रङ्गपुर, बङ्गलादेश

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रङ्गपुर
রংপুর
शहर
Tajhat Palace 27.JPG
Rangpur town hall.jpg
Campus Rear Of Begum Rokeya University, Rangpur.jpg
Police Lines School and College, Rangpur.jpg
रङ्गपुरक धरोहरसभ
नाम: हरित शहर
देश बङ्गलादेश
प्रदेशरङ्गपुर
जिलारङ्गपुर
स्थापना१६ दिसम्बर १७६९
नगरपालिका१८६९
शहर निगम१ जुलाई २०१२[१]
सरकार
 • प्रकारमेयर परिशद
 • अङ्गरङ्गपुर शहर निगम
 • मेयरमुस्तफिजुर रहामान मुस्ताफा[२]
क्षेत्रफल
 • मेट्रो२८ किमी (११ वर्गमाइल)
उँचाई३४ मिटर (११२ फिट)
जनसङ्ख्या (२०१७)
 • शहर१,२०,०००
 • घनत्व९८०/किमी (२५००/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रबङ्गलादेश समय (युटिसी+६)
हुलाक कोड५४००[३]
सम्पर्क कोड+८८०
टेलिफोन कोड५२१
वेबसाइटrpcc.gov.bd


रङ्गपुर (बङ्गाली: রংপুর) बङ्गलादेश आ रङ्गपुर प्रदेशक एक प्रमुख शहर छी । रङ्गपुर १६ दिसम्बर १७६९ मे एक जिला मुख्यालय घोषित केलक आ १८६९ मे नगरपालिकाक रूपमे स्थापित भेल छल । ई शहर बांग्लादेशक सबसँ पुरान नगरपालिकाक रुपमे रहल अछि । ई शहरक प्रमुख कार्यलय सन् १८९२ मे राजा जनक बल्लभ सेनक अादेशमे निर्माण कएल गेल छल । ई शहर बङ्गलादेश उत्तरपूर्वी भागमे स्थित अछि । एकर दक्षिणी भागमे , भर्खर स्थापित कएल सार्वजनिक विश्वविद्यालय बेगम रुक्या विश्वविद्यालय रङ्गपुर स्थापित कएल छल ।

इतिहास[सम्पादन करी]

रङ्गपुरके मुगल बादसाह अकबरक सेनापती राजा मान सिंह सन् १५७५ मे कब्जा केने छल मुदा ई शहरके १८८६ धरि सेहो मुगल शासन पुण रुपमे लागू नै भसल । बेलायती ब्रिटिश इस्ट इन्डिया कम्पनी शासनमे एक 'उत्परिवार विद्रोह' युद्ध भेल आ रङ्गपुर गोरघाट रियाज -ल-सलिटनक रूपमे उल्लेख कएल गेल छल । कम्पनीक शुरुआती शासनक समयमे फकीर-संसारीक प्रतिरोध आ किसान विद्रोही रङ्गपुरमे आयोजित केलक।

भुगोल[सम्पादन करी]

रङ्गपुर शहर एक प्रधेशीय सदरमुकाम छी । ई ठामक माइट उर्वर अछि । तापमान ३२ डिग्री सँ ११ डिग्री धरि रहल अछि आ हिमरक अैसत बार्सिक वर्षा २९३१ मिलीमिटर रहल अछि । रङ्गपुर शहर लगभग २८ बर्ग किमीमे फैलल अछि । सन् २००६ कऽ जनगणना अनुसार जजनसङ्ख्या २,५१६,९९ रहल अछि जहिमे ५२ प्रतिशत पुरुष आ ४८ प्रतिशत महिला रहल अछि । ई शहरक साक्षरता ५४.६ प्रतिशत रहल अछि ।

स्वास्थ सेवा[सम्पादन करी]

उत्तर-बङ्गाली जिलासभक सँ स्वास्थ्य सेवामे रङ्गपुर सुविधा निक रहल अछि । अस्पताल, निजी क्लिनिकसभ शहर भर फैलल अछि । रङ्गपुर मेडिकल कलेज अस्पताल ई ठामक सबसँ बहुत सैया एवं सिक्षणमो सेहो सुविधा भेल अछि एक मात्र सरकारी अस्पताल छी । रङ्गपुर मेडिकल कलेजक परिसर रङ्गपुरक कऽ उत्तर-पश्चिम क्षेत्रमे अवस्थित अछि । ई राजशीही जिलासँ २१० किलोमिटर आ ढाकासँ ३३० किलोमिटरक दुरीमे रहल अछि । ई अस्पताल अन्तर-देशक राजमार्गक छेउमे अवस्थित अछि जे भारत आ नेपालसंग जोडिएल अछि । ई अस्पताल बाहेक प्राइम मेडिकल कलेज अस्पताल (७५० सैया), डाक्टर सामुदायिक अस्पताल (५०० सैया), उत्तरी निजी मेडिकल कलेज अस्पताल, ईसाई मिसनरी अस्पतालक अादी प्रसिद्ध निजी अस्पतालसभ छथि ।

यातायात[सम्पादन करी]

राङ्पुर सहरमे हरेक दैनिक ५०,००० सँ बेसी यातायातक साधनसभ चलैत अछि । ई सहरमे मुख्य करै साइकल,बाइक,अटो रेक्सा,बस,ट्याक्सी,मिनीबस चलैत अछि।

सडक[सम्पादन करी]

राङ्पुर शहरक सडकक माध्यम द्वारा बङ्गलादेश दुई पैग शहर चिट्ट्यागनङ आ राजधानी ढाकासंग जोडिएल अछि । राङ्पुरसँ ढाका शहर लगभग ६-७ घण्टामे राष्ट्रिय राजमार्ग ५ सडकक माध्यमसँ ज सकैत अछि । राङ्पुरसँ भारत एसिएन राजमार्ग २सँ ज सकैत अछि ।

रेलवे[सम्पादन करी]

ई राङ्पुर सहरमे बंगलादेश रेलवे कऽ स्टेसनसभ रहल अछि । ई सहरमे राङ्पुर एस्प्रेसक रेलसभ चलैत अछि।

हवाई[सम्पादन करी]

राङ्पुर सहरमे रहल विमानस्थलक नाम शइदपु विमानस्थल छी। जे राङ्पुर शहरक उत्तरी भागमे अवस्थित रहल अछि । ई विमानस्थल बंगलादेशक राष्ट्रिय उदान विमानस्थल छी।

उप-भाषा[सम्पादन करी]

राङ्पुर सहरक स्थानीयसभ राङ्पुरी भाषा बोलैत अछि। राङ्पुरमे राङ्पुरी भाषा बोलैवाला लोगसभ अत्याधिक बहुल्यता अछि ,लगभग १० मिलियन लोगसभ ई भाषा बोलैत अछि । तहिना राङ्पुर सहरमे लगभग ५ मिलियन लोगसभ राजवंशी रहल अछि । जुन बंगलादेश आ भारतमे बसोबास करैत आएल अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "रङ्गपुर नगरपालिका", द डेल्ली स्टार, २ जुलाई २०१२, अन्तिम पहुँच ११ जून २०१३ 
  2. अाधिकारिक वेबसाइट
  3. "रङ्गपुर नगरपालिकाको पुण तथ्याङ्क", जियो पोस्ट कोड, अन्तिम पहुँच ११ जून २०१३ 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]