सामग्री पर जाएँ

मेहुली घोष

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मेहुली घोष
Mehuli Ghosh
सन् २०१८ ग्रीष्मकालीन युवा ओलम्पिकमे १० मिटर एयर राइफल सँ रजत पदक कऽ सङ्ग मेहुली घोष
व्यक्तिगत विवरण
राष्ट्रियता:भारतीय
नागरिकता:भारतीय
जन्म: (२०००-११-२०) २० नवम्बर २००० (उमर २४)
बसोबास:बैद्यबटी, हुगली
शिक्षा:टेक्नो इन्डिया ग्रुप पब्लिक स्कुल, चिन्सुराह, हुगली
पेशा:निशानेबाजी
सक्रिय बर्ष२०१४–
खेल
राष्ट्र: भारत
खेल:निशानेबाजी
विधा:हवाई बन्दुक
उपलब्धि आ उपाधिसभ
विश्व फाइनलमई सन् २०१७ मे चेक गणराज्य मे जुनियर शुटिङग प्रतियोगितामे ७म स्थान पर रहल। सन् २०१८ ISSF विश्व कपमे ओ २ कांस्य पदक जितने छल
राष्ट्रिय फाइनल२०१६-२ गोल्ड, ७ सिल्बर, २०१७– ८ गोल्ड, ३ ब्रोञ्ज

मेहुली घोष (जन्म २० नवम्बर सन् २०००) एक भारतीय निशानेबाज खेलाडी छी। ओ दुनिया भरिमे अन्तर्राष्ट्रिय जुनियर निशानेबाजी प्रतियोगितामे भारतक प्रतिनिधित्व करैत अछि।[] १२३ प्रतियोगिसभक बिच, ओ चेक गणराज्य मे आयोजित सन् २०१८ जुनियर निशानेबाजी प्रतियोगिताक फाइनलमे पहुचए वाली एकमात्र भारतीय महिला निशानेबाज छल। ओ ओत सातम स्थान पर प्राप्त केनए छल। सन् २०१८ मे, अस्ट्रेलियाक गोल्ड कोस्टमे आयोजित XXI राष्ट्रमण्डल खेलसभमे, ओ मार्टिना वेलोसोक सङ्ग शूट-अफ कऽ बाद महिला १० मीटर एयर राइफलमे रजत पदक जितने छल। इन्टरनेशनल शूटिङग स्पोर्ट फेडरेशन (ISSF) कऽ अनुसार, हुनकर एसियामे तेसर[] आ विश्वमे छठम रैकिङग अछि।[][]

कैरियरक शुरुवात

[सम्पादन करी]

मेहुली सन् २०१४ मे सेरामपुर राइफल क्लबमे सम्मलित भेल। अभ्यासक समय कोनो व्यक्तिक गलती सँ मारवाक लेल हुनका क्लबद्वारा प्रतिबन्धित करि देल गेल छल। बादमे, मेहुलीक पूर्व भारतीय ओलम्पिक फाइनलिस्ट आ अर्जुन अवार्डी, जयदीप करमारकरद्वारा सलाह आ प्रशिक्षण देल गेल छल।

ओ जयदीप करमारकर सुटिङ्ग एकेडमीमे प्रशिक्षण प्राप्त केनए छल। सन् २०१६ मे, हुनकर चयन पुणेमे आयोजित इन्डियन नेसनल सुटिङ्ग च्याम्पियनसिपक लेल कएल गेल छल। ओ राष्ट्रिय च्याम्पियनशिपमे दुटा स्वर्ण पदक आ सातटा रजत पदक प्राप्त केनए अछि। सन् २०१७ क नेशनल च्याम्पियनशिपमे, मेहुली आठ स्वर्ण आ तीन कांस्य पदक जितने छल, आ हुनका सर्वश्रेष्ठ निशानेबाजक पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल।[]

अन्तर्राष्ट्रिय कैरियर

[सम्पादन करी]

सन् २०१७ मे, ओ चेक गणतन्त्रमे आयोजित तैयारी जुनियर शुटिङग च्याम्पियनसिपमे भाग लेलक आ सातम् स्थान पर रहल। ओ जर्मनीमे आयोजित जुनियर वर्ल्ड शुटिङ्ग च्याम्पियनसिपमे १७म् स्थान पर रहल।[] मेहुली सन् २०१७ दिसम्बर महिनामे जापान कऽ वाको सिटीमे एसियाली च्याम्पियन बनि गेल, जहिमे हुनकर स्कोर ४२०.१ छल आ ओ युवा ओलम्पिक सन् २०१८ मे कोटा स्थान प्राप्त केनए छल। सन् २०१८ मार्च महिनामे, ओ मेक्सिकोमे आइएसएसएफ विश्वकपमे दुई टा विश्वकप पदक जीतऽ वाली भारत कऽ सभ सँ कम उमर कऽ प्रतियोगीमे सँ एक बनि गेल। ओ ओतय जीतवाक रास्तेमे एक जुनियर वर्ल्ड रेकर्ड बनेलक। मेहुली राष्ट्रमण्डल खेल, २०१८ कऽ लेल क्वालिफाइ केनए छल।[] सन् २०१८ मे, अस्ट्रेलियाक गोल्ड कोस्टमे आयोजित XXI राष्ट्रमण्डल खेलमे, ओ मार्टिना भेलोसो कऽ सङ्ग शुट-अफ कऽ बाद महिला १० मीटर एयर राइफलमे रजत जीतलक।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "2018 Commonwealth Games: Know your CWG athlete: Mehuli Ghosh", The Times of India, २९ मार्च २०१८, अन्तिम पहुँच ५ अप्रैल २०१८ 
  2. চৌধুরী, সুচরিতা সেন, "‘শুঁয়োপোকা থেকে মেহুলি এখন প্রজাপতি’", anandabazar.com (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २८ अगस्त २०१८ 
  3. "ISSF - International Shooting Sport Federation - issf-sports.org", www.issf-sports.org (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २८ अगस्त २०१८ 
  4. "ISSF - International Shooting Sport Federation - issf-sports.org", www.issf-sports.org (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २८ अगस्त २०१८ 
  5. "Mehuli Shines in national shooting Trails", Times of India, मूलसँ ९ जुलाई २०१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१७  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  6. "Shooter Mehuli Finishes at 7th Position in Czech Meet", Times of India, मूलसँ ९ जुलाई २०१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१७  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  7. "Anish Bhanwala Inspired Me During World Championship", अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१७ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]