सामग्री पर जाएँ

अब्दुल कलाम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

एपिजे अब्दुल कलाम
A. P. J.Abdul Kalam
अब्दुल कलाम
भारतक ११हम राष्ट्रपति
प्रधानमन्त्रीअटल बिहारी वाजपेयी
मनमोहन सिंह
उप राष्ट्रपतिकृष्ण कान्त भैरोंसिंह शेखावत
पूर्वाधिकारीकेआर नारायणन
उतराधिकारीप्रतिभा पाटिल
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म (१९३१-१०-१५)१५ अक्टुबर १९३१
रामेश्वरम, मद्रास रियासत, ब्रिटिश राज (वर्तमान तमिलनाडु, भारत)
मृत्यु २७ जुलाई २०१५( २०१५-०७-२७) (८३ वर्ष)
शिलोङ्ग, मेघालय, भारत
अलमा मेटर सेन्ट जोसेफ कौलेज
मद्रास संस्थान अफ टेक्नोलोजी
व्यावसायिक पेशा प्राध्यापक, लेखक, वैज्ञानिक
एयरोस्पेस इन्जिनियर
धर्म इस्लाम[]
पुरस्कार पद्म भूषण (१९८१)
पद्म विभूषण (१९९०)
भारत रत्न (१९९७)
हुभर मेडल (२००९)
एनएसएस भन ब्राउन पुरस्कार (२०१३)
उल्लेखनीय काज(सभ) विङ्ग्स अफ फायर, इन्डिया २०२०, इग्निटेड माइन्ड्स, इन्डोमिटेबल स्पिरिट, ट्रान्सकेनडेन्स: माई स्पिरिचुअल एक्स्पेरियन्स विथ प्रमुख स्वामीजी
हस्ताक्षर
वेबसाइट abdulkalam.com

अबुल पकिर जैनुलाअबदीन अब्दुल कलाम या डाक्टर एपिजे अब्दुल कलाम (अङ्ग्रेजी: A. P. J.Abdul Kalam; /ˈæbdʊl kəˈlɑːm/; १५ अक्टुबर १९३१ – २७ जुलाई २०१५) जे मिसाइल म्यानजनताक राष्ट्रपति कऽ नामसँ जानल जाइत छल, भारतीय गणतन्त्रक एगारहम निर्वाचित राष्ट्रपति छलाह ।[]भारतक पूर्व राष्ट्रपति, जानल मानल वैज्ञानिकअभियन्ताक (इन्जिनियर) रूपमे विख्यात छल । ओ मुख्य रूप सँ एकटा वैज्ञानिक आ विज्ञानक व्यवस्थापकक रूपम चारि दशक धरि रक्षा अनुसन्धान एवम् विकास सङ्गठन (डिआरडिओ) आ भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठनक (इसरो) नेतृत्व केनए छल आ भारतक नागरिक अन्तरिक्ष कार्यक्रम आ सैन्य मिसाइलक विकासक प्रयासमे सेहो सामिल रहए । ओ ब्यालेस्टिक मिसाइल आ प्रक्षेपण यान प्राविधिकक विकासक कार्यकें लेल भारतमे मिसाइल म्यानक रूपमे जानल जाएत अछि ।[]

कलाम सन् १९७४ मे भारतद्वारा पहिल मूल परमाणु परीक्षणक बादसँ दोसर बेर सन् १९९८ मे भारतके पोखरान-द्वितीय परमाणु परीक्षणमे एकटा निर्णायक, सङ्गठनात्मक, प्राविधिक आ राजनैतिक भूमिका निर्वाह केनए छल ।[]

कलाम सत्तारूढ़ भारतीय जनता पार्टी आ विपक्षी भारतीय राष्ट्रिय कांग्रेस दुनुक समर्थनक सङ्गे सन् २००२ मे भारतक राष्ट्रपति चुनल गेल छल । पाँच वर्षक सेवा अवधि बाद, ओ शिक्षा, लेखन आ सार्वजनिक सेवाकें अपन नागरिक जीवनमे पुनः आएल । कलाम भारत रत्न, भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान सहित बहुतो प्रतिष्ठित पुरस्कार प्राप्त सेहो केनए छल ।

