मुहम्मद अलि जिन्ना

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बाबा-ए-कौम
क्वाइद-ए-आजम
मुहम्मद अलि जिन्ना
مُحَمَّدْ عَلِیّ جِنَاحْ
जीवन के अन्तिम समयमे जिन्ना के चेहराक एक नजारा
जिन्ना १९४५ मे
पाकिस्तानक पहिल गभर्नर-गेनेरल
कार्यकाल
१४ अगस्त १९४७ – ११ सितम्बर १९४८
शासकजार्ज छठम
प्रधानमन्त्रीलिआकुट अली खान
पूर्वाधिकारीपद स्थापित
उतराधिकारीख्वाजा नाजिमुद्दीन
पहिल संविधान सभाक अध्यक्ष
कार्यकाल
११ अगस्त १९४७ – ११ सितामर १९४८
Deputyमौलवी तमिजुद्दीन खान
पूर्वाधिकारीपद स्थापित
उतराधिकारीमौलवी तमिजुद्दीन खान
व्यैक्तिक विवरण
जन्म
मुहम्मद अलि जिन्ना भाई

(१८७६-१२-२५)२५ दिसम्बर १८७६
कराँची, बम्बई प्रेजिडेन्स, ब्रिटिश भारत
(वर्तमान सिन्ध, पाकिस्तान)
मृत्यु११ सितम्बर १९४८(१९४८-०९-११) (७१ वर्ष)
कराँची, संघीय राजधानी क्षेत्र, पाकिस्तान
समाधि स्थलमजार-ए-क्वैद, कराँची
राष्ट्रियताब्रिटिश राज (१८७६–१९४७)
पाकिस्तान (१९४७–१९४८)
राजनैतिक दलमुस्लिम लीग (१९४७–१९४८)
अन्य राजनैतिक
आवद्दता
भारतीय राष्ट्रिय कांग्रेस (१९०६–१९२०)
अखिल-भारतीय मुस्लिम लिग (१९१३–१९४७)
जीवनसाथीसभ
सम्बन्धSee जिन्ना परिवार
बाल बच्चादिना वदिना
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठानलिङ्कन्स इन्
व्यवसाय
हस्ताक्षर

मुहम्मद अलि जिन्ना (२५ दिसम्बर १८७६ – ११ सितम्बर १९४८) एकटा बेरिस्टर, राजनीतिज्ञ आ पाकिस्तानक संस्थापक छल । जिन्ना सन् १९१३ सँ १४ अगस्त १९४७ केरऽ बीचकें पाकिस्तान केरऽ स्थापना धरि अखिल भारतीय मुस्लिम लिग केरऽ नेताक रूपमे काज केलक, आ ओकर बाद अपनऽ निधन धरि पाकिस्तान केरऽ पहिलऽ गभर्नर जनरल केरऽ डोमिनियनक रूपमे काज केलक ।

कराँची केरऽ वजीर हवेलीमे जन्मलऽ जिन्ना, इङ्ग्ल्याण्ड केरऽ लण्डन स्थित लिंकन केरऽ ईनमे बेरिस्टरक रूपमे प्रशिक्षित केलक ।[१] भारत फिर्ता भऽ गेलाक पश्चात बम्बई हाईकोर्टमे नामाङ्कन लेलक, आ राष्ट्रिय राजनीतिमे रुचि लेलक, जे अन्ततः हुनकऽ कानूनी अभ्यासक जगह लेलक ।[२]२०म् शताब्दीक पहिल दूटा दशकमे जिन्ना भारतीय राष्ट्रिय कांग्रेसमे प्रमुखता प्राप्त केलन्हि। अपनऽ राजनीतिक करियर केरऽ ई शुरुआती सालसभमे जिन्ना हिन्दू-मुस्लिम एकताक वकालत केलक, जाहिसँ कांग्रेस आ अखिल भारतीय मुस्लिम लिगक बीच सन् १९१६ केरऽ लखनऊ प्याक्टकें आकार देबाकमे सहयोग मिलल, जाहिमे जिन्ना सेहो प्रमुख भऽ गेल छल ।[३][४]जिन्ना, अखिल भारतीय होम रूल लिग केरऽ एकटा प्रमुख नेता बनल, आ भारतीय उपमहाद्विप केरऽ मुसलमानसभकें राजनीतिक अधिकारक रक्षा लेल १४ सूत्रीय संवैधानिक सुधार योजनाक प्रस्ताव रखलक ।[५] मुदा सन् १९२० मे जिन्ना, कांग्रेससँ राजिनमा दऽ देलखिन जखन ओ कांग्रेस सत्याग्रहक अभियानकें पालन करबा लेल तैयार भऽ गेल, जेकरा ओ राजनीतिक अराजकता मानैत छल।[६]

