सामग्री पर जाएँ

कोच्चि

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कोच्चि
Kochhi
കൊച്ചി
कोचीन
मरिन ड्राइभ, कोच्चिक रात्रि दृश्य
मरिन ड्राइभ, कोच्चिक रात्रि दृश्य
उपनाम: 
अरब सागरक रानी[][]
राष्ट्रभारत
राज्यकेरल
जिलाएर्नाकुलम
सरकार
 • अङ्गकोच्चि नगर निगम
 • महापौरटोनी चैमनी (भा.रा.काङ्ग्रेस)
 • पुलिस आयुक्तएमआर अजीत कुमार, आइपिएस
क्षेत्रफल
 • महानगर९४.८८ किमी (३६.६३ वर्गमाइल)
 • महानगर
७३२ किमी (२८२.८४ वर्गमाइल)
उन्नतांश
० मिटर (० फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०१२)[]
 • महानगर६,१२,३४३
 • घनत्व६३४०/वर्ग किमी (१६४००/वर्ग माइल)
 • महानगर२१,१७,९९०
भाषासभ
 • आधिकारिकमलयालम, अङ्ग्रेजी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (IST)
पिन कोड
६८२ XXX
टेलिफोन कोड९१-(०)४८४-XXX XXXX
सवारी दर्ताKL-7,KL-39,KL-41,KL-42,KL-43,KL-63
वेबसाइटcorporationofcochin.net

कोच्चि ([koˈtʃːi ]), जकरा कोचीन सेहो कहल जाइत छल, लक्षद्वीप सागरक दक्षिण-पश्चिम तटरेखामे स्थित एक बड़का बन्दरगाह शहर छी, जे भारतीय राज्य केरलक एर्नाकुलम जिलाक एक भाग छी । कोच्चिके बहुतेक समयसँ प्रायः एर्नाकुलम सेहो कहल जाइत छल, जकर अर्थ नगरक मुख्यभूमि भाग होइत अछि । कोच्चि नगर निगमक अधीनस्थ (जनसङ्ख्या ६,०१,५७४) ई राज्यक दोसर सर्वाधिक जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ई कोच्चि महानगरीय क्षेत्रक विस्तार सहित (जनसङ्ख्या २१ लाख) केरल राज्यक सबसँ पैग शहरी आबादी क्षेत्र छी । कोच्चि नगर ग्रेटर कोच्चि क्षेत्रक एगो भाग छी,[][] आ एकरा भारत सरकारद्वारा द्वितीय दर्जाक शहर वर्गीकृत कएल गेल अछि । नगरक रेख-देख तथा अनुरक्षण दायित्त्व सन् १९६७ मे स्थापित भेल कोच्चि नगर निगम करैत अछि । एहि वाहेक पुरा क्षेत्रक पूर्ण विकासक भार ग्रेटर कोचीन विकास प्राधिकरण[] (GCDA) आ गोश्री आइल्यान्ड विकास प्राधिकरण (GIDA) क अछि ।

कोच्चि १४अम शताब्दीसँ भारतक पश्चिमी तटरेखाक मसालाक व्यापार केन्द्र रहल अछि आ एकरा अरब सागरक रानी क नामसँ जानल जाइत अछि । सन् १५०३ मे एतय पोर्चुगेलीसभक आधिपत्य भेल आ ई उपनिवेश भारतक प्रथम युरोपेली कोलनी बनल आ सन् १५३० मे गोवाक चुनाव भेलाबाद धरि ई पोर्चुगेली एतौका प्रधान शक्ति केन्द्र रहल । कालान्तरमे कोच्चि राज्यक रजवाड़ामे परिवर्तित भेलाक संगे ई डच आ ब्रिटिशक नियन्त्रणमे आएल । आई केरलमे कुल घरेलु तथा अन्तर्राष्ट्रिय पर्यटकसभक आगमन सङ्ख्यामे प्रथम स्थान बनेनाए अछि । [][१०] नीलसन कम्पनीक आउटलुक ट्रयाभलर पत्रिकद्वारा कएल एक सर्वेक्षण अनुसार कोच्चि वर्तमानमे भारतक सर्वश्रेष्ठ पर्यटक आकर्षणसभमे सँ छठम् स्थानमे रहल अछि ।[११][१२]