प्रारम्भिक जीवन

सन् १९३१ अक्टुबर १५ कऽ दिन धनुषकोड़ी गाम (रामेश्वरम, तमिलनाडु)मे एक मध्यमवर्ग मुस्लिम परिवारमे हिनकर जन्म भेल छल ।[],आ हिनकर पिता जैनुलाब्दीन नइँ तँ बहुतेक पढ़ल-लिखल छल, नइँ तँ बेसी पैसा वला छल ।[] हिनकर पिता मलाहसभके नाह भाडा पऽ दैत छल । अब्दुल कलाम संयुक्त परिवारमे रहैत छल । परिवारक सदस्यसभक सङ्ख्याक अनुमान यएह बातसँ लगाएल जा सकैत अछि कि हिनकर स्वयं पाँच भाए आ पाँच बहीन आ घरमे तीन परिवारसभ रहैत छल ।[] अब्दुल कलामक जीवन पर हुनकर पिताक बड्ड प्रभाव रहल । ओ पढ़ल-लिखल नै भेलाक बादो कलामक लगन आ हुनकर देल संस्कार अब्दुल कलामके बहुत काज आएल ।[][] पाँच वर्षक अवस्थामे रामेश्वरमक पञ्चायत प्राथमिक विद्यालयमे हुनकर दीक्षा-संस्कार भेल छल । हुनकर शिक्षक इयादुराई सोलोमन हुनका कहैत छेलखिन कि जीवनमे सफलता तथा अनुकूल परिणाम प्राप्त करै लै तीव्र इच्छा, आस्था, अपेक्षा ई तीन शक्तिसभक बड्ड निक जका समझि लेनाई आ ओही पर प्रभुत्व स्थापित करबाक चाहि ।

वैज्ञानिक जीवन

यह मेरा पहला चरण था; जिसमें मैंने तीन महान शिक्षकों-डॉ विक्रम साराभाई, प्रोफेसर सतीश धवन और डॉ ब्रह्म प्रकाश से नेतृत्व सीखा। मेरे लिए यह सीखने और ज्ञान के अधिग्रहण के समय था।

- अब्दुल कलाम[]
आइआइटी, गुवाहाटीमे अभियान्त्रिकीके छात्रसभ कऽ सम्बोधित करैत अब्दुल कलाम

सन् १९६२ मे ओ भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठनसँ जुड़लखिन । डाक्टर अब्दुल कलामक परियोजना महानिदेशकके रूपमे भारतक पहिल स्वदेशी उपग्रह (एस.एल.वी. तृतीय) प्रक्षेपास्त्र बनेबाक श्रेय प्राप्त भेलै। १९८०मे हिन्का द्वारा रोहिणी उपग्रहक पृथ्वीक कक्षके निकट स्थापित कएल गेल छल। अही प्रकार भारत सेहो अन्तर्राष्ट्रीय अन्तरिक्ष क्लब क सदस्य बनल।[] इसरो लॉन्च व्हीकल प्रोग्रामकs उपर चढ़ाबक श्रेय सेहो हिन्का प्रदान कएल जाइत अछि। डाक्टर कलाम स्वदेशी लक्ष्य भेदी नियन्त्रित प्रक्षेपास्त्र (गाइडेड मिसाइल्स)क डिजाइन केलखिन। इ अग्नि एवं पृथ्वी जका प्रक्षेपास्त्रसभक स्वदेशी तकनीकसँ बनाएल गेल छल। डाक्टर कलाम जुलाई १९९२सँ दिसम्बर १९९९ धरि रक्षा मन्त्रीके विज्ञान सलाहकार तथा सुरक्षा शोध आर विकास विभागक सचिव छेलखिन।[]रणनीतिक प्रक्षेपास्त्र प्रणालीक उपयोग आग्नेयास्त्रसभक रूपमे केलखिन। अही प्रकार पोखरणमे दोसर बेर परमाणु परीक्षण सेहो परमाणु ऊर्जाके साथ मिलाकs केएने छल। अही प्रकार भारत दवार परमाणु हथियारक निर्माणकs क्षमता प्राप्त करsमे सफलता अर्जित केलक। डाक्टर कलाम भारतके विकासस्तरकs २०२० धरि विज्ञानक क्षेत्रमे अत्याधुनिक करsके लेल एक विशिष्ट सोच प्रदान केएने अछि।[]

