेश्वर मन्दिर[सम्पादन करी]

सोमेश्वर मन्दिर नाशिकमे स्थित सभसँ पुरान मन्दिरसभमे सँ एक छी। ई मन्दिरमे महादेव सोमेश्‍वरक प्रतिमा स्थापित अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]