सामग्री पर जाएँ

तिरुचिरापल्ली

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
तिरुचिरापल्ली
திருச்சிராப்பள்ளி
त्रिची
Tiruchirappalli
शहरक धरोहरसभ
शहरक धरोहरसभ
उपनाम: 
रकफोर्ट सिटी
देशभारत भारत
राज्यतमिलनाडु
क्षेत्रचोला नाडु
जिलातिरुचिरापल्ली
क्षेत्रकेन्द्रीय
सरकार
 • प्रकारमेयर परिषद
 • अङ्गतिरुचिरपल्ली नगर निगम परिषद
 • मेयरए जया
क्षेत्रफल
 • शहर१६७.२३ किमी (६४.५७ वर्गमाइल)
 • महानगर
१९८.५५ किमी (७६.६६ वर्गमाइल)
 • क्रम४अम
उन्नतांश
८८ मिटर (२८९ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • शहर९,१६,८५७
 • क्रम४अम
 • घनत्व५५००/वर्ग किमी (१४०००/वर्ग माइल)
 • महानगर१०,२२,५१८
वासिन्दातिरुचाइट
भाषासभ
 • आधिकारिकतमिलअङ्ग्रेजी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मेनक समय)
हुलाक कोड
६२० ०xx
टेलिफोन कोड०४३१
सवारी दर्ताTN-45, TN-48, TN-81
वेबसाइटत्रिची शहर नगर निगम

तिरुचिरापल्ली (tiruchirāppaḷḷi)[] (About this sound उच्चारण ) तिरुची वा त्रिचीक नामसँ प्रसिद्ध, भारतक दक्षिणी राज्य तमिलनाडुक शहर आ तिरुचिरापल्ली जिलाक मुख्यालय छी । ई तमिलनाडु राज्यक चारिम पैग नगर निगम आ चारिम बेसी जनसङ्ख्या भेल नगर छी । ई चेन्नईसँ ३२२ किलोमिटर (२०० माइल) दक्षिणमे आ कन्याकुमारीसँ ३७९ किलोमिटर (२३५ माइल) उत्तरमे अवस्थित अछि । ई तमिलनाडु राज्यक मध्यमे अवस्थित रहल अछि । ई शहर कावेरी नदीक तटमे बैसाएल गेल अछि । ई स्थान विशेष रूपसँ विभिन्न मन्दिरसभ जना श्री रङ्गानाथस्वामी मन्दिर, श्री जम्बुकेश्‍वरा मन्दिर आ वरैयुर आदिक लेल प्रसिद्ध अछि । शहरक मध्य भाग अर्थात १६ किलोमिटर (९.९ माइल) पश्चिमसँ कावेरी नदी बहैत अछि । सन् २०११ क भारतक जनगणना अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ९,१६,८५७ रहल अछि ।[]

वर्तमान समयमे तिरूचिरापल्लीक एक महत्‍वपूर्ण भाग वरैयुर छी, इशापूर्व ३००० मे ई चोल साम्राज्‍यक राजधानी छल । तिरूचिरापल्लीमे किछ समय मुगल शासकसभ सेहो राज्य केलक । एकर पश्चात् एतय विजयनगरक शासकसभ कब्जा केलक ।

पर्यटन स्थल

[सम्पादन करी]
पहाड़पर बनल रकफोर्ट

श्री रङ्गानाथस्वामी मन्दिर

[सम्पादन करी]

ई मन्दिर कावेरी नदीक मध्य स्थित श्री रङ्गम द्वीपमे अवस्थित अछि । ई मन्दिरक निर्मेण चेर, पाण्डेय, चोल, होयसल आ विजयनगरक शासकसभद्वारा कराएल गेल अछि । ई मन्दिरक निर्माण १३अम आ १८अम शताब्दीमे कराएल गेल छल ।

श्री जम्बुकेश्‍वरा मन्दिर

[सम्पादन करी]

ई मन्दिर श्री रङ्गानाथस्वामी मन्दिरक पूर्वमे २.५ किलोमिटरक दूरीमे अवस्थित अछि । ई मन्दिरक वास्तुकला बहुतेक सुन्दर अछि । ई मन्दिरक मध्य प्राङ्गण भव्य आ विशाल अछि । ई मन्दिर सन् १६०० मे निर्माण कएल गेल अछि ।

तिरूवनैक्कवल

[सम्पादन करी]

ई भगवान शिवक मन्दिर छी । ई मन्दिर श्रीरङ्गमक पूर्व सँ ६ किलोमिटरक दूरीमे अछि ।

ई स्थान ऐतिहासिक दृष्टिसँ बहुतेक महत्वपूर्ण अछि । ई चोल वंशक राजधानी छल । त्रिची हाथसँ बनल सिगार आ साडीसभक लेल प्रसिद्ध अछि । वरैयुरक हातसँ बनल सिगार पुरै विश्‍वमे प्रसिद्ध अछि ।

विनायक मन्दिर

[सम्पादन करी]

ई मन्दिर कावेरी नदीक किनारमे अवस्थित अछि । ई स्थान समुद्र सतहसँ २७२ फिटक उचाईमे अवस्थित अछि । ई मन्दिरमे ४३७ सिढीसभ रहल अछि । ई मन्दिर भगवान विनायक (पौराणिक कथाक अनुसार आधा पुरूष, आधा पक्षी गरूड, जे भगवान विष्णुक वाहन छी, एकर सङ्केत प्रसिद्ध महाकाव्यमे सेहो उल्लेखित अछि)के समर्पित अछि । ई मन्दिरक मार्गमे अन्य मन्दिरसभ स्थापित अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Primary Census Abstract - Urban Aglomeration" (XLS), Registrar General and Census Commissioner of India, अन्तिम पहुँच १३ अक्टुबर २०१५ 
  2. "Welcome to Tiruchirappalli ... The RockFort City!", Tiruchirappalli City Municipal Corporation, मूलसँ १८ दिसम्बर २०१२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १० अगस्त २०१३  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. "Search PCA Data by District/SubDistrict/Town/Village Name: Tiruchirappalli (M Corp.)", Registrar General and Census Commissioner of India, अन्तिम पहुँच २५ जनवरी २०१४ 

बाह्य लिङ्कसभ

[सम्पादन करी]

तिरुचिरपल्लीक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

चित्र आ मिडीया कमन्ससँ

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]