राजनैतिक जीवन

भ्लादिमिर पुटिनमनमोहन सिंहक सङ्ग डाक्टर अब्दुल कलाम- २६ जनवरी २००७

डाक्टर अब्दुल कलाम भारतक एगारहम राष्ट्रपति निर्वाचित भेल छेलखिन। हिन्का भारतीय जनता पार्टी समर्थित एन॰डी॰ए॰ घटक दलसभ दवारा अपन उम्मीदवार बनाओल गेल छल जकरा वामदलक अलावा समस्त दलसभ दवारा समर्थन कएल गेल छल। १८ जुलाई २००२ कs डाक्टर कलाम के नवम प्रतिशत बहुमत द्वारा भारतक राष्ट्रपति चुनल गेल छल आर हिन्का २५ जुलाई २००२ कs संसद भवनक अशोक कक्षमे राष्ट्रपति पदक शपथ दिएल गेलै।[१०]

२००० वर्षों के इतिहास में भारत पर ६०० वर्षों तक अन्य लोगों ने शासन किया है। यदि आप विकास चाहते हैं तो देश में शांति की स्थिति होना आवश्यक है और शांति की स्थापना शक्ति से होती है। इसी कारण प्रक्षेपास्त्रों को विकसित किया गया ताकि देश शक्ति सम्पन्न हो।

अब्दुल कलाम[१०]
आई एन एस सिंधुरक्षक पर तत्कालीन भारतीय राष्ट्रपति कलाम

राष्ट्रपति दायित्वसँ मुक्तिके बाद

राष्ट्रपती कार्यालय छोड़लाक बाद, कलाम भारतीय प्रबन्धन संस्थान शिलोंग, भारतीय प्रबन्धन संस्थान अहमदाबाद, भारतीय प्रबन्धन संस्थान इन्दोरभारतीय विज्ञान संस्थान,बैंगलोरके मानद फैलो, आ एक विजिटिङग प्रोफेसर बनि गेलखिन।[११]

निधन

...मैं यह बहुत गर्वोक्ति पूर्वक तो नहीं कह सकता कि मेरा जीवन किसी के लिये आदर्श बन सकता है; लेकिन जिस तरह मेरी नियति ने आकार ग्रहण किया उससे किसी ऐसे गरीब बच्चे को सांत्वना अवश्य मिलेगी जो किसी छोटी सी जगह पर सुविधाहीन सामजिक दशाओं में रह रहा हो। शायद यह ऐसे बच्चों को उनके पिछड़ेपन और निराशा की भावनाओं से विमुक्त होने में अवश्य सहायता करे।

सूक्तियाँ - अब्दुल कलाम[१२]

२७ जुलाई २०१५कs साझ अब्दुल कलाम भारतीय प्रबन्धन संस्थान शिलोङगमें 'रहि योग्य ग्रह' (en:Livable Planet) पर एक व्याख्यान दs रहल छेलखिन जहन हुन्का जोरदार कार्डियक अरेस्ट (दिल कs दौरा) पड़ल आर ओ बेहोश भs खसि पड़लखिन।[१३][१४] आर लगभग ६:३० बजे गम्भिर हालतमे हुन्का बेथानी अस्पतालमे आईसीयूमे लS जाए पड़लै आर करीब दू घन्टाक बाद हुन्कर मृत्युक पुष्टि कs देल गेल।[१५][१६]अस्पतालक सीईओ जॉन साइलो बतेलखिन जे जहन कलाम के अस्पताल आनल गेल तहन हुनकर नब्ज आर ब्लड प्रेशर साथ छोड़ि चुकल छेलै। अपन निधन सँ लगभग 9 घण्टे पहिनेहे ओ ट्वीट कs क बतेने छेलखिन जे ओ शिलोंग आईआईएममे लेक्चर दइ ले जा रहल छथुन्ह।[१७]


अन्तिम सन्स्कार

मृत्युके तुरन्त बाद कलामके शरीरकS भारतीय वायु सेनाके हेलीकॉप्टरसँ शिलोंगसँ गुवाहाटी लाएल गेल। जहि ठाम दोसर दिन २८ जुलाईक पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलामक पार्थि‍व शरीर मंगलदिन दुपहर वायुसेनाके विमान सी-130जे हरक्यूलिससँ दिल्ली लाएल गेल। लगभग १२:१५ पर विमान पालम हवाईअड्डा पर उतरल। सुरक्षा बल दवारा पूरे राजकीय सम्मानके साथ कलामक पार्थिव शरीरकs विमानसँ उतारि।ओही ठाम प्रधानमन्त्री नरेद्र मोदी, राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी, दिल्लीके मुख्यमन्त्री अरविन्द केजरीवाल उ तीनु सेनासभक प्रमुख दवारा अगवानी करि आर कलामके पार्थिव शरीर पर पुष्पहार अर्पित केलक। एकर बाध तिरङ्गामे लिपटल डॉ. कलामके पार्थि‍व शरीर कs पूरे सम्मानके साथ, एक गन कैरिजमे राखि हुन्कर आवास १० राजाजी मार्ग पर लsगेल छल। [१८]

