सामग्री पर जाएँ

मेरठ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मेरठ
میرٹھ
Meerut
देश भारत
राज्यउत्तर प्रदेश
जिलामेरठ
क्षेत्रफल
  शहर१४१.८९ किमी (५४.७८ वर्गमाइल)
उन्नतांश
२२४.६५९ मिटर (७३७.०७० फिट)
जनसङ्ख्या
 (2011)
  शहर१३,०९,०२३
  क्रम26
  घनत्व९२००/वर्ग किमी (२४०००/वर्ग माइल)
  महानगर
१४,२४,९०८
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
हुलाक कोड
२५० ०xx
टेलिफोन कोड९१- १२१- XXXX XXXX
सवारी दर्ताUP-15
वेबसाइटmeerut.nic.in

मेरठ भारतक उत्तर प्रदेश राज्यक एक शहर छी । एतय नगर निगम कार्यरत अछि । ई प्राचीन नगर भारतक राजधानी दिल्लीसँ ७२ किमी. (४४ माइल) उत्तर पूर्वमे स्थित अछि । मेरठ, राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र (एनसिआर) कऽ एक भाग छी । एतय भारतीय सेनाक एक छावनी सेहो अछि । ई उत्तर प्रदेशक सबसँ तीव्र गतिमे विकसित आ शिक्षित होमएवला जिलासभमे सँ एक छी ।

मेरठक भौगोलिक स्थिति 28.98° N 77.7° E[] अछि | एहि ठामक औसत उचाई २१९ मीटर (७१८ फीट) अछि ।

निकटवर्ती शहर :

मेरठ एक महत्वपूर्ण मास मिडिया केन्द्र बनि रहल अछि । देशक विभिन्न क्षेत्रसभसँ पत्रकार तथा अन्य मिडियाकर्मी एतय कार्यरत अछि । वर्तमानमे, बहुतेक समाचार च्यानलसभ अपराधमे केन्द्रित कार्यक्रम देखाबैलेल आरम्भ केनए अछि । कियाकी मिडिया केन्द्र मेरठमे स्थित अछि, तब शहरके राष्ट्रिय स्तरमे बढिया प्रचार मिल रहल अछि । किछ वर्ष पहिने सँ नगरमे कानून व्यवस्थाक स्थितिमे बहुतेक सुधार आएल अछि । एहिमे मिडियाक बहुत पैग हात अछि ।

मेरठ वेब मिडियाक सेहो मुख्य केन्द्र बनैत जा रहल अछि । मेरठमे एक्सएन भ्यु न्युज आ अन्य बहुत रास मिडिया च्यानलसभ अछि ।

नगरमे कुल चार विश्वविद्यालय अछि, चौधरी चरण सिंह विश्वविद्यालय, सरदार वल्लभ भाई पटेल कृषि आ प्राविधिक विश्वविद्यालय, शोभित विश्वविद्यालयस्वामी विवेकानन्द सुभारती विश्वविद्यालय । ई वाहेक नगरमे बहुतेक अन्य महाविद्यालय आ विद्यालय अछि ।

नौचन्दी मेला

[सम्पादन करी]

एहि ठामक ऐतिहासिक नौचन्दी मेला हिन्दू – मुस्लिम एकताक प्रतीक छी । हजरत बाला मियाँक दरगाह आ नवचण्डी देवी (नौचन्दी देवी) क मन्दिर एक दोसरसँ निकटमे स्थित अछि । मेलाक समय मन्दिरक घण्टीसभ अजानक आवाज एक साम्प्रदायिक आध्यात्मक प्रतिध्वनि दैत अछि । ई मेला चैत्र मासक नवरात्रि पर्वसँ एक हप्ता पहिलेसँ लागैत अछि । होलीक लगभग एक सप्ताह बाद आ एक माहिनाधरि ई मेला चलैत अछि ।

पर्यटन स्थल

[सम्पादन करी]
  • पाण्डव किला
  • शहीद स्मारक
  • शाहपीर मकबरा
  • हस्तिनापुर तीर्थ
  • जैन श्वेताम्बर मन्दिर
  • रोमन कैथोलिक चर्च
  • सेन्ट जोन चर्च
  • नङ्गली तीर्थ
  • सुरज कुण्ड
  • जामा मस्जिद
  • द्रोपदीक भन्सा
  • हस्तिनापुर अभयारण्य
वायु मार्ग

पन्तनगर विमानस्थलइन्दिरा गान्धी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल मेरठक निकटतम विमानस्थल छी । पन्तनगरक विमानस्थल मेरठसँ ६२ किमी. क दूरीमे स्थित अछि ।

रेल मार्ग

मेरठ जङ्क्सन देशक प्रमुख शहरसभसँ अनेक ट्रेनसभक माध्यमसँ जुडल अछि । दिल्ली, जम्मू, अम्बाला, सहारनपुर आदि स्थानसभ मेरठसँ जल्दीए पहुँचल जा सकैत अछि ।

सडक मार्ग

मेरठ उत्तर प्रदेश आ आसपासक राज्यसभक अनेक शहरसभसँ सडक मार्गद्वारा जुडल अछि । राज्य परिवहन निगमक बससभ अनेक शहरसभसँ मेरठक लेल नियमित रूपसँ चलैत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]