विशाखपट्नम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
विशाखपट्नम
Visakhapatnam

విశాఖపట్నం
भाइज्याग - वेलटेयर
महानगर
नाम: द सिटी अफ डेस्टिनी,
पूर्वी तटको गहना
आन्ध्र प्रदेशक आर्थिक राजधानी
विशाखपट्नम Visakhapatnam आन्ध्र प्रदेशपर अवस्थित
विशाखपट्नम Visakhapatnam
विशाखपट्नम
Visakhapatnam
निर्देशाङ्क: १७°४१′१८″उ॰ ८३°१३′०७″पू॰ / १७.६८८३३°N ८३.२१८६१°E / 17.68833; 83.21861निर्देशाङ्क: १७°४१′१८″उ॰ ८३°१३′०७″पू॰ / १७.६८८३३°N ८३.२१८६१°E / 17.68833; 83.21861
देशभारत
राज्यआन्ध्र प्रदेश
जिलाविशाखपट्नम
नामाकरणविशाख
सरकार
 • अङ्गविशाखपट्नम नगर निगम परिषद
क्षेत्रफल[१]
 • महानगर५४०.०० किमी (२०८.५० वर्गमाइल)
 • मेट्रो[२]५५७३ किमी (२१५२ वर्गमाइल)
उँचाई[३]४५ मिटर (१४८ फिट)
जनसङ्ख्या (२०११)
 • महानगर२०,३५,९२२
 • क्रम१अम
 • घनत्व३८००/किमी (९८००/वर्ग माइल)
 • मेट्रो[२]५३,४०,०००
मूलवासी नामभाइज्यागाइट
भाषासभ
 • आधिकारिकतेलुगु
समय क्षेत्रभारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०)
डाक कोड५३० ०XX, ५३१ १XX
टेलिफोन कोड+९१-८९१-XXX XXXX
गाडी दर्ताAP–31,32,33,34
वेबसाइटनगर निगम


विशाखपट्नम (उपनाम भाइज्याग) भारतक राज्य आन्ध्र प्रदेशक सबसँ पैग आ सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई बङ्गालक खाडीक तटमे अवस्थित अछि । ई विशाखपट्नम जिलाक मुख्यालय शहर आ आन्ध्र प्रदेशक आर्थिक राजधानी छी ।[४] सन् २०११ क भारतक जनगणना अनुसार, ई शहरक जनसङ्ख्या २०,३५,९२२ रहल अछि जे एकरा भारतक सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल १४अम क्रमक शहर बनेनाए अछि ।[१] विशाखपट्नम महानगरीय क्षेत्र भारतक महानगरीय क्षेत्रसभक आधारमे ९अम क्रममे रहल अछि जकर जनसङ्ख्या ५३,४०,००० रहल अछि ।[५]

ई एक प्राकृतिक तथा सुरक्षित समुद्री बन्दरगाह छी । कृषि तथा खनिज सम्पत्तिमे समृद्ध आन्ध्र प्रदेश, मध्य प्रदेशउडिसा राज्य एहि बन्दरगाहक पृष्ठ प्रदेश कहल जाइत अछि । ई एक उल्लेखनीय मत्स्य-शिकार केन्द्र सेहो छी । विशाखपट्नम आन्ध्र प्रदेशक उत्तरी सरकारी तटमे गोदावरी नदीक मुखक उत्तरमे अवस्थित अछि । विशाखपट्नमके भाइज्यागक नामसँ सेहो चिनहल जाइत अछि । विशाखपट्नम भारतक चारिम पैग बन्दरगाह छी । ई भारतीय नौसेनाक पूर्वी कमाण्डक केन्द्र छी ।

इतिहास[सम्पादन करी]

महत्त्व[सम्पादन करी]

विशाखपट्नमक बन्दरगाहक महत्व भारत भरि लोकप्रिय रहल अछि कियाकी ई कोरोमण्डल तटमे अवस्थित एकमात्र संरक्षित बन्दरगाह छी । एहिमे हालमे कएल सुधारसभ आब एतय १०.२ मिटर उँच पनडुब्बीसभके आश्रय देबमे सक्षम अछि । ई शहर एक महत्त्वपूर्ण पोत निर्माण केन्द्र सेहो छी । भारतमे बनल पहिल स्टीमरके विशाखपट्नमक बन्दरगाहमे सन् १९४८ मे उद्घाटन कएल गेल छल । विशाखपट्नम क्षेत्रक अर्थव्यवस्थाक आधार कृषि छी ।

शिक्षण संस्थान[सम्पादन करी]

बङ्गालक खाडीक उत्तरी ध्रुवमे अवस्थित उपनगर वाल्टेयरमे आन्ध्र विश्वविद्यालय रहल अछि । एतयक शैक्षिक संस्थानसभमे आन्ध्र मेडिकल कलेज, कलेज अफ नर्सिङ्ग, कलेज अफ इन्जिनियरिङ, गान्धी इन्स्टट्युट अफ टेक्नोलोजी एण्ड म्यानेजमेन्ट आ बहुतेक महाविद्यालय अछि ।

उद्योग[सम्पादन करी]

विशाखपट्नममे पनिया जहाज बनाबैवला कारख़ाना रहल अछि । ई एकटा प्राकृतिक तथा सुरक्षित समुद्री बन्दरगाह छी । कृषि तथा खनिज सम्पत्तिमे समृद्ध आन्ध्र प्रदेश, मध्य प्रदेश आ उडिसा राज्य एहि बन्दरगाहक पृष्ठ प्रदेश कहल जाइत अछि । ई एक उल्लेखनीय मत्स्य-शिकार केन्द्र सेहो छी ।

पर्यटन[सम्पादन करी]

विशाखपट्नम प्राचीन बौद्ध विरासत, भूवैज्ञानिक चमत्कार, प्रसिद्ध मन्दिरसभक एक उदार मिश्रणमे संस्कृति, कला आ शिल्प आदिक लेल प्रसिद्ध अछि । ई शहर समयानुसार परिवर्तनशील अछि आ परिमार्जित होइत आएल अछि, एतय धरि की ई शहर अपन समृद्ध इतिहासक संरक्षण प्रति सजग अछि । एकर सुन्दर पूर्वी घाट बङ्गालक खाडीक बुलु पानि उपर एक गजब स्पर्श दैत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ "Municipalities, Municipal Corporations & UDAs" (PDF), Directorate of Town and Country Planning, Government of Andhra Pradesh, मूलसँ ७ जून २०१६-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जनवरी २०१६ 
  2. २.० २.१ "Key Facts on VMR" (PDF), Visakhapatnam Urban Development Authority, पृ: 44–45, अन्तिम पहुँच २१ दिसम्बर २०१५ 
  3. "Elevation for Visakhapatnam", Veloroutes, अन्तिम पहुँच २६ अगस्त २०१५ 
  4. "Administration-AP-Financial Capital", Visakhapatnam, २९ अप्रैल २०१५, अन्तिम पहुँच १३ अगस्त २०१५ 
  5. "Key Facts Of VMR www.vuda.gov.in", अन्तिम पहुँच १७ फरबरी २०१६ 

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]