२९ जुलाईक भोर वायुसेना विमान सी-130जे सँ भारतीय ध्वजमे लपेटल कलामक शरीरक पालम एयर बेस परसँ मदुरै होइत फेर हुन्कर गृह स्थान रामेश्वरममे अन्तिम दर्शनक बाध[१९][२०]

३० जुलाई २०१५ कs पूर्व राष्ट्रपतिके पूरा सम्मानक साथ रामेश्वरमके पी करूम्बु ग्राउन्डमे दफ़ना देल गेल। जहिमे प्रधानमन्त्री मोदी, तमिलनाडुके राज्यपाल आर कर्नाटक, केरल आर आन्ध्र प्रदेशके मुख्यमन्त्रीसभ सहित ३,५०,००० सँ अधिक लोकसभ दवारा अन्तिम सन्स्कारमे सम्मिलित छल।[२१][२२]

प्रतिक्रिया

अब्दुल कलामक निधन पर काला रिबन देखावल गेल गूगलक मुख्यपृष्ठ

कलामके निधनसँ देश भरिमे आर सोशल मीडियामे पूर्व राष्ट्रपतिकs श्रद्धांजलि देबsके लेल अनेक कार्य कएल गेल।[२३] भारत सरकार दवारा कलामक सम्मान देबsके लेल सात दिवसीय राजकीय शोकक घोषणा केएने छल। [२४]

व्यक्तिगत जीवन

डाक्टर कलाम अपन व्यक्तिगत जीवनमे खुब निक जका अनुशासनक पालन करsवलामे सँ छ्लाह। ऐहनो कहल जाईत अछि कि हुन्का क़ुरान आर भगवद् गीता दुनुक अध्ययन करैत छल।[]

किताबसभ

डाक्टर कलाम साहित्यिक रूपसँ सेहो अपन विचारसभकs चारि पुस्तकसभमे समाहित कएने अछि, जे इ प्रकार अछि: 'इन्डिया २०२० अ विज़न फ़ॉर द न्यू मिलेनियम', 'माई जर्नी' तथा 'इग्नाटिड माइंड्स- अनलीशिंग द पॉवर विदिन इन्डिया'।[]

"सबसे उत्तम कार्य क्या होता है? किसी इंसान के दिल को खुश करना, किसी भूखे को खाना देना, जरूरतमंद की मदद करना, किसी दुखियारे का दुख हल्का करना और किसी घायल की सेवा करना..."
-अब्दुल कलाम[२५]

कलाम साहबक प्रमुख पुस्तकसभ अही प्रकार अछि:[२६]

चिन्तनपरक रचनासभ

  • इग्नाइटेड माइन्डस: अनलीशिंग द पावर विदीन इन्डिया : (पेंग्विन बुक्स, 2003) ISBN 0-14-302982-7
  • इन्डिया- माय-ड्रीम : (एक्सेल बुक्स, 2004) ISBN 81-7446-350-X
  • एनविजनिंग अन एमपावर्ड नेशन: टेक्नालजी फार सोसायटल ट्रांसफारमेशन : (टाटा मैक्ग्राहिल प्रकाशन, 2004) ISBN 0-07-053154-4

आत्मकथात्मक रचनासभ

    • विंग्स अफ फायर: एन आटोबायोग्राफी अफ एपीजे अब्दुल कलाम : सह लेखक - अरुण तिवारी, (ओरियेंट लांगमैन, 1999) ISBN 81-7371-146-1
    • साइंटिस्ट टू प्रेसिडेंट : (ज्ञान पब्लिशिंग हाउस, 2003) ISBN 81-212-0807-6

जीवनी

अन्य लेखक द्ववारा डाक्टर कलामक जीवनी या जीवनके विविध पहलुसभ पर पुस्तकसभ लिखल गेल अछि जाहिमे किछ प्रमुख निम्नवत अछि:

