राजीव गान्धी
राजीव गान्धी Rajiv Gandhi | |
---|---|
![]() | |
भारतक छठम् प्रधानमन्त्री | |
कार्यकाल ३१ अक्टुबर १९८४ – २ दिसम्बर १९८९ | |
पूर्वाधिकारी | इन्दिरा गान्धी |
उतराधिकारी | विश्वनाथ प्रताप सिंह |
व्यक्तिगत विवरण | |
जन्म | २० अगस्त १९४४ मुम्बई, महाराष्ट्र |
मृत्यु | २१ मई १९९१ |
राजनीतिक दल | भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस |
जीवन साथी(सभ) | सोनिया गान्धी |
राजीव गान्धी (/ˈrɑːdʒiːv ˈɡɑːndiː/ ( सुनी); २० अगस्त १९४४ – २१ मई १९९१), इन्दिरा गान्धीक पुत्र आ जवाहरलाल नेहरूक दौहित्र (नाती) आ भारतक सातम् प्रधानमन्त्री छल ।
सन् १९८४मे इन्दिरा गान्धीक हत्याक बाद हुनकर पुत्र राजीव गान्धी भारी बहुमतक सँ भारतक प्रधानमन्त्री बनल छल । एकर बाद सन् १९८९ क आम चुनावमे काङ्ग्रेसक पराजय भेल आ पार्टी दुई साल धरि विपक्षमे रहल छल । सन् १९९१ कऽ आम चुनावमे प्रचारक समय तमिलनाडुक श्रीपेरम्बदुरमे एक भयङ्कर बम विस्फोटमे राजीव गान्धीक मृत्यु भऽ गेल ।[१]
राजीवक विवाह एन्टोनिया माईनो सँ भेल जे ओ समय इटालीक नागरिक छल । विवाहोपरान्त हुनकर पत्नी अपन नाम बदलि सोनिया गान्धी करि लेलक । कहल जाइत अछि कि राजीव गान्धीसँ हुनकर परिचय तब भेल जखन राजीव क्याम्ब्रिजमे पढ़क लेल गेल छल ।[२] हुनकर विवाह सन् १९६८ मे भेल जकर बाद ओ भारतमे रहऽ लागल । राजीव आ सोनियाक दुई बच्चा अछि, पुत्र राहुलक जन्म सन् १९७० आ पुत्री प्रियङ्काक जन्म सन् १९७१मे भेल छल ।
जीवनी[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ Kirusna Anant. India Since Independence: Making Sense of Indian Politics. Pearson Education India. प॰ 257. आइएसबिएन 9788131725672.
- ↑ "Rahul first in three generations with a world university degree", Tribune India, अन्तिम पहुँच १८ मई २०१५।
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास राजीव गान्धीसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |