औरङ्गाबाद, महाराष्ट्र

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
छत्रपती संभाजीनगर
छत्रपती संभाजीनगर
Chhatrapati Sambhajinagar, Maharashtra
महानगरीय क्षेत्र
क्रांती चौक [छत्रपती संभाजीनगर]]
क्रांती चौक [छत्रपती संभाजीनगर]]
छत्रपती संभाजीनगर महाराष्ट्रपर अवस्थित
छत्रपती संभाजीनगर
छत्रपती संभाजीनगर
निर्देशाङ्क: १९°५३′N ७५°१९′E / १९.८८°N ७५.३२°E / 19.88; 75.32निर्देशाङ्क: १९°५३′N ७५°१९′E / १९.८८°N ७५.३२°E / 19.88; 75.32
देशभारत
राज्यमहाराष्ट्र
क्षेत्रमराठवाडा
जिलाछत्रपती संभाजीनगर
क्षेत्रफल
 • महानगरीय क्षेत्र३०० किमी (१०० वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या (२०११)
 • महानगरीय क्षेत्र११,७१,३३०
 • क्रम३१
 • घनत्व३९००/किमी (१००००/वर्ग माइल)
 • शहरी१७,१०,२८५+
 • मेट्रो११,८९,३७६
भाषासभ
 • आधिकारिकमराठी, हिन्दी, उर्दु
समय क्षेत्रभारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०)
डाक कोड४३१ XXX
टेलिफोन कोड०२४०
गाडी दर्ताMH 20


छत्रपती संभाजीनगर भारतक महाराष्ट्र राज्यक एक महानगर छी । अजन्ता गुफाएलोरा गुफा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूचीवद्ध भेला कारणसँ ई एक महत्वपूर्ण पर्यटक केन्द्र छी । छत्रपती संभाजीनगर शहर एक प्रमुख उद्योगिक शहर तथा शिक्षाक केन्द्र छी । ई एक जिला तथा क्षेत्रीय मुख्यालय सेहो छी । छत्रपती संभाजीनगर विश्‍वमे बौद्ध गुफा अजन्‍ता आ एलोरा गुफाक कारण प्रसिद्ध अछि । ई गुफासभक निर्माण २०० ईसा पूर्व सँ ६५० ईसा पूर्वमे भेल छल ।

मध्‍यकलमे छत्रपती संभाजीनगर भारतमे अपन महत्‍वपूर्ण स्‍थान राखैत अछि । औरङ्गजेब अपन जीवनको उत्तरार्द्ध एतय व्‍य‍तीत केनए छल आ औरङ्गजेबक मृत्‍यु सेहो याह स्थानमे भेल छल । औरङ्गजेबक पत्‍नी रबिया दुरानीक मकबरा एतय अवस्थित अछि । ई मकबराक निर्माण ताजमहलक प्रेरणासँ लेल गेल अछि । ताहिकारण एकरा पश्चिमक ताजमहल सहो कहल जाइत अछि ।

पर्यटन स्थल[सम्पादन करी]

बी‍बीक मकबरा[सम्पादन करी]

ई सुन्दर इमारतके स्‍थानीय लोक ताजमहलक जुड़वा रुप मानैत अछि। मुदा बाहरक लोकसभ एकरा ताजमहलक गलत नक्कल मानैत अछि । एकरा औरङ्गजेबक बेटा आजमशाह अपन माता रबिया दुर्रानीक यादमे बनेनाए छल । ई इमारत अखनो पूर्णत: सुरक्षित अवस्‍थामे अछि । याह शहरमे दोसर भवन अछि जकरा सुनहरी महल कहल जाइत अछि ।

पनचक्‍की[सम्पादन करी]

ई पनचक्‍कीक निर्माण राजा मलिक अम्बरद्वारा कराएल गेल अछि । ई पनचक्‍कीमे पानि ६ किलोमिटरक दूरीसँ माटिक पाइपसँ आबैत छल । एकर च्याम्बरमे लोहाक पङ्खा घुमैत छल जाहिसँ ऊर्जा उत्‍पन्‍न होइत छल । ई ऊर्जाक उपयोग आटाक मिलके चलानमे कएल जाइत छल । ई मिलमे तीर्थयात्रीसभक लेल अनाज पिसल जाइत छल । याह स्‍थानमे कुम नदीक बामा तटमे बाबा शाह मुसाफिरक मजार अछि । औरङ्गजेब बाबा शाहको बहुत आदर करैत छल । ई मकबरा लाल रङ्गक साधारण पत्‍थरसँ बनाएल गेल छल । ई मकबरा सन्तक सादगीक प्रतीक छी ।

ध्‍वंस अवशेष[सम्पादन करी]

औरङ्गाबाद शहरमे बहुतेक दरवाजासभ कऽ अवशेष अखनो बाँकी अछि । ई ध्‍वंस अवशेषसभमे दिल्‍ली, जालान, पैठान तथा मक्‍क रा॓शन दरवाजा शामिल अछि । ई वाहेक बहुते भवनसभक अवशेष सहो अछि । नकोन्डा दरबार, किला अर्क तथा दामरी महल आदिक अवशेष एतय अछि ।

पूजास्‍थल[सम्पादन करी]

पुरानो शहरमे फैलल ई मस्जिद आ दरगाह लगातार उपयोगमे आबैक करण बढिया अवस्‍थ‍ामे अछि । ई भवनसभमे जामा मस्जिद प्रमुख अछि जे निजाम आ मुगल दुनूक शासन कालमे अपन महत्‍व राखैत छल । जामा मस्जिद वाहेक शाह गञ्ज मस्जिद, चौकीक मस्जिद (ई मस्जिदक निर्माण औरङ्गजेबक काकाद्वारा कराएल गेल छल) आदि इमारतसभ सहो देख योग्‍य अछि । शहरक उत्तरमे पीर इस्‍लामक दरगाह अछि । ई दरगाहमे औरङ्गजेबक शिक्षकक समाधि अछि ।

बानी बेगम बाग[सम्पादन करी]

ई सुन्दर बाग औरङ्गाबादसँ २४ किलोमिटर दूर अवस्थित अछि । ई बागमे बनल बेगमक समाधि बनल अछि । बानी बेगम औरङ्गजेबक पत्‍नी छल । ई मकबरमे भव्‍य गुम्बद अछि । ई मकबरा डेक्‍कन प्रभावित मुगल वास्‍तुशैलीक सुन्दर नमूना छी ।

औरङ्गाबादक गुफासभ[सम्पादन करी]

ई गुफासभ शहरसँ किछ किलोमिटर दूर उत्तरमे अवस्थित अछि । ई गुफासभमे बौद्ध धर्म सम्बन्धित चित्रकरी कएल गेल अछि । एतय कुल दस गुफासभ अछि जे कि पूर्व आ पश्‍िचमी भागमे बटल अछि । ई गुफासभमे चौथी गुफा सबसँ पुरान छी । ई गुफाक बनावट हिनयान सम्‍प्रदायसँ सम्बन्धित वास्‍तुशैलीमे कएल गेल अछि । ई गुफासभमे जातिक कथासभ सम्बन्धित चित्रकरी कएल गेल अछि । गुफामे बुद्धके एक जैन तीर्थङ्करक रुपमे दर्शाएल गेल अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी[सम्पादन करी]