  • इटरनल क्वेस्ट: लाइफ ऐंड टाइम्स अफ डाक्टर अवुल पकिर जैनुलाआबदीन अब्दुल कलाम एस चंद्रा कृत - (पेंटागन पब्लिशर्स, 2002) ISBN 81-86830-55-3
  • प्रेसिडेंट एपीजे अब्दुल कलाम आर॰ के॰ पूर्ति - (अनमोल पब्लिकेशन्स, 2002) ISBN 81-261-1344-8
  • ए॰ पी॰ जे॰ अब्दुल कलाम: द विजनरी अफ इन्डिया' के॰ भूषण एवं जी॰ कात्याल - (एपीएच पब्लिशिंग कार्पोरेशन, 2002) ISBN 81-7648-380-X

पुरस्कार आ सम्मान

डाक्टर कलामक ७९अम जन्म दिनक अवसरमे संयुक्त राष्ट्र सङ्घद्वारा विश्व विद्यार्थी दिवस क रूपमे मनाओल गेल छल ।[२७] एकर बाधो ओ लगभग चालीस विश्वविद्यालयसभ द्वारा मानद डाक्टरेटक उपाधिसभ प्रदान कएल गेल छल[२८][२९] भारत सरकार द्ववारा हुनका सन् १९८१ मे पद्म भूषण आ सन् १९९० मे पद्म विभूषणद्वारा सम्मानित कएल गेल छल । हुनका इसरो आ डिआरडिओ नामक दुई वैज्ञानिक संस्थामे अपन कार्यकालमे वैज्ञानिक उपलब्धिसभक लेल तथा भारत सरकारक वैज्ञानिक सलाहकारक रूपमे कार्य हेतु प्रदान कएल गेल छल ।[३०]

सन् १९९७ मे कलाम साहबके भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्न प्रदान कएल गेल छल जे हुनका वैज्ञानिक अनुसन्धान आ भारतमे प्राविधिकसभक विकासमे अभूतपूर्व योगदान हेतु देल गेल छल ।[३१]

वर्ष २००५ मे स्विजरल्याण्डक सरकार डाक्टर कलामके स्विजरल्याण्ड आगमनक उपलक्ष्यमे २६ मई के विज्ञान दिवस घोषित केनए छल ।[३२] कलाम नेशनल स्पेस सोसाइटी वर्ष सन् २०१३ मे अन्तरिक्ष विज्ञान सम्बन्धित परियोजनासभक कुशल सञ्चालन आ प्रबन्धनक लेल वन ब्राउन अवार्ड सँ पुरस्कृत भेल छलाह ।[३३]

