आगरा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
आगरा
Agra
آگرہ
महानगर
आगरामे ताजमहल
आगरामे ताजमहल
नाम: अकबराबाद; द ताज सिटी
आगरा is located in उत्तर प्रदेश
आगरा
आगरा
निर्देशाङ्क: २७°११′उत्तर ७८°०१′पूर्व / २७.१८° उत्तर ७८.०२° पूर्व / 27.18; 78.02निर्देशाङ्क: २७°११′उत्तर ७८°०१′पूर्व / २७.१८° उत्तर ७८.०२° पूर्व / 27.18; 78.02
देश भारत भारत
राज्य उत्तर प्रदेश
जिला आगरा
उँचाई १७१ मिटर (५६१ फिट)
जनसङ्ख्या (२०११)[१]
 • महानगर १५,८५,७०४
 • क्रम १९
 • मेट्रो[२] १७,६०,२८५
समय क्षेत्र भारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०)
डाक पिन २८२ X
टेलिफोन कोड ९१(५६२)
गाडी दर्ता UP 80
वेबसाइट agra.nic.in


आगरा (सुनीi/ˈɑːɡrə/; Āgrā) भारतक उत्तरी राज्य उत्तर प्रदेशक यमुना नदीक किनारमे अवस्थित एक शहर छी । [३] ई राज्य राजधानी लखनउसँ ३७८ किलोमिटर (२३५ माइल) पश्चिममे आ राष्ट्रिय राजधानी दिल्लीसँ २०६ किलोमिटर (१२८ माइल) दक्षिणमे आ ग्वालियर शहरसँ १२५ किलोमिटर (७८ माइल) उत्तरमे अवस्थित अछि । सन् २०१३ के अनुमानित जनगणना अनुसार आगराक जनसङ्ख्या १६८६९९३ अछि, ई उत्तर प्रदेशक सभसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहरसभमे सँ एक आ भारतमे सभसँ जनसङ्ख्या भेल १९अम शहर छी ।[४]

इतिहास[सम्पादन करी]

आगरा एक ऐतिहासिक नगर छी, जकर प्रमाण एकर चारो तरफ रहल धरोहरसभसँ लगाएल जा सकैत अछि । ओना तँ आगराक इतिहास मुख्य रूपसँ मुगल कालसँ जानल जाइत अछि मुदा एकर सम्बन्ध महर्षि अङ्गिरासँ अछि जे १००० वर्ष ईसा पूर्व भेल छल । इतिहासमे पहिल जिक्र आगराक महाभारतक समयसँ भेल छल, जब एकरा अग्रवाण वा अग्रवनक नामसँ सम्बोधित करल जाइत छल । कहल जाइत अछि कि पहिने ई नगर आर्यग्रहक नामसँ सेहो जानल जाइत छल । तौलमी पहिल ज्ञात व्यक्ति छल जकर एकरा आगरा नामसँ सम्बोधित केलक ।

आगरा शहरके सिकन्दर लोदी सन् १५०६ मे बसेनाए छल । आगरा मुगल साम्राजयक चहेती स्थान छल । आगरा सन् १५२६सँ सन् १६५८धरि मुगल साम्राज्यक राजधानी रहल । आई सेहो आगरा मुगलकालीन इमारतसभ जेना - ताज महल, लाल किला, फतेहपुर सिकरी आदिक कारणसँ एक विख्यात पर्यटन स्थल छी । ई तीनो इमारतसभ युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्रक सूचीमे सामिल अछि । बाबर (मुगल साम्राज्यक जनक) एतय चौकोर (आयताकार आ वर्गाकार) बगैंचासभक निर्माण करेलक ।

यातायात[सम्पादन करी]

पर्यटन क्षेत्र[सम्पादन करी]

ताजमहल[सम्पादन करी]

ताजमहलक निर्माण मुगल सम्राट शाहजहाँ, अपन घरवाली मुमताज महलक यादमे करेनाए छल ।[५] ताज महल मुगल वास्तुकलाक उत्कृष्ट नमूना छी । एकर वास्तुकला शैली फारसी, टर्की, भारतीय तथा इस्लामिक वास्तुकलाक घटकसभक अनौठा मिश्रण छी । सन् १९८३ मे, ताजमहल युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र बनल । एकर संगे, इकरा विश्व सम्पदाक सर्वत्र प्रशंसा पाबएवाला, अत्युत्तम मानवीय कृतिसभ मे सँ एक बताएल गएल अछि । ताजमहलके भारतक इस्लामी कलाक रत्न सेहो घोषित कएल गएल अछि । साधारणतया देखाबएवाला सङ्गमर्मरक चदरासभक पैग-पैग तहसँ छारएलेल बनाएल भवनसभ जोका नै बनाए एकरा श्वेत गुम्बद तथा टाइल आकारमे सङ्गमर्मरसँ छारल गएल अछि । केन्द्रमे बनाएल समाधिस्थल अपन वास्तु श्रेष्ठतामे सौन्दर्यक संयोजनक परिचय देवैत अछि । ताजमहल भवन समूहक संरचनाक खास बात ई अछि, कि ई पूर्णतया समतिताकार अछि । एकर निर्माण सन् १६४८ क लगभगममे पुरा भएल छल ।[५] उस्ताद अहमद लाहौरीके प्रायः एकर प्रधान शिल्पकार मानल जाएत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Census 2011", The Registrar General & Census Commissioner, India, अभिगमन तिथि २१ मई २०१६ 
  2. http://citypopulation.de/India-UttarPradesh.html
  3. http://whc.unesco.org/en/list/251
  4. World Gazetteer online "India: largest cities and towns and statistics of their population" Archived 9 February 2012 at the Wayback Machine.[[]]. Accessed 25 March 2010.
  5. ५.० ५.१ "भारतको बारेमा जानहरू - ताजमहल" (पीएचपी) (नेपालीमे), राष्ट्रिय पोर्टल विषयवस्तु प्रबंधन दल।  |accessyear= प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता); |accessmonthday= प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

आगराक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

पाठ्यपुस्तक विकिपुस्तकसँ
स्रोत पदसभ विकिस्रोतसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ
समाचार विकिसमाचारसँ

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]