सामग्री पर जाएँ

विशाखपट्नम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(विशाखापट्टनमसँ पुनर्निर्देशित)
विशाखपट्नम
Visakhapatnam
విశాఖపట్నం
भाइज्याग - वेलटेयर
उपनाम(सभ): 
द सिटी अफ डेस्टिनी,
पूर्वी तटको गहना
आन्ध्र प्रदेशक आर्थिक राजधानी
देशभारत
राज्यआन्ध्र प्रदेश
जिलाविशाखपट्नम
नामकरणविशाख
सरकार
  अङ्गविशाखपट्नम नगर निगम परिषद
क्षेत्रफल
  महानगर५४०.०० किमी (२०८.५० वर्गमाइल)
  महानगर५५७३ किमी (२१५२ वर्गमाइल)
उन्नतांश४५ मिटर (१४८ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
  महानगर२०३५९२२
  क्रम१अम
  घनत्व३८००/वर्ग किमी (९८००/वर्ग माइल)
  महानगर५३,४०,०००
वासिन्दाभाइज्यागाइट
भाषासभ
  आधिकारिकतेलुगु
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
५३० ०XX, ५३१ १XX
टेलिफोन कोड+९१-८९१-XXX XXXX
सवारी दर्ताAP–31,32,33,34
वेबसाइटनगर निगम

विशाखपट्नम (उपनाम भाइज्याग) भारतक राज्य आन्ध्र प्रदेशक सबसँ पैग आ सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई बङ्गालक खाडीक तटमे अवस्थित अछि । ई विशाखपट्नम जिलाक मुख्यालय शहर आ आन्ध्र प्रदेशक आर्थिक राजधानी छी ।[] सन् २०११ क भारतक जनगणना अनुसार, ई शहरक जनसङ्ख्या २०,३५,९२२ रहल अछि जे एकरा भारतक सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल १४अम क्रमक शहर बनेनाए अछि ।[] विशाखपट्नम महानगरीय क्षेत्र भारतक महानगरीय क्षेत्रसभक आधारमे ९अम क्रममे रहल अछि जकर जनसङ्ख्या ५३,४०,००० रहल अछि ।[]

ई एक प्राकृतिक तथा सुरक्षित समुद्री बन्दरगाह छी । कृषि तथा खनिज सम्पत्तिमे समृद्ध आन्ध्र प्रदेश, मध्य प्रदेशउडिसा राज्य एहि बन्दरगाहक पृष्ठ प्रदेश कहल जाइत अछि । ई एक उल्लेखनीय मत्स्य-शिकार केन्द्र सेहो छी । विशाखपट्नम आन्ध्र प्रदेशक उत्तरी सरकारी तटमे गोदावरी नदीक मुखक उत्तरमे अवस्थित अछि । विशाखपट्नमके भाइज्यागक नामसँ सेहो चिनहल जाइत अछि । विशाखपट्नम भारतक चारिम पैग बन्दरगाह छी । ई भारतीय नौसेनाक पूर्वी कमाण्डक केन्द्र छी ।

महत्त्व

[सम्पादन करी]

विशाखपट्नमक बन्दरगाहक महत्व भारत भरि लोकप्रिय रहल अछि कियाकी ई कोरोमण्डल तटमे अवस्थित एकमात्र संरक्षित बन्दरगाह छी । एहिमे हालमे कएल सुधारसभ आब एतय १०.२ मिटर उँच पनडुब्बीसभके आश्रय देबमे सक्षम अछि । ई शहर एक महत्त्वपूर्ण पोत निर्माण केन्द्र सेहो छी । भारतमे बनल पहिल स्टीमरके विशाखपट्नमक बन्दरगाहमे सन् १९४८ मे उद्घाटन कएल गेल छल । विशाखपट्नम क्षेत्रक अर्थव्यवस्थाक आधार कृषि छी ।

शिक्षण संस्थान

[सम्पादन करी]

बङ्गालक खाडीक उत्तरी ध्रुवमे अवस्थित उपनगर वाल्टेयरमे आन्ध्र विश्वविद्यालय रहल अछि । एतयक शैक्षिक संस्थानसभमे आन्ध्र मेडिकल कलेज, कलेज अफ नर्सिङ्ग, कलेज अफ इन्जिनियरिङ, गान्धी इन्स्टट्युट अफ टेक्नोलोजी एण्ड म्यानेजमेन्ट आ बहुतेक महाविद्यालय अछि ।

विशाखपट्नममे पनिया जहाज बनाबैवला कारख़ाना रहल अछि । ई एकटा प्राकृतिक तथा सुरक्षित समुद्री बन्दरगाह छी । कृषि तथा खनिज सम्पत्तिमे समृद्ध आन्ध्र प्रदेश, मध्य प्रदेश आ उडिसा राज्य एहि बन्दरगाहक पृष्ठ प्रदेश कहल जाइत अछि । ई एक उल्लेखनीय मत्स्य-शिकार केन्द्र सेहो छी ।

विशाखपट्नम प्राचीन बौद्ध विरासत, भूवैज्ञानिक चमत्कार, प्रसिद्ध मन्दिरसभक एक उदार मिश्रणमे संस्कृति, कला आ शिल्प आदिक लेल प्रसिद्ध अछि । ई शहर समयानुसार परिवर्तनशील अछि आ परिमार्जित होइत आएल अछि, एतय धरि की ई शहर अपन समृद्ध इतिहासक संरक्षण प्रति सजग अछि । एकर सुन्दर पूर्वी घाट बङ्गालक खाडीक बुलु पानि उपर एक गजब स्पर्श दैत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. 1 2 "Municipalities, Municipal Corporations & UDAs" (PDF), Directorate of Town and Country Planning, Government of Andhra Pradesh, मूलसँ ७ जून २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जनवरी २०१६
  2. 1 2 "Key Facts on VMR" (PDF), Visakhapatnam Urban Development Authority, पृ: 44–45, मूलसँ २०१८-१२-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २१ दिसम्बर २०१५ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. "Elevation for Visakhapatnam", Veloroutes, मूलसँ २४ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २६ अगस्त २०१५
  4. "Administration-AP-Financial Capital", Visakhapatnam, २९ अप्रैल २०१५, अन्तिम पहुँच १३ अगस्त २०१५
  5. "Key Facts Of VMR www.vuda.gov.in", मूलसँ २०१८-१२-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १७ फरबरी २०१६ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाह्य लिङ्कसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]