ग्वालियर
ग्वालियर
Gwalior | |
---|---|
ग्वालियरक धरोहरसभ | |
उपनाम(सभ): मध्य प्रदेशक पर्यटन राजधानी राजा सुरसेनक शहर ऋषि गलभक शहर आ तानसेन नगरी | |
देश | भारत |
राज्य | मध्य प्रदेश |
जिला | ग्वालियर |
संस्थापक | राजा सुरजसेन |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ६०४ किमी२ (२३३ वर्गमाइल) |
• क्रम | ३५अम |
उन्नतांश | १९६ मिटर (६४३ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११) | १९,५३,५०५ |
• घनत्व | ५४७८/वर्ग किमी (१४१९०/वर्ग माइल) |
• जनसङ्ख्या क्रम | ३१अम |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | हिन्दी, मराठी आ अङ्ग्रेजी |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
डा कोड | ४७४००१ देखि ४७४०५५ (HPO) |
टेलिफोन कोड | ०७५१ |
सवारी दर्ता | MP-07 |
लिङ्ग अनुपात | .९४८ ♂/♀ ० |
साक्षरता | ८७.२०%[१] |
औसत ग्रीष्म तापक्रम | ३३.५ °से (९२.३ °फे) |
औसत चिसो तापक्रम | १६.६ °से (६१.९ °फे)[२] |
वेबसाइट | आधिकारिक वेबसाइट |
ग्वालियर ( उच्चारण (सहायता जानकारी)) भारतक राज्य मध्य प्रदेशक ऐतिहासिक आ प्रमुख शहर छी । भौगोलिक दृष्टिसँ ग्वालियर मध्य प्रदेश राज्यक उत्तरमे अवस्थित अछि । ई शहर भारतक राजधानी शहर नयाँ दिल्लीक ३१९ किलोमिटर (१९८ माइल) दक्षिणमे रहल अछि । ई शहर आ एकर किला उत्तर भारतक प्राचीन शहरसभक केन्द्र रहल अछि। ई शहर गुर्जर प्रतिहार, तोमर तथा कछवाहा राजवंशक राजधानी रहल छल ।[३] ई शहरमे ओसभद्वारा बनाएल प्राचीन चिन्ह स्मारकसभ, किलासभ आ महलसभ आइयो देखल जा सकैत अछि । सङ्ग्रह करि राखल भव्य स्मृति चिन्ह ई शहरके पर्यटनक दृष्टिसँ आर महत्वपूर्ण बनाबैत अछि । "ग्वालियर शहर" एकर नामक पछाडी सेहो एकटा इतिहास नुकाएल अछि; आठम् शताब्दीमे एतयक एक राजा सूरजसेन छल, जे एक अज्ञात बिमारीसँ ग्रस्त भेला आ मृत्युशैयामे पहुँच गेला, ओहि समय ग्वालिपा नामक सन्त हुनका निक बनाए जीवनदान देनए छल । ओहि समय हुनकर सम्मानमे ई शहरक जग बसाएल गेल आ ई शहरक नाम ग्वालियर राखल गेल ।
एकरबाद एतय आबैवला शताब्दीमे ई शहर बड़का-बड़का राजवंशसभक राजस्थल बनल । हरेक शताब्दीमे ई शहरक इतिहासमे नव आयाम जोडल चलि गेल । महान योद्धासभ, राजासभ, कविसभ, सङ्गीतकारसभ तथा सन्तसभ ई राजधानी शहरके देशव्यापी रूपमे चिन्हाबैमे अपन-अपन योगदान देलक । आई ग्वालियर भारतक एक आधुनिक शहर छी आ एकटा प्रसिद्ध उद्योगिक केन्द्र छी ।[४]
भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीक भारतमे १०० स्मार्ट सिटी बनाबैक निर्णय अन्तर्गत ई शहरके सेहो चुनल गेल अछि । [५]
इतिहास
[सम्पादन करी]जनसङ्ख्या
[सम्पादन करी]सन् २०११ क भारतक जनगणना अनुसार ग्वालियरक कूल जनसङ्ख्या २०,३०,५४३ अछि, जाहिमे पुरुष १०,९०,६४७ आ महिला ९,३९,८९६ अछि । एतयक साक्षरता ५७.४७% (पुरुष ७०.८१%, महिला ४१.७२%) रहल अछि ।
पर्यटन स्थल
[सम्पादन करी]ग्वालियर किला
[सम्पादन करी]
बलुवा पत्थरसँ बनल ई किला शहरक हरेक दिशासँ देखल जा सकैत अछि आ ई शहरक प्रमुख स्मारक छी । एकटा उँच पठारमे बनल ई किलाधरि पहुँचक लेल एकटा उँच पतला मार्गसँ भ जाइ पडैत अछि । ई मार्गक अगलबगल पैग चट्टानसभ उपर जैन तीर्थक विशाल मूर्तिसभ बहुतेक सुन्दर ढङ्गसँ बनाएल गेल अछि । ई किला भितर मध्यकालीन स्थापनाक अद्भुत नमूनासभ रहल अछि । पन्द्र्हम शताब्दीमे निर्मित गुजरी महल ओही मे सँ एक छी जे राजा मानसिंह आ गुजरी रानी मृगनयनीक गहन प्रेमक प्रतीक छी ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Literacy rate", census2011.co.in, १६ जून २००४, अन्तिम पहुँच २९ अप्रैल २०१२।
- ↑ "Climate: Gwalior", अन्तिम पहुँच १२ दिसम्बर २०१५।
- ↑ Lonely Planet, "History of Gwalior - Lonely Planet Travel Information", मूलसँ ६ जुलाई २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Gwalior's air among dirtiest in the world", Indian Express, अन्तिम पहुँच १३ मई २०१६।
- ↑ http://www.firstpost.com/business/why-only-98-cities-instead-of-100-announced-all-questions-answered-about-smart-cities-project-2410576.html
बाह्य लिङ्कसभ
[सम्पादन करी]![]() |
विकिमिडिया कमन्समे ग्वालियरसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- ग्वालियर आधिकारिक वेबसाइट सङ्ग्रहित २०११-०९-२८ वेब्याक मेसिन
- ग्वालियर नगर निगम सङ्ग्रहित २०१९-०८-११ वेब्याक मेसिन