फरीदाबाद

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
फरीदाबाद
Faridabad
नगर
देश भारत
राज्यहरियाणा
जिलाफरीदाबाद
क्षेत्रफल
 • कुल७४२.९ किमी (२८६.८ वर्गमाइल)
उन्नतांश
१९८ मिटर (६५० फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल१४,०४,६५३[१]
 • घनत्व२४२१/वर्ग किमी (६२७०/वर्ग माइल)
क्षेत्रीय सङ्केत०१२९
सवारी दर्ताHR-51
HR-29
HR-38(Commercial)
DL-16(Delhi NCR)
वेबसाइटfaridabad.nic.in
mcfbd.com

फरीदाबाद भारतक उत्तरी राज्य हरियाणा प्रदेशक प्रमुख शहर छी । ई फरीदाबाद जिला अन्तर्गत पडैत अछि ।[२] एकरा सन् १६०७ मे शेख फरीद, जहांगीरक खजाञ्चीद्वारा बनाएल गेल छल ।[३] हुनकर उदेश्य एहि ठामसँ जाइवला राजमार्गक रक्षा करनाए छल । ई क्षेत्र राजधानी दिल्लीसँ २५ किलोमिटर दक्षिणमे अवस्थित अछि ।

१५ अगस्त १९७९ मे ई हरियाणाक १२अम जिला बनल छल । आई फरीदाबाद अपन उद्योगसभक लेल प्रसिद्ध अछि । एकर स्थापना सन् १६०७ मे सूफी सन्त शेख फरीद केनए छल । ओ एतय किला आ मस्जिदक निर्माण सेहो केनए छल । किछ समयबाद एतयक जनसङ्ख्या उन्नति भेल आ एकर उद्योगिकरण होमए लागल । आब एतय अनेक उद्योगिक एकाइसभक स्थापना भ चुकल अछि । हरियाणाक आयक ६० प्रतिशत हिस्सा फरीदाबादसँ आबैत अछि।

दिल्लीसँ मात्र १० किमी क दूरीमे स्थित अछि । भारत सरकार एकरा राष्ट्रिय राजधानी क्षेत्र घोषित केनए अछि ।[४] भारतक राष्ट्रिय राजमार्ग २ सँ पर्यटक सहजे फरीदाबादधरि पहुँचि सकैत अछि । सडक मार्ग वाहेक रेल मार्गसँ सेहो सहजे फरीदाबादधरि पहुँचल जा सकैत अछि । दिल्ली-मथुरा रेल लाइन अन्तर्गत फरीदाबादमे रेलवे स्टेशन सेहो बनाएल गेल अछि । पर्यटकसभ फरीदाबादमे विभिन्न क्षेत्रसभ घुमि सकैत अछि ।

प्रमु़ख स्थल[सम्पादन करी]

बडखल झील[सम्पादन करी]

फरीदाबादक बडखल ताल बहुतेक सुन्दर अछि । ई मानव निर्मित ताल छी । एकरसंग अरावली पर्वत श्रृङ्खला अछि । तालमे पर्यटक वाटर स्पोर्टसक आनन्द ल सकैत अछि । एतयसँ किछ दूरीमे बडखल गाम अछि । एहि गामक नाम पर्शियन भाषासँ लेल गेल अछि । बडखलक अर्थ बिना कोनो रोकावट होइत अछि । तालमे पानिक आपूर्ति वर्षाक पानि आ एक छोट जलधारासँ होइत अछि । पर्यटकसभक बासक लेल तालक निकट बासासभ बनाएल गेल अछि । ई बासासभमे बिना कुनो परेशानीक रुकल जा सकैत अछि ।

बाबा फरीद गुम्बद[सम्पादन करी]

स्थानीय लोकसभक अनुसार बाबा फरीदक नाममे फरीदाबादक नाम राखल गेल छल । एतय बाबा फरीदक मजार सेहो बनाएल गेल छल । एकर प्रति स्थानीय लोकसभमे पैग श्रद्धा अछि । मजामे पूजा करिक लेल प्रतिदिन अनेक श्रद्धालु आबैत अछि ।

सुरज कुण्ड पर्यटक परिसर आ हस्तशिल्प मेला[सम्पादन करी]

दक्षिणी दिल्लीसँ ८ किमीक दूरीमे स्थित ई परिसर बहुतेक सुन्दर अछि । स्थानीय निवासीसभ आ दिल्लीवलासभकलेल ई स्थान बेहतरीन पर्यटन स्थल छी । फरबरी महिनामे एतय एक मेलाक आयोजन सेहो कएल जाइत अछि । मेलामे पर्यटक भारतीय शिल्प कलाक शानदार कलाकृतिसभ देख आ किन सकैत अछि । एकर संग बडखल ताल आ मोर ताल सहो एतय अछि ।

बल्लबगढ़[सम्पादन करी]

बल्लबगढ फरीदाबादक सबसँ पैग शहर छी । एतय सन् १८५७ मे शहीद राजा नाहर सिंहक महल छल । बल्लबगढक प्रमुख कालोनीसभ निम्न अछि :

  • विजय नगर
  • आदर्श नगर
  • चावला कालोनी
  • भुदत कालोनी
  • भीकम कालोनी
  • सुभाष कालोनी

बल्लबगढक प्रमुख स्थान निम्न अछि :

  • अम्बेडकर चौक
  • गुप्ता होटल चौक
  • पञ्जाबी धर्मशाला
  • पञ्चायत भवन

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Falling Rain Genomics, Inc – Faridabad, Fallingrain.com
  2. The Tribune, Chandigarh, India - Delhi and neighbourhood
  3. "District Faridabad". http://faridabad.nic.in/. Accessed April 2016.
  4. Faridabad in 2nd smart city list

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

यो पनि हेर्नुहोस्[सम्पादन करी]