सन् १९४० धरि जिन्ना केरऽ ई माननाए आबि गेलऽ छल जे उपमहाद्विप केरऽ मुसलमानसभकें अपनऽ राज्य होबाक चाहीऽ किएकि ओकरा स्वतन्त्र हिन्दू-मुस्लिम राज्यमे मिलबला सम्भावित हाशिया पर पडलऽ दर्जासँ बचलऽ जाऽ सके । ओहि साल जिन्नाक नेतृत्वमे मुस्लिम लिग लाहौर प्रस्ताव पारित केलक, जाहिमें भारतीय मुसलमानक लेल अलग राष्ट्रक माँग कएल गेल छल | दोसर विश्वयुद्धक समयमे कांग्रेस केरऽ नेता सिनीकें थुनुवा मे बन्द करबाक समयमे लिगकें बल मिलल आ युद्धक किछ समय पश्चात आयोजित प्रान्तीय चुनावमे मुसलमान लेल आरक्षित अधिकांश सीट पर हिनका जीत मिलल । अन्ततः कांग्रेस आ मुस्लिम लिग एहन सत्ता-बंटवाराक फार्मूला पर नै पहुँच सकलऽ छलै जाहिसँ स्वतन्त्रता पश्चात पूरा ब्रिटिश भारतकें एक राज्यक रूपमे एकजुट कएलऽ जाऽ सकेऽ, जाहि कारण सब दल एकरऽ बदलामे हिन्दू बहुल भारत केरऽ आजादी पर सहमत भऽ जाए, आ... मुस्लिम बाहुल्यताबला पाकिस्तानक लेल।[७][८][९][१०][११][१२][१३][१४][१५]


पाकिस्तान केरऽ पहिलऽ गभर्नर जनरलक रूपमे जिन्ना नवका राष्ट्र केरऽ सरकार आ नीतिक स्थापनाक काज केलक, आ दूटा राज्यकें स्वतन्त्रता पश्चात पडोसी देश भारतसँ पाकिस्तान प्रवास करिकें लाखों मुस्लिम प्रवासीक सहायता करिके काज केलक, जाहिमे व्यक्तिगत रूपसँ शरणार्थी शिविरक स्थापनाक देखरेख केलक । पाकिस्तानकें संयुक्त अधिराज्यसँ स्वन्त्रता मिललाऽकऽ एक सालसँ किछ अधिक समय पश्चात सन् १९४८ सितम्बरमे जिन्ना केरऽ ७१ सालक उमरमे निधन भऽ गेल । पाकिस्तानमे ओ गहिरगर आ सम्मानित विरासत छोडि गेलाह । दुनियाक असंख्य गली, सडक आ स्थानीयता ठामसभक नाम जिन्नाक नाम पर रखल गेल अछि | पाकिस्तानक अनेकौं विश्वविद्यालय आ सार्वजनिक भवन जिन्नाक नाम पर अछि। पाकिस्तानमे हिनका क्वाइद-ए-आजम ("महान नेता") आ बाबा-ए-कौम ("राष्ट्र केरऽ पिता") के रूपमे पूजलऽ जाए छैऽ । हिनकऽ जन्मदिन पाकिस्तानमे राष्ट्रिय छुट्टीकें रूपमे मनाओल जाएछै । हिनकऽ जीवनीकार स्टेनली वोल्पर्टक अनुसार जिन्ना पाकिस्तान केरऽ सभसँ पैघऽ नेता बनलऽ अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. सन्दर्भ त्रुटि: अमान्य <ref> टैग; Moini 20 December 2003 नामक संदर्भ की जानकारी नहीं है
  2. A. Guttman (15 October 2007). The Nation of India in Contemporary Indian Literature. Palgrave Macmillan US. pp. 34–. आइएसबिएन 978-0-230-60693-7. https://books.google.com/books?id=uxqHDAAAQBAJ&pg=PA34. 
  3. Walsh, Judith E. (2017). A Brief History of India. Infobase Publishing. प॰ 173. आइएसबिएन 978-1-4381-0825-4. https://books.google.com/books?id=iekF9X3OwwMC&pg=PA173. "son of a middle-class merchant of the Muslim Khoja community who had migrated to Sind from Gujarat" 
  4. Ahmed, Khaled (24 December 2010)। "Was Jinnah a Shia or a Sunni?"The Friday Timesमूलसँ 17 November 2011 कऽ सङ्ग्रहित।
  5. Ahmed, p. 4: "Although born into a Khoja (from khwaja or 'noble') family who were disciples of the Ismaili Aga Khan, Jinnah moved towards the Sunni sect early in life. There is evidence later, given by his relatives and associates in court, to establish that he was firmly a Sunni Muslim by the end of his life."
  6. Sharif, Azizullah. "Karachi: Restoration of Church Mission School ordered" (Archive). Dawn. 20 February 2010. Retrieved 26 May 2014. "Taking notice of the highly dilapidated and bad condition of the Church Mission School (CMS) where Quaid-i-Azam Mohammad Ali Jinnah had studied,[...]"
  7. सन्दर्भ त्रुटि: अमान्य <ref> टैग; Anjali Desai नामक संदर्भ की जानकारी नहीं है
  8. Ahmed, p. 3.
  9. Jinnah, Fatima, pp. 48–49.
  10. Swamy 1997.
  11. Ghosh 1999.
  12. Malik 2006.
  13. Puri, p. 34.
  14. Jaffrelot, Christophe, सं (2016). Pakistan at the crossroads : domestic dynamics and external pressures. New York. आइएसबिएन 978-0-231-54025-4. OCLC 949668196. https://www.worldcat.org/oclc/949668196. 
  15. "Pakistan - People | Britannica"www.britannica.com (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 7 March 2023