जोधपुर
Jodhpur जोधपुर | |
---|---|
महानगर | |
![]() मेहरानगढ़ किला, जोधपुर | |
निर्देशाङ्क: २६°१७′N ७३°०१′E / २६.२८°N ७३.०२°Eनिर्देशाङ्क: २६°१७′N ७३°०१′E / २६.२८°N ७३.०२°E | |
देश | ![]() |
राज्य | राजस्थान |
जिला | जोधपुर[१] |
स्थापना | सन् १४५९ |
स्थापना | राव मन्दौरक जोधा |
नामाकरण | राव जोधा |
क्षेत्रफल[२] | |
• महानगर | २८९.६ किमी२ (१११.८ वर्गमाइल) |
• मेट्रो | ६२४.५ किमी२ (२४१.१ वर्गमाइल) |
उँचाई | २३१ मिटर (७५८ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०१६)[४] | |
• महानगर | १६,३७,८१५ |
• क्रम | ३५अम |
• घनत्व | ५७००/किमी२ (१५०००/वर्ग माइल) |
• मेट्रो[५] | १७,२०,००० [३] |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | मारवाडी, हिन्दी |
समय क्षेत्र | भारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०) |
डाक कोड | ३४२००१ |
गाडी दर्ता | RJ 19 |
वेबसाइट | jodhpur.rajasthan.gov.in |
जोधपुर (/ˈdʒɒdp[invalid input: 'oor']/ सुनी (सहायता जानकारी)) भारतक राजस्थान राज्यक दोसर सभसँ पैग शहर छी । ई राज्यक दोसर सभसँ पैग महानगरीय क्षेत्र आ समुच्चा भारतमे ३५ अम सभसँ पेग शहर छी । ई ऐतिहासिक रजवाड़ा मारवाड़क याह नामसँ राजधानी सेहो होमैत छल । जोधपुर थार मरुभूमिक बीच अपन अनगिन्ती शानदार महलसभ, दुर्गसभ आ मन्दिरसभ भेल प्रसिद्ध पर्यटन स्थल छी ।
वर्ष पर्यन्त चमकैत सूर्य मौसमक कारण एकरा सूर्य नगरी सेहो कहल जाइत अछि । एतय स्थित मेहरानगढ़ दुर्गके घेरैवला हजारो बुलु मकानसभक कारण एकरा नीली नगरी क नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि । एतय अवस्थित पुरान शहरक अधिकांश भाग याह दुर्गक घेरामे बैसल अछि, जकर प्रहरी दीवारमे बहुतरास द्वार बनल अछि,[६] ओनातँ पिछ्ला किछ दशकसभमे याह दीवारक बाहर सेहो नगरक वृहत प्रसार भेल अछि । जोधपुरक भौगोलिक स्थिति राजस्थानक भौगोलिक केन्द्रक निकट अछि, जकर कारण ई नगर पर्यटकसभक लेल राज्य भरिमे भ्रमणक लेल उपयुक्त आधार केन्द्रक कार्य करैत अछि ।
वर्ष २०१४ मे विश्वके अति विशेष आवास स्थानसभमे (मोस्ट एक्स्ट्रा अर्डिनरी प्लेसेज अफ द वर्ल्ड) क सूचीमे प्रथम स्थान पर आएल छल । [७] एक तमिल चलचित्र, आई, जे कि आई धरिक भारतीय सिनेमाक सबसँ महंग चलचित्र छी ओकर छायांकन एतय भेल अछि ।[८][५]
नगर परिचय[सम्पादन करी]
सूर्य नगरी क नामसँ प्रसिद्ध जोधपुर शहर क पहचान एहि ठाममे रहल महलसभ आ पुरान घरसभमे लागल छितरक पत्थरसभ सँ होइत अछि, पन्द्रहम शताब्दीक विशालकाय मेहरानगढ़ दुर्ग, पत्थरिली चट्टान पहाड़ीपर, मैदानसँ १२५ मिटर उचाई पर विद्यमान अछि । आठ द्वारसभ आ अनगिनत बुजसँ युक्त ई शहर दस किलोमिटर लम्बा उंच दीवारसँ घेरल अछि ।
सोलहम शताब्दीक मुख्य व्यापार केन्द्र, किलासभक शहर जोधपुर, आब राजस्थानक दोसर विशालतम शहर छी । पुरा शहरमे वैभवशाली महल, किला आ मन्दिर, एक तरफ जतय ऐतिहासिक गौरवक जीवन्त करैत अछि ओतय दोसर दिस उत्कृष्ट हस्तकलासभ, लोक नृत्य, सङ्गीत आ प्रफुल्ल लोक शहरके आओरो रङ्गीन बनाबैत अछि ।
शिक्षा क्षेत्र[सम्पादन करी]
राजस्थानमे जोधपुर शिक्षाक क्षेत्रमे बहुत आगा अछि । दुर दुरसँ विद्यार्थी एतय पठन-पाठन करैलेल आबैत अछि । जोधपुरके चार्टर्ड एकाउन्टेन्टक खान कहल जाइत अछि । सम्पूर्ण भारतमे सबसँ बेसी सिए एतयसँ निकलैत अछि । शिक्षाक लेल एतय विभिन्न विकल्प मौजूद अछि । एतय विश्व प्रसिद्ध आइआइटी, नेशनल ल युनिवर्सिटी, एम्स, काजरी, आफरी आयुर्वेदिक विश्वविद्यालय अवस्थित अछि । एकर अलावा जयनारायण व्यास विश्वविद्यालय तथा राजस्थान विश्वविद्यालय सेहो अछि तथा एतय वालिकासभक लेल कलेजसभ सहो अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "Jodhpur.nic.in"।
- ↑ "Jodhpur District Census 2011 Handbook: VILLAGE AND TOWN WISE PRIMARY CENSUS ABSTRACT (PCA)" (PDF), Censusofindia.gov.in, पृ: ३३, अन्तिम पहुँच १९ अप्रैल २०१६।
- ↑ "Major Agglomerations of the World - Population Statistics and Maps"।
- ↑ ORGI, "Census of India : Provisional Population Totals Paper 1 of 2011 : Rajasthan"।
- ↑ ५.० ५.१ "Jodhpur City Population Census 2011 - Rajasthan"।
- ↑ Gopal, Madan (1990). K.S. Gautam. ed. India through the ages. Publication Division, Ministry of Information and Broadcasting, Government of India. प॰ 178.
- ↑ dailymail.co.uk/travel/article-2562228/Lonely-Planet-reveals-10-extraordinary-places-stay-2014.html
- ↑ [१]
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास जोधपुरसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |
![]() |
विकियात्रामे जोधपुरसँ सम्बन्धित यात्रा वृतान्त उपलब्ध अछि। |