सिलवास
सिलवास
Silvassa સેલ્વાસ | |
|---|---|
राजधानी | |
सिलवास प्रवेशद्वार | |
| देश | |
| राज्य | दादरा आ नगर हवेली |
| जिल्ला | दादरा आ नगर हवेली जिला |
| सरकार | |
| • मेयर | राकेशसिंह चौहान |
| उन्नतांश | ३२ मिटर (१०५ फिट) |
| जनसङ्ख्या (२०११) | |
| • कुल | ९८,२६५ |
| भाषासभ | |
| • आधिकारिक | अङ्ग्रेजी, गुजराती, पोर्चुगेली |
| समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
| टेलिफोन कोड | 0260 |
| सवारी दर्ता | DN -09 |
| वेबसाइट | dnh.nic.in |
सिलवास वा सिलवासा
उच्चारण (सहायता जानकारी); भारतक केन्द्र शासित प्रदेश दादरा आ नगर हवेलीक राजधानी सहर छी । ई सहर अरब सागरक नजदीक अवस्थित अछि । अङ्ग्रेजी प्रभावक कारण सिलवासक उच्चारण प्राय: सिलवासा करल जाइत अछि आ मुख्यतया लोगसभ आब एकरा सिल्वासा वा सिलवासा कहिक सेहो बोलवैत अछि । गुजरती जनसङ्ख्याक प्रभावके कारण एकरा सेलवास (गुजराती: સેલ્વાસ) सेहो कहल जाइत अछि । पोर्चुगेली शासनक समयमे लिसबन (पेको डी एक्रोस, ओइरास) नजदिक रहल शहरक नाममे सिलवासके भिला डी पेको डी'एक्रोस' के नामसँ समेत जानल जाइ छल ।
ई नगरमे १०,००० सँ बेसी के सङ्ख्यामे उद्योग व्यवसाय स्थापित अछि, जे एतय के स्थानीय सरकारक बढिया मात्रामे राजस्व तिरैत अछि । भारतक प्रस्तावित १०० स्मार्ट सिटी बनावे के लक्ष्य अनुरुप ई शहरक नाम सेहो रहल अछि । हिन्दी आ गुजराती शहरक प्रमुख भाषा छी, उद्योग व्यवसाय बढत क्रममे भेल होइसँ अङ्ग्रेजीक प्रयोग बढल अछि ।