सामग्री पर जाएँ

विश्व सम्पदा क्षेत्र

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

विश्वक सांस्कृतिक आ प्राकृतिक सम्पदाक संरक्षण विषयमे अधिवेशन
{{{image_alt}}}
विश्व सम्पदा समितिक आधिकारिक लोको
हस्ताक्षर१६ नवम्बर १९७२
स्थानपेरिस, फ्रान्स
कार्यान्वयन१७ दिसम्बर १९७५
अवस्था२० अनुममर्थन
सदस्य१९१(१८७ संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सदस्य राष्ट्रसभ सङ्गे कुक टापु, द होलि सी, नियुप्यालेस्टाइन)
जामाकर्तासंयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक एवं सांस्कृतिक सङ्गठनक महासचिव
भाषासभअरबिक, अङ्ग्रेजी, फ्रेञ्च, रसियन आ स्पेनी

संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय अङ्ग युनेस्कोद्वारा बहुमूल्य सम्पदाक रूपमे सूचीकृत विश्वक स्मारक आ स्थानसभके युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र कहल जाएत अछि।[] युनेस्को कोनो भी राष्ट्रक विशेष सांस्कृतिक महत्व राखऽवाला (जेना वन, पहाड़, ताल, द्वीप, मरुभूमि, स्मारक, भवन, वा शहर[][]) धरोहरसभकें अपन सूचीमे सूचीबद्ध करैत अछि। कोनो भी सम्पदाकें विश्व सम्पदा समितिद्वारा चयन कएल जाएत अछि आ एहि समिति ई सम्पदा क्षेत्रकें रेखदेख युनेस्कोकें तत्वाधानमे करैत अछि।

ई कार्यक्रमक उद्देश्य विश्वक एहन स्थलसभके सूचीबद्ध केनाए आ संरक्षित केनाए होएत अछि जे विश्व संस्कृतिक दृष्टि सँ मानवताक लेल महत्वपूर्ण होएत होए।[] कोनो खास परिस्थितिमे एहन सम्पदासभकें ई समितिद्वारा आर्थिक सहयोग सेहो प्रदान कएल जाएत अछि।,[][] सन् २०१९ जुलाई ३१ धरिमे १६७ राष्ट्रक १,१२१ क्षेत्रके विश्व सम्पदाक रूपमे सूचीकृत कएल गेल अछि जहिमे ८६९ सांस्कृतिक, २१३ प्राकृतिक आ ३९ मिश्रित सम्पदा रहल अछि।[]

प्रत्येक सम्पदा क्षेत्र ओ देशक विशेष सम्पति होएत अछि, जे देशमे ओ स्थल रहैत अछि मुदा अन्तर्राष्ट्रिय समुदायक हितमे सेहो एहि बेश होएत अछि कि आबऽवाला सन्ततिकें तथा मनावताक हितक लेल सेहो एहन विशेष सम्पदाक संरक्षण कएल जाए। तथापि समुचा विश्व समुदायकें एकर संरक्षणक जिम्मेवारी रहैत अछि।[]

सन् १९५९ मे इजिप्ट सरकार अस्वान बाँध बनेबाक निश्चय कएलक। अहिसँ प्राचीन सभ्यता समेटल नाइल नदी नजदिकक उपत्यका नुबियामे रहल अनेकौ बहुमुल्य खजानासभके बाँधक पानिसँ बहनाई निश्चित छल। ओ समय युनेस्को इजिप्टसुडान सरकारके आग्रह करवाक संगे एकर रक्षा करैक निमित्त विश्वव्यापी रक्षा उपाय अभियान चलेलक।[] ई अभियानक कारण ई निश्चित कएल गेल कि ओतेक रहल हजारौं पुरातात्विक सम्पदासभ आ सभसँ एतिहासिक आ चर्चित अबु सिम्बलफिलेके कोनो उँच स्थानमे पुनर्स्थापित कएल जाए। ई अभियानक अन्त्य सन् १९८० मे भएल जेकरा पूर्ण रुपसँ सफल मानल गेल। विशेष रूपसँ अभियानमे सहयोग करैवाला राष्ट्रके इजिप्ट अपन चाएरटा मन्दिरसभ उपहार स्वरूप प्रदान कएलक जहिमे: डेनडुर मन्दिरके न्यू योर्क सहरक महानगरीय कला सङ्ग्रहालयमे, डेबोद मन्दिरके म्याड्रिडक पार्क डेल ओएस्तोमे, तफेह मन्दिरके नेदरल्याण्डक रिज्क्स सङ्ग्रहालयमे आ इलिसिया मन्दिरके तुरिनको म्युजियो इगीजियोमे घसकाएल गेल छल।[१०]


ई परियोजनाक लागत लगभग $८० मिलियन छल जहिमेसँ $४० मिलियन ५० राष्ट्रसभसँ जम्मा कएल गेल छल। ई अभियानके व्यापक रूपमे पूर्ण सफलता मानल गेल आ याह अभियानसँ प्रेरित भ अनेकौं अभियान चलाएल गेल (जेना भेनिस आ ओकर लगुनक संरक्षण इटालीमे, मोहन जोदडो पाकिस्तानमेइन्डोनेसियामे बोरोबुदुर मन्दिर प्राङ्गन)। अहि पश्चात युनेस्को अन्तर्राष्ट्रिय स्मारक तथा स्थल परिषदसँ पहल करि एकटा सम्मेलन कएलक जे मानवताक सार्वजनिक साँस्कृतिक धरोहरसभके संरक्षण करैत रहत।

तथ्याङ्क

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "World Heritage" 
  2. Ann Marie Sullivan, Cultural Heritage & New Media: A Future for the Past, 15 J. Marshall Rev. Intell. Prop. L. 604 (2016) https://repository.jmls.edu/cgi/viewcontent.cgi?article=1392&context=ripl
  3. Allan, James R.; Kormos, Cyril; Jaeger, Tilman; Venter, Oscar; Bertzky, Bastian; Shi, Yichuan; MacKey, Brendan; Van Merm, Remco; Osipova, Elena; Watson, James E.M. (२०१८), "Gaps and opportunities for the World Heritage Convention to contribute to global wilderness conservation", Conservation Biology 32 (1): 116–126, डिओआई:10.1111/cobi.12976, पिएमआइडी 28664996 
  4. Centre, UNESCO World Heritage, "The Criteria for Selection", whc.unesco.org (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच १ फरबरी २०१८ 
  5. Convention Concerning the Protection of World's Cultural and Natural Heritage सङ्ग्रहित ४ जुलाई २०१० वेब्याक मेसिन
  6. "World Heritage", ३० जून २००९ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  7. Centre, UNESCO World Heritage, "UNESCO World Heritage Centre – World Heritage List", whc.unesco.org (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०७-०३ 
  8. Convention Concerning the Protection of World Cultural and Natural Heritage
  9. Monuments of Nubia-International Campaign to Save the Monuments of Nubia World Heritage Convention, UNESCO
  10. The Rescue of Nubian Monuments and Sites, UNESCO

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]