मेरठ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मेरठ
میرٹھ
Meerut
देश भारत
राज्यउत्तर प्रदेश
जिलामेरठ
क्षेत्रफल
 • शहर१४१.८९ किमी (५४.७८ वर्गमाइल)
उन्नतांश
२२४.६५९ मिटर (७३७.०७० फिट)
जनसङ्ख्या
 (2011)
 • शहर१३,०९,०२३
 • क्रम26
 • घनत्व९२००/वर्ग किमी (२४०००/वर्ग माइल)
 • महानगर
१४,२४,९०८
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
हुलाक कोड
२५० ०xx
टेलिफोन कोड९१- १२१- XXXX XXXX
सवारी दर्ताUP-15
वेबसाइटmeerut.nic.in

मेरठ भारतक उत्तर प्रदेश राज्यक एक शहर छी । एतय नगर निगम कार्यरत अछि । ई प्राचीन नगर भारतक राजधानी दिल्लीसँ ७२ किमी. (४४ माइल) उत्तर पूर्वमे स्थित अछि । मेरठ, राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र (एनसिआर) कऽ एक भाग छी । एतय भारतीय सेनाक एक छावनी सेहो अछि । ई उत्तर प्रदेशक सबसँ तीव्र गतिमे विकसित आ शिक्षित होमएवला जिलासभमे सँ एक छी ।

भूगोल[सम्पादन करी]

मेरठक भौगोलिक स्थिति 28.98° N 77.7° E[१] अछि | एहि ठामक औसत उचाई २१९ मीटर (७१८ फीट) अछि ।

निकटवर्ती शहर :

मिडिया[सम्पादन करी]

मेरठ एक महत्वपूर्ण मास मिडिया केन्द्र बनि रहल अछि । देशक विभिन्न क्षेत्रसभसँ पत्रकार तथा अन्य मिडियाकर्मी एतय कार्यरत अछि । वर्तमानमे, बहुतेक समाचार च्यानलसभ अपराधमे केन्द्रित कार्यक्रम देखाबैलेल आरम्भ केनए अछि । कियाकी मिडिया केन्द्र मेरठमे स्थित अछि, तब शहरके राष्ट्रिय स्तरमे बढिया प्रचार मिल रहल अछि । किछ वर्ष पहिने सँ नगरमे कानून व्यवस्थाक स्थितिमे बहुतेक सुधार आएल अछि । एहिमे मिडियाक बहुत पैग हात अछि ।

मेरठ वेब मिडियाक सेहो मुख्य केन्द्र बनैत जा रहल अछि । मेरठमे एक्सएन भ्यु न्युज आ अन्य बहुत रास मिडिया च्यानलसभ अछि ।

शिक्षा[सम्पादन करी]

नगरमे कुल चार विश्वविद्यालय अछि, चौधरी चरण सिंह विश्वविद्यालय, सरदार वल्लभ भाई पटेल कृषि आ प्राविधिक विश्वविद्यालय, शोभित विश्वविद्यालयस्वामी विवेकानन्द सुभारती विश्वविद्यालय । ई वाहेक नगरमे बहुतेक अन्य महाविद्यालय आ विद्यालय अछि ।

नौचन्दी मेला[सम्पादन करी]

एहि ठामक ऐतिहासिक नौचन्दी मेला हिन्दू – मुस्लिम एकताक प्रतीक छी । हजरत बाला मियाँक दरगाह आ नवचण्डी देवी (नौचन्दी देवी) क मन्दिर एक दोसरसँ निकटमे स्थित अछि । मेलाक समय मन्दिरक घण्टीसभ अजानक आवाज एक साम्प्रदायिक आध्यात्मक प्रतिध्वनि दैत अछि । ई मेला चैत्र मासक नवरात्रि पर्वसँ एक हप्ता पहिलेसँ लागैत अछि । होलीक लगभग एक सप्ताह बाद आ एक माहिनाधरि ई मेला चलैत अछि ।

पर्यटन स्थल[सम्पादन करी]

  • पाण्डव किला
  • शहीद स्मारक
  • शाहपीर मकबरा
  • हस्तिनापुर तीर्थ
  • जैन श्वेताम्बर मन्दिर
  • रोमन कैथोलिक चर्च
  • सेन्ट जोन चर्च
  • नङ्गली तीर्थ
  • सुरज कुण्ड
  • जामा मस्जिद
  • द्रोपदीक भन्सा
  • हस्तिनापुर अभयारण्य

आवागमन[सम्पादन करी]

वायु मार्ग

पन्तनगर विमानस्थलइन्दिरा गान्धी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल मेरठक निकटतम विमानस्थल छी । पन्तनगरक विमानस्थल मेरठसँ ६२ किमी. क दूरीमे स्थित अछि ।

रेल मार्ग

मेरठ जङ्क्सन देशक प्रमुख शहरसभसँ अनेक ट्रेनसभक माध्यमसँ जुडल अछि । दिल्ली, जम्मू, अम्बाला, सहारनपुर आदि स्थानसभ मेरठसँ जल्दीए पहुँचल जा सकैत अछि ।

सडक मार्ग

मेरठ उत्तर प्रदेश आ आसपासक राज्यसभक अनेक शहरसभसँ सडक मार्गद्वारा जुडल अछि । राज्य परिवहन निगमक बससभ अनेक शहरसभसँ मेरठक लेल नियमित रूपसँ चलैत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]