राजीव गांधी खेल रत्न भारत मे देल जाय वाला सभ सँ पैघ खेल पुरस्कार थीक । अहि पुरस्कारक नामकरण भारतक भूतपूर्व प्रधानमन्त्री श्री राजीव गान्धीक नाम पर कयल गेल अछि । अहि पुरस्कार मे एक पदक, एक प्रशस्ति-पत्र ओ पाँच लाख रुपिया पुरुस्कृत व्यक्ति के देल जाइत अछि।[१] भारत सरकार द्वारा सम्मानित व्यक्ति सभ कें रेलवे केरि
मुफ्त पास सुविधा प्रदान कइल जाएत अछि जकरा अन्तर्गत राजीव गान्धी खेल-रत्न पुरस्कार एवं ध्यानचन्द पुरस्कार विजेता राजधानी या शताब्दी एक्सप्रेस रेल मे प्रथम ओ द्वितीय श्रेणी वातानुकूलित यान मे मुफ्त यात्रा क' सकैत अछि ।[२]