मुख्य आकर्षण

[सम्पादन करी]

ई महल मूल रूपसँ पोर्चुगेली लोकसभद्वारा बनाएल गेल अछि आ कोचीनक राजा वीर केरला वर्माके उपहार स्वरूप ई प्रदान कएल गेल छल । बादमे डचसभ एहि उपर अपन अधिकार जमेलक । ओसभ सन् १६६३ मे किलाक मरम्मत करौलक आ किलाके नव रूप देलक । ई किलामे कोचीनक बहुतेक रास राजासभक राज्याभिषेक भेल अछि । ई किलामे रामायण आ महाभारत जका महाकाव्यसभसँ सम्बन्धित पेन्टिङ्ग्‍स बनाएल गेल अछि ।

बोलघाट्टी महल

[सम्पादन करी]

ई महलके देखैक लेल बहुतेक सङ्ख्यामे पर्यटक एतय आबैत अछि । डच लोकसभद्वारा बनाएल ई महल बोलघट्टी द्वीपमे स्थित अछि। ई महलके आब एक आलिसान होटलमे रुपान्तरित कएल गेल अछि । बोलघट्टीमे एक गोल्फ कोर्स सेहो अछि । एतय लोकसभ पिकनिक मानबैक लेल आबैत अछि ।

हिल महल

[सम्पादन करी]

१९अम शताब्दीमे कोच्चिक राजाद्वारा ई महल बनाएल गेल छल । आब एकरा केरला पुरातत्व विभागक सङ्ग्रहालयमे परिवर्तित कएल गेल अछि । सङ्ग्रहालयमे चित्रकारी, नक्काशी आ राजकीय वंशसँ सम्बन्धित वस्तुसभ राखल गेल अछि ।

बेशन बङ्गला

[सम्पादन करी]

मरीन ड्राइव

[सम्पादन करी]

चेराई बीच

[सम्पादन करी]

सेन्ट फ्रान्सिस चर्च (सन्त फ्रान्सिस गिरिजाघर)

[सम्पादन करी]

ऐतिहासिक सङ्ग्रहालय

[सम्पादन करी]

पल्लिपुरम किला

[सम्पादन करी]

परीक्षित थम्पुरान सङ्ग्रहालय

[सम्पादन करी]

काञ्जिरामट्टम मस्जिद

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. K. C. Sivaramakrishnan (2006). People's Participation in Urban Governance. Concept Publishing Company. प॰ 156. आइएसबिएन 81-8069-326-0. http://books.google.co.in/books?id=TJ9dMtfjMToC&pg=PA156. 
  2. Ganesh Kumar. Modern General Knowledge. Upkar Prakashan. प॰ 194. आइएसबिएन 81-7482-180-5. http://books.google.co.in/books?id=DbnFSqKSVb0C&pg=PA194. 
  3. "GCDA - Greater Cochin Development Authority", Gcdaonline.com, अन्तिम पहुँच १२ नवम्बर २०१२ 
  4. "Provisional Figures, Kerala", Office of The Registrar General & Census Commissioner, अन्तिम पहुँच ७ अप्रैल २०११ 
  5. "Provisional Population Totals, Census of India 2011", Census of India, अन्तिम पहुँच ११ मार्च २०११ 
  6. "PowerPoint Presentation" (PDF), मूलसँ २३ मार्च २०१२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १२ नवम्बर २०१२  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  7. "Steps to control pollution in Greater Kochi area mooted", The Hindu, २० सितम्बर २०१०। 
  8. "GCDA - Greater Cochin Development Authority", अन्तिम पहुँच ५ अप्रैल २०१५ 
  9. "Archive copy", मूलसँ २०१७-०७-११ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-११-१६ 
  10. "Tourist statistics – 2008", Government of Kerala, Tourism Department, मूलसँ २ जून २०१० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २२ अक्टुबर २०१० 
  11. [१] Kerala best Destination
  12. "Urban world: Mapping the economic power of cities 2011", McKinsey Global Institute, अन्तिम पहुँच ३ फरबरी २०१३ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]