सम्मानक वर्ष सम्मान/पुरस्कारक नाम प्रदाता संस्था
२०१४ डाक्टर अफ साइन्स एडिनबर्ग विश्वविद्यालय, संयुक्त अधिराज्य[३४]
२०१२ डाक्टर अफ लज (मानद उपाधि) साइमन फ्रेजर विश्वविद्यालय[३५]
२०११ आइइइई मानद सदस्यता आइइइई[३६]
२०१० डाक्टर अफ इन्जिनियरिङ युनिवर्सिटी अफ वाटरलु[३७]
२००९ मानद डाक्टरेट अकल्याण्ड विश्वविद्यालय[३८]
२००९ हुभर मेडल एएसएमई फाउन्डेशन, (अमेरिका)[३९]
२००९ वन कार्मन विङ्ग्स अन्तर्राष्ट्रिय अवार्ड क्यालिफोर्निया इन्स्टिच्युट अफ टेक्नोलोजी, (अमेरिका)[४०]
२००८ डाक्टर अफ इन्जिनियरिङ (मानद उपाधि) नानयाङ टेक्नोलोजिकल विश्वविद्यालय, सिङ्गापुर[४१]
२००८ डाक्टर अफ साइन्स (मानद उपाधि) अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय, अलीगढ़[४२]
२००७ डाक्टर अफ साइन्स एण्ड टेक्नोलोजी क मानद उपाधि कार्नेगी मेलन विश्वविद्यालय[४३]
२००७ किङ्ग चार्ल्स II मेडल रोयल सोसायटी, संयुक्त अधिराज्य[४४][४५]
२००७ डाक्टर अफ साइन्स क मानद उपाधि वोभरह्याम्प्टन विश्वविद्यालय, संयुक्त अधिराज्य[४६]
२००० रामानुजन पुरस्कार अल्वार्स शोध संस्थान, चेन्नई[४७]
१९९८ वीर सावरकर पुरस्कार भारत सरकार[४८]
१९९८ इन्दिरा गाँधी राष्ट्रीय एकता पुरस्कार भारतीय राष्ट्रीय काँग्रेस[४८][४७]
१९९७ भारत रत्न भारत सरकार[][४७][४९]
१९९४ विशिष्ट शोधार्थी इन्स्टिच्युट अफ डायरेक्टर्स (इन्डिया)[५०]
१९९० पद्म विभूषण भारत सरकार[४७][][५१]
१९८१ पद्म भूषण भारत सरकार[४७][][५१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. http://www.outlookindia.com/article/kalam-and-islam/216493
  2. "भारत के पूर्व राष्ट्रपति" (अंग्रेजीमे). http://presidentofindia.nic.in/former-presidents.htm. अन्तिम पहुँच तिथि: 28 जुलाई 2015. 
  3. http://books.google.com/?id=Kpd9lLY_0-IC&dq=abdul+kalam+first+worked+drdo
  4. ४.० ४.१ ४.२ ४.३ "बच्चासभ आर युवासभमे बहुत लोकप्रिय छलाह कलाम", नई दिल्ली: लाइव हिन्दुस्तान.कॉम, २८ जुलाई २०१५, अन्तिम पहुँच २९ जुलाई २०१५ 
  5. ५.० ५.१ ५.२ ५.३ ५.४ ५.५ ५.६ "अब्दुल कलाम - प्रोफ़ाइल" (अंग्रेजीमे). http://www.abdulkalam.nic.in/profile.html. अन्तिम पहुँच तिथि: 29 जुलाई 2015. 
  6. "Early life and education" (अंग्रेजीमे). इण्डियन एक्सप्रेस. https://www.thedailyxpress.com/hot-topics/dr-a-p-j-abdul-kalam-peoples-president/. अन्तिम पहुँच तिथि: 29 जुलाई 2015. 
  7. http://books.google.com/books?id=c3qmIZtWUjAC
  8. http://pib.nic.in/profile/apjak.asp
  9. http://www.vigyanprasar.gov.in/scientists/abdulkalam/abdulkalam.htm
  10. १०.० १०.१ "नहीं रहे पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम, 7 दिनों का शोक - आई एन एस सिंधुरक्षक राष्ट्रपति कलाम", २८ जुलाई २०१५, अन्तिम पहुँच २९ जुलाई २०१५ 
  11. "Archive copy", मूलसँ २०१३-०७-०९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-२५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  12. ...I will not be presumptuous enough to say that my life can be a role model for anybody; but some poor child living in an obscure place in an underprivileged social setting may find a little solace in the way my destiny has been shaped. It could perhaps help such children liberate themselves from the bondage of their illusory backwardness and hopelessness! "- अब्दुल कलाम" (अंग्रेजीमे). http://www.abdulkalam.nic.in/quotes.html. अन्तिम पहुँच तिथि: 29 जुलाई 2015. 
  13. "पूर्व राष्ट्रपति अब्दुल कलाम का निधन", बी॰ बी॰ सी॰ हिन्दी, २८ जुलाई २०१५, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  14. "Remembering APJ Abdul Kalam: Five stories on the Missile Man’s legacy" (अंग्रेजीमे), इण्डियन एक्सप्रेस, २८ जुलाई २०१५, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  15. "End of an era: 'Missile man' Dr APJ Abdul Kalam passes away after cardiac arrest" (अंग्रेजीमे), फ़र्स्टपोस्ट.कॉम, २८ जुलाई २०१५, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  16. http://www.ndtv.com/india-news/former-president-apj-abdul-kalam-admitted-to-icu-in-shillong-sources-1201111
  17. अब्दुल कलाम ट्विटर खाता
  18. "डाक्टर कलाम का अंतिम संस्कार गुरुवार को रामेश्वरम में होगा, श्रद्धांजलि देने के लिए लगा तांता", ज़ी न्यूज़, २८ जुलाई २०१५। 
  19. "Archive copy", मूलसँ २०१५-१०-१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-२५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  20. https://en.m.wikipedia.org/w/index.php?title=Special:ZeroRatedMobileAccess&from=A._P._J._Abdul_Kalam&to=http://www.thehindu.com/news/national/live-kalams-body-to-be-flown-to-rameswaram-from-delhi/article7476407.ece%3Fhomepage%3Dtrue[permanent dead link]
  21. https://en.m.wikipedia.org/w/index.php?title=Special:ZeroRatedMobileAccess&from=A._P._J._Abdul_Kalam&to=http://www.business-standard.com/article/news-ani/people-s-president-kalam-laid-to-rest-with-full-state-honours-115073000426_1.html[permanent dead link]
  22. https://en.m.wikipedia.org/w/index.php?title=Special:ZeroRatedMobileAccess&from=A._P._J._Abdul_Kalam&to=http://www.thehindu.com/news/nation-bids-adieu-to-abdul-kalam/article7480951.ece%3Fhomepage%3Dtrue[permanent dead link]
  23. http://www.bbc.com/news/world-asia-india-33685083
  24. http://timesofindia.indiatimes.com/india/Seven-day-state-mourning-but-no-holiday/articleshow/48246786.cms
  25. "डाक्टर कलाम की सूक्तियाँ" (अंग्रेजीमे). http://www.abdulkalam.nic.in/quotes.html. अन्तिम पहुँच तिथि: 29 जुलाई 2015. 
  26. "अब्दुल कलाम द्वारा पुस्तकें" (अंग्रेजीमे). http://www.abdulkalam.nic.in/poetry.html. अन्तिम पहुँच तिथि: 29 जुलाई 2015. 
  27. "Students recall Kalam's services" [विद्यार्थियों ने कलाम की सेवाओं को याद किया], द हिन्दू (अंग्रेजीमे) (चेन्नई, भारत), १९ अक्टूबर २०१०, मूलसँ २०१३-१०-२९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  28. "Dr.Kalam's Page" (अंग्रेजीमे), abdulKalam.com, मूलसँ २०१२-०४-२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  29. दायेख, रिबल (१६ अप्रैल २०११), "Dr Abdul Kalam former President of India arrives to Dubai" [भारत के पूर्व राष्ट्र्पति डाक्टर कलाम का दुबई आगमन], Zawya, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  30. "Kalam receives honorary doctorate from Queen's University Belfast" [कलाम को क्वींस विश्वविद्यालय, बेलफ़ास्ट द्वारा मानद उपाधि दी गयी] (अंग्रेजीमे), Oneindia.in, ११ जून २००९, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  31. "Bharat Ratna conferred on Dr Abdul Kalam" [अब्दुल कलाम भारत रत्न से सम्मानित] (अंग्रेजीमे), रेडिफ़.कॉम, २६ नवंबर १९९७, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  32. "Kalam receives honorary doctorate from Queen's University Belfast" [कलाम को क्वींस विश्वविद्यालय, बेलफ़ास्ट द्वारा मानद उपाधि दी गयी], द हिन्दू (अंग्रेजीमे) (चेन्नई, भारत), २६ मई २००५, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  33. "एन॰एस॰एस॰ वॉन ब्राउन पुरस्कार" (अंग्रेजीमे). http://www.nss.org/awards/vonbraun_award.html. अन्तिम पहुँच तिथि: 28 जुलाई 2015. 
  34. "Ex-President of India Abdul Kalam visits the Forum" [भारत के पूर्व राष्ट्रपति अब्दुल कलाम ने फ़ोरम की यात्रा की] (अंग्रेजीमे), एडिनबर्ग विश्वविद्यालय, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  35. "Honorary Degrees – Convocation" [मानद उपाधि दीक्षांत समारोह] (अंग्रेजीमे), साइमन फ़्रेज़र विश्वविद्यालय, अन्तिम पहुँच =२८ जुलाई २०१५ 
  36. "IEEE Honorary Membership Recipients" [आइ॰ई॰ई॰ई॰ मानद सदस्यता धारक] (पी॰डी॰एफ॰) (अंग्रेजीमे), आइ॰ई॰ई॰ई॰, पृ: १, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  37. "Yet another honorary doctorate for Kalam" (अंग्रेजीमे), Rediff.com, ६ अक्टुबर २०१०, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  38. "A.P.J Abdul Kalam – Honorary Degree, 2009" [ए पी जे अब्दुल कलाम - मानद उपाधि, २००९] (अंग्रेजीमे), ऑकलैंड विश्वविद्यालय, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  39. "Former President Kalam chosen for Hoover Medal", