बेङ्गलोर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बेङ्गलोर
ಬೆಂಗಳೂರು
Bangalore
शीर्षसँ घडीक दिशामे: युबी सिटी, इन्फोसिस, लाल बागक सिसामहल, विधानसभा, शिव प्रतिमा, बागमाने टेक पार्क
शीर्षसँ घडीक दिशामे: युबी सिटी, इन्फोसिस, लाल बागक सिसामहल, विधानसभा, शिव प्रतिमा, बागमाने टेक पार्क
उपनाम(सभ): 
भारतक सिलिकन भ्याली (उपत्यका)
बगैँचाक सहर
राष्ट्र भारत
राज्यकर्नाटक
क्षेत्रबायलुसिमी
जिलाबेङ्गलोर शहर
स्थापनासन् १५३७
संस्थापककेम्पेगौडा
सरकार
 • प्रकारमेयर-परिषद
 • अङ्गबिबिएमपी
 • मेयरशान्ता कुमारी
 • अधिक्षककुमार नायक [१]
क्षेत्रफल
 • शहरी
७०९ किमी (२७४ वर्गमाइल)
उन्नतांश९२० मिटर (३०२० फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)[४]
 • महानगर८४,२५,९७०
 • क्रम४अम
 • महानगर८७,२८,९०६
 • क्रम
५अम
वासिन्दाबेङ्गलोरियन
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
५६० xxx
क्षेत्रीय सङ्केत+९१-(०)८०
सवारी दर्ताKA-01, 02, 03, 04, 05, 41, 50, 51, 53, 57, 58, 59, 60, 61
आधिकारिक भाषाकन्नड[६]
वेबसाइटbbmp.gov.in

बेङ्गलोर /bæŋɡəˈlɔːr/, आधिकारिक रूपमे बेङ्गलुरू[७] ([ˈbeŋɡəɭuːɾu])क नामसँ जानल जाइत अछि । ई कर्नाटक राज्यक राजधानी शहर छी । बेङ्गलोर शहरक जनसङ्ख्या ८४ लाख आ ई महानगरीय क्षेत्रक जनसङ्ख्या ८९ लाख अछि, आ ई गणतन्त्र भारतक तेसर सबसँ बड़का शहर आ पाँचम् सबसँ पैग महानगरीय क्षेत्र छी । दक्षिण भारतमे डेक्कनक पठारीय क्षेत्रमे ९०० मिटरक औसत उचाईपर अवस्थित ई नगर अपन साल भरि सुहाना मौसमक लेल जानल जाइत अछि । भारतक मुख्य शहरसभमे एकर उचाई सबसँ बेसी अछि ।

सन् १५३७ मे विजयनगर साम्राज्यक सामन्त केम्पेगौडा प्रथमद्वारा ई क्षेत्रमे पहिल किलाक निर्माण करेनाए छल । एकरा आई बेङ्गलोर शहरक नींव मानल जाइत अछि । समयक साथ ई क्षेत्र मराठासभ, अङ्ग्रेजसभ आ अन्तिममे मैसूरक राज्यक हिस्सा बनल । अङ्ग्रेजक प्रभावमे मैसूर राज्यक राजधानी मैसूर शहरसँ बेङ्गलोरमे स्थानान्तरित भऽ गेल, आ ब्रिटेश रेसिडेन्ट बेङ्गलोरसँ शासन चलाबैक आरम्भ करि देलक । बादमे मैसूरक शाही वाडेयार परिवार सेहो बेङ्गलोरसँ शासन चलाबैत रहल । सन् १९४७ मे भारतक आजादीक बाद मैसूर राज्यक भारत सङ्घमे विलय भऽ गेल, आ बेङ्गलोर सन् १९५६ मे नवगठित कर्नाटक राज्यक राजधानी बनि गेल । सन् १९४९ मे बेङ्गलोर छावनी आ बेङ्गलोर नगर, जकर विकास अलग अलग एकाईसभक तर्ज पर भेल छल, कऽ विलय करि नगरपालिकाक पुनर्गठन कएल गेल ।

वर्ष २००६ मे बेङ्गलोरक स्थानीय निकाय बृहत् बेङ्गलोर महानगरपालिका (बिबिएमपी) एक सङ्कल्पक माध्यमसँ शहरक नाम अङ्ग्रेजी भाषाक वर्तनीके Bangalore सँ Bengaluru मे परिवर्तित करिक निवेदन राज्य सरकारक भेजलक । राज्य आ केन्द्रीय सरकारक स्वीकृति मिल्लाबाद ई परिवर्तन १ नवम्बर २०१४ सँ प्रभावी भऽ गेल ।

बेङ्गलोर भारतक सूचना प्राविधिक निर्यातसभक अग्रणी स्रोत रहल अछि, आ याह कारणसँ एकरा भारतक सिलिकन भ्याली कहल जाइत अछि । भारतक प्रमुख प्राविधिक सङ्गठन इसरो, इन्फोसिस आ विप्रोक मुख्यालय याह शहरमे अछि । एक जनसाङ्खिकीय विविध नगर, बेङ्गलोर भारतक दोसर सबसँ तीव्र गतिमे विकसित भऽ रहल मुख्य महानगर छी । एतय बहुतरास शैक्षिक आ अनुसन्धान संस्थान स्थित अछि, जेना भारतीय विज्ञान संस्थान, भारतीय प्रबन्ध संस्थान बेङ्गलोर, राष्ट्रिय डिजाइन संस्थान, नैशनल ल स्कुल अफ इन्डिया युनिभर्सिटी आ नेसनल इन्स्टिट्यूट अफ मेन्टल हेल्थ एन्ड न्युरोसाइन्स । बहुतरास सरकारी वायुप्राविधिक आ रक्षा सङ्गठन सेहो एतय स्थापित अछि, जेना भारत इलेक्ट्रनिक्स, हिन्दुस्तान एयरोनोटिक्स लिमिटेड आ नेसनल एयरोस्पेस लेबोरेटरिज । बेङ्गलोर कन्नड फिल्म उद्योगक केन्द्र छी । एक तीव्रतासँ विकास भऽ रहल महानगरक तौर पर बेङ्गलोरक आगा बढऽ कऽ लेल प्रदूषण, यातायात आ अन्य सामाजिक-आर्थिक चुनौतिसभ अछि । $८३ अरबक घरेलू उत्पादक साथ, सकल घरेलू उत्पादक नजरियासँ बेङ्गलोर भारतक चारिम सबसँ पैग नगर छी ।

इतिहास[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Commissioner "Bruhat Bangalore Mahanagara Palike। अन्तिम पहुँच 3 May 2015
  2. K. V. Aditya Bharadwaj (28 July 2015)। "Bengaluru is growing fast, but governed like a village"The Hindu। Bengaluru। अन्तिम पहुँच 20 August 2015
  3. H.S. Sudhira; T.V. Ramachandra; M.H. Bala Subrahmanya (2007)। "City Profile — Bangalore" (PDF)Cities। Bangalore: Environmental Information System (Centre of Ecological Sciences), Indian Institute of Science24 (5): 382। doi:10.1016/j.cities.2007.04.003
  4. "Cities with population of 1 Lakh and Above" (PDF)। censusindia.gov.in। अन्तिम पहुँच 30 January 2014
  5. "INDIA STATS : Million plus cities in India as per Census 2011"Press Information Bureau, Mumbai। National Informatics Centre। अन्तिम पहुँच 20 August 2015
  6. "Archive copy" (PDF)मूल (PDF)सँ 2016-07-08 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-11-25 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  7. "It is official: Bangalore becomes Bengaluru"The Times of India

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]