जमशेदपुर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जमशेदपुर
Jamshedpur
जमशेदपुरक गोलचक्कर
जमशेदपुरक गोलचक्कर
उपनाम: 
स्टिल सिटी
देशभारत
राज्यझारखण्ड
जिलापूर्वी सिंहभूम जिला
संस्थापकजमशेदजी नौसरवानजी टाटा
नामकरणलोहा आ स्टिल, सिमेन्ट उद्योग
क्षेत्रफल
 • महानगर२०९ किमी (८१ वर्गमाइल)
उन्नतांश
१५९ मिटर (५२२ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)[२]
 • महानगर१३,३७,१३१
 • घनत्व६४००/वर्ग किमी (१७०००/वर्ग माइल)
 • महानगर
६,३१,३६४
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
८३१००१ सँ ८३१xxx
टेलिफोन कोड०६५७
साक्षरता८५.९४%
भाषाहिन्दी, अङ्ग्रेजीबङ्गाली
वेबसाइटjamshedpur.nic.in

जमशेदपुर (/ˈɑːmʃɛdpɔːr/, About this sound उच्चारण ) भारतक झारखण्ड राज्यक एकटा शहर छी । ई भारतक सबसँ बेसी जनसङ्ख्या होमएवला शहरसभमे सँ ३६अम क्रममे आ झारखण्डमे पहिल स्थानमे रहल अछि । जमशेदपुरके टाटानगर सेहो कहल जाइत अछि । ई झारखण्ड राज्यक दक्षिणी भागमे अवस्थित पूर्वी सिंहभूम जिलाक भाग छी । जमशेदपुरक स्थापना पारसी व्यवसायी जमशेदजी नौशरवानजी टाटाद्वारा भेल अछि । सन् १९०७ मे टाटाके आइरन एण्ड स्टिल कम्पनी (टिस्को) क स्थापना भेलाबाद ई शहरक जग बैसाएल गेल अछि । एहिसँ पूर्व एतय साक्ची नामक एकटा आदिवासी गाम होमएत छल । एतौका माटि कारी भेला कारण एतय पहिल रेलवे-स्टेशन कालीमाटीक नामसँ बनाएल गेल जकरा बादमे परिवर्तन करि टाटानगर कएल गेल । खनिज पदार्थसभक प्रचुर मात्रामे उपलब्धता आ खडकई तथा सुवर्णरेखा नदीक सहजरूपसँ उपलब्ध पानि, तथा कोलकातासंगक नजदिकीक कारण आजुक ई आधुनिक शहरके बैसाएल जा सकल अछि ।

जमशेदपुर आई भारतक सबसँ प्रगतिशील उद्योगिक नगरसभमेसँ एक छी । टाटा परिवारक बहुतेक कम्पनीसभक उत्पादन एकाई जना टिस्को, टाटा मोटर्स, टिस्कन, टिन्पलेट, टिमकन, ट्यूब डिभिजन, इत्यादि एतय कार्यरत अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

उत्पति[सम्पादन करी]

पर्यटन[सम्पादन करी]

शिक्षा[सम्पादन करी]

चलचित्र[सम्पादन करी]

राजनीति[सम्पादन करी]

यातायात[सम्पादन करी]

जमशेदपुर सड़क आ रेल-मार्गद्वारा पूरे भारतसँ जुड़ल अछि । हावड़ा मुम्बई रेल मार्गपर अवस्थित होमएके कारण टाटानगर दक्षिणपूर्व रेलवेक अत्यन्त व्यस्त स्टेशनसभमे सँ गिनल जाइत अछि । राष्ट्रिय राजमार्ग ३३ याह शहरसँ होइत गुजरति अछि । नगरक उत्तर पूर्वी हिस्सामे एक सोनारी विमानस्थल अछि जे वायु विमान सेवासभसँ जोड़ने अछि । शहरक ज्यादातर सड़कसभक रखरखाव टाटा परिवारद्वारा होमएक कारण सँ एतयक सड़क झारखण्डमे अन्य शहरसभक अपेक्षा बहुत बढिया अछि ।

हवाई सेवा[सम्पादन करी]

जमशेदपुर एयर डेकनद्वारा कोलकाताक विमानस्थलद्वारा जुड़ल अछि । एकर अलावा एक आओर निजी एयरलाइन्स हप्तामे दुई दिन एतयसँ दिल्लीक लेल उड़ान भरति अछि । ई विमानस्थलक बेसी उपयोग करपोरेट जहाजसभक आगमन-प्रस्थानक लेल कएल जाइत अछि । एकर अलावा एतय उड़ान प्रशिक्षणक लेल स्थापित जमशेदपुर को-आपरेटिभ फ्लाईगुङ्ग क्लब तथा टाटानगर एभियेसनद्वारा एकर प्रयोग कएल जाइत अछि । कोलकाताक अतिरिक्त एतयसँ निकटतम हवाई अड्डा राँचीक बिरसा मुण्डा विमानस्थल अछि जे एतयसँ लगभग १२० किलोमिटरक दूरी पर अछि ।

रेल-मार्ग[सम्पादन करी]

टाटानगर (जमशेदपुर) दक्षिणपूर्व रेलवेक सबसँ प्रमुख रेलवे स्टेशनसभमे सँ एक छी अओर ई सीधे-सीधे भारतक प्रमुख शहरसभ जना कोलकाता, मुम्बई, दिल्ली, चेन्नई, पटना, रायपुर, भुवनेश्वर इत्यादिसँ जुड़ल अछि । रेलवे स्टेशनके टाटानगरक नामसँ जानल जाइत अछि ।

सड़क मार्ग[सम्पादन करी]

जमशेदपुर सड़क मार्गद्वारा भारतक सभ पैग शहरसभसँ जुड़ल अछि । शहरसँ राष्ट्रिय राजमार्ग ३३ (बहरागोड़ा सँ बरही) गुजरति अछि जे राष्ट्रिय राजमार्ग सङ्ख्या २ सँ जुड़ति अछि जे सँ कोलकातादिल्ली जुड़ल अछि । राँची (१३१ किलोमिटर), पटना, गया, कोलकाता (२५० किलोमिटर) सहित कयन बिहार, बङ्गालउडिसाक अन्य प्रमुख शहरसभसँ जमशेदपुरक लेल सीधा बस सेवा उपलब्ध (सरकारी आ निजी) अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Jamshedpur city total area"
  2. "Census 2011"। The Registrar General & Census Commissioner, India। अन्तिम पहुँच 21 May 2016

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]