राम नाथ कोविन्द

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
राम नाथ कोविन्द
Ram Nath Kovind
Ram Nath Kovind official portrait.jpg
भारतक १४हम राष्ट्रपति
कार्यकाल
२५ जुलाई २०१७ – २५ जुलाई २०२२
उपराष्ट्रपतिमोहम्मद हामिद अन्सारी
पूर्वाधिकारीप्रणब मुखर्जी
३५अम बिहारक गवर्नर
कार्यकाल
१६ अगस्त २०१५ – २० जुन २०१७[१]
पूर्वाधिकारीकेशरी नाथ त्रिपाठी
उतराधिकारीकेशरी नाथ त्रिपाठी
राज्य सभा, सांसद
कार्यकाल
३० अप्रिल १९९४ – २ अप्रिल २००६
व्यक्तिगत विवरण
जन्म (१९४५-१०-०१) १ अक्टुबर १९४५ (उमर ७७)
परौंख गाम, डेरापुर, कानपुर,उत्तर प्रदेश
राजनीतिक दलभारतीय जनता पार्टी
जीवन साथी(सभ)सविता कोविन्द (वि. १९७४)
बालबच्चा(सभ)
मातृ शिक्षाप्रतिष्ठानकानपुर विश्वविद्यालय
व्यवसायवकालत, राजनीतिज्ञ, सामाजिक कार्यकर्ता

राम नाथ कोविन्द (जन्म: १ अक्टुबर १९४५) भारतीय राजनीतिज्ञआ भारतक १४हम पुर्व राष्ट्रपति छी। हुनका २५ जुलाई २०१७ में उच्चतम न्यायालयक मुख्य न्यायाधीश जे.एस.खेहर भारतक राष्ट्रपति पदक शपथ ग्रहण करौने छल।[२] ओ राज्यसभा सदस्य तथा बिहार राज्यक राज्यपाल रहि चुकल छथि ।[३]

प्रारम्भिक जीवनी[सम्पादन करी]

राम नाथ कोविन्दक जन्म उत्तर प्रदेशक कानपुर जिला (वर्तमानमे कानपुर देहात जिला)क तहसील डेरापुरक एक छोट गाम परौंख मे भेल छल । कोविन्दक सम्बन्ध कोरी (डोम) जाति सँ अछि जे उत्तर प्रदेशमे अनुसूचित जातिक अन्तर्गत अबैत अछि । वकालतक उपाधि प्राप्त केलाक पश्चात ओ दिल्ली उच्च न्यायालयमे वकालत प्रारम्भ केने छलाह ।[४] ओ सन् 1977 सँ सन् 1979 धरि दिल्ली उच्च न्यायलय मे केन्द्र सरकारक वकील रहलाह । 8 अगस्त 2015 के बिहारक राज्यपाल पद पर हुनकर नियुक्ति भेलनि । ओ सङ्घ लोक सेवा आयोग परीक्षा सेहो तेसर प्रयास मे उत्तीर्ण कऽ लेने छलाह ।[५]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]