प्रणब मुखर्जी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
प्रणब मुखर्जी
Pranab Mukherjee
नयाँ दिल्लीमे सन् २००९ मे भेल आर्थिक सम्मेलनमे प्रणव मुखर्जी
भारतक १३हम राष्ट्रपति
कार्यकाल
२५ जुलाई २०१२ – २४ जुलाई २०१७
प्रधानमन्त्रीमनमोहन सिंह
नरेन्द्र मोदी
उप राष्ट्रपतिमोहम्मद हामिद अंसारी
पूर्वाधिकारीप्रतिभा पाटिल
उतराधिकारीराम नाथ कोविन्द
भारतक वित्त मन्त्री
कार्यकाल
२४ जनवरी २००९ – २६ जुन २०१२
प्रधानमन्त्रीमनमोहन सिंह
पूर्वाधिकारीमनमोहन सिंह
उतराधिकारीमनमोहन सिंह
कार्यकाल
१५ जनवरी १९८२ – ३१ दिसम्बर १८८४
प्रधानमन्त्रीइन्दिरा गान्धी
राजीव गान्धी
पूर्वाधिकारीरामास्वामी वेंकटरमण
उतराधिकारीविश्वनाथ प्रताप सिंह
भारततक विदेश मन्त्री
कार्यकाल
२४ अक्टुबर २००६ – २३ मई २००९
प्रधानमन्त्रीमनमोहन सिंह
पूर्वाधिकारीमनमोहन सिंह
उतराधिकारीएसएम कृष्णा
कार्यकाल
१० फरबरी १९९५ – १६ मई १९९६
प्रधानमन्त्रीपिवी नरसिंहराव
पूर्वाधिकारीदिनेश सिंह
उतराधिकारीसिकन्दर बख्त
भारतक रक्षा मन्त्री
कार्यकाल
२२ मई २००४ – २६ अक्टुबर २००६
प्रधानमन्त्रीमनमोहन सिंह
पूर्वाधिकारीज्योर्ज फर्नान्डिस
उतराधिकारीएके एन्टोनी
भारतीय योजना आयोगक उपाध्यक्ष
कार्यकाल
२४ जुन १९९१ – १५ मई १९९६
प्रधानमन्त्रीपिवी नरसिंहराव
पूर्वाधिकारीमोहन धारिया
उतराधिकारीमधु दण्डवते
व्यैक्तिक विवरण
जन्म
प्रणव कुमार मुखर्जी

सन् १९३५ दिसम्बर ११
बीरभूम जिला, ब्रिटिशकाल भारत
मृत्यु३१ अगस्त २०२० (८४ वरिषक उमर में)
नयाँ दिल्ली भारत
राजनैतिक दलभारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस (१९८६ सँ पूर्व पुनः १९८९ सँ वर्तमान धरि)
राष्ट्रिय समाजवादी काँग्रेस (१९८६ सँ १९८९ धरि)
अन्य राजनैतिक
आवद्दता
संयुक्त मोर्चा ( १९९६ सँ २००४ धरि)
संयुक्त प्रगतिशील गठबन्धन (२००४ सँ वर्तमान)
जीवनसाथीशुभ्रा मुखर्जी (१९५७ सँ वर्तमान)
बाल बच्चाशर्मिष्ठा
अभिजीत
इन्द्रजीत
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठानकलकत्ता विश्वविद्यालय
सम्मानभारतक एक मुख्य सम्मान पद्म विभूषण २००८ मे

प्रणव कुमार मुखर्जी (बङ्गाली: প্রণব কুমার মুখোপাধ্যায়, जन्म: ११ दिसम्बर १९३५, पश्चिम बङ्गाल) एक राजनीतिज्ञ आ भारतक १३हम राष्ट्रपतिक रूपमे सेवा देनए अछि । ओ भारतीय राष्ट्रिय कांग्रेसके वरिष्ठ नेता छथि। नेहरू-गान्धी परिवारसँ हुनकर लऽगक सम्बन्ध रहल छन्हि। भारतीय राष्ट्रिय कांग्रेसके नेतृत्व वाला संयुक्त प्रगतिशील गठबन्धन हुनका अपन उम्मीदवार घोषित केलक। सोझ मुकाबलामे ओ अपन प्रतिपक्षी प्रत्याशी पिए सङ्गमा के हरेला। ओ २५ जुलाई २०१२ के भारतके तेरहम राष्ट्रपतिके रूपमे पद आओर गोपनीयताक शपथ लेलनि।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

प्रणव मुखर्जीक जन्म पश्चिम बंगालके वीरभूम जिलेमें किरनाहर शहरके निकट स्थित मिराती गाँवके एक ब्राह्मण परिवारमें कामदा किंकर मुखर्जी आओर राजलक्ष्मी मुखर्जीके एतय भेल छल।

हुनकर पिताजी1920 सँ कांग्रेस पार्टीमें सक्रिय हुअके संग पश्चिम बंगाल विधान परिषदमें 1952 से 64 तक सदस्य आओर वीरभूम (पश्चिम बंगाल) जिला कांग्रेस कमेटीके अध्यक्ष रहि चुकल छलाह।[१] हुनकर पिता एगो सम्मानित स्वतन्त्रता सेनानी छलाह, जे ब्रिटिश शासनक खिलाफतके परिणामस्वरूप 10 वर्षो सँ बेसी जेलक सजा सेहो काटने छलाह।

प्रणव मुखर्जी सूरी (वीरभूम)के सूरी विद्यासागर कॉलेजमें शिक्षा प्राप्त केने छलाह, जे ओही समय कलकत्ता विश्वविद्यालय सँ सम्बन्धित छल।

कैरियर[सम्पादन करी]

कलकत्ता विश्वविद्यालय सँ ओ इतिहास आओर राजनीति विज्ञानमें स्नातकोत्तरके संग-संग कानूनक डिग्री हासिल केने छथि। ओ एगो वकील आओर कॉलेज प्राध्यापक सेहो रहि चुकल छथि। हुनका मानद डी.लिट उपाधि सेहो भेटल छनि। ओ पहिले एगो कॉलेज प्राध्यापकके रूपमें आओर बादमें एगो पत्रकारक रूपमें अपन कैरियर शुरू केलथि। ओ बाँग्ला प्रकाशन संस्थान देशेर डाक (मातृभूमि की पुकार) में सेहो काज केने छथि। प्रणव मुखर्जी बंगीय साहित्य परिषदके ट्रस्टी एवं अखिल भारत बंग साहित्य सम्मेलनके अध्यक्ष सेहो रहल छथि।[२]

निजी जीवन[सम्पादन करी]

बंगाल (भारत)में वीरभूम जिलाक मिराती (किर्नाहार) गाँवमें 11 दिसम्बर 1935 के कामदा किंकर मुखर्जी आओर राजलक्ष्मी मुखर्जीके घर जन्मे प्रणवक विवाह बाइस वर्षक आयुमें 13 जुलाई 1957 के शुभ्रा मुखर्जीके संग भेल छलैह। हुनकर दुगो बेटा आओर एगो बेटी - टोटल तीनगो बच्चा छनि। पढ़नाइ, बागवानी केनाइ आओर संगीत सुननाइ- तिने टा हुनकर व्यक्तिगत शौक छनि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. विदेश मंत्रालय में रूपरेखा.
  2. "FM Pranab's first priority: Presenting budget 09-10 (page3)"। Indian Express। May 23, 2009। अन्तिम पहुँच 2009-05-23 {{cite news}}: More than one of |accessdate=|access-date= specified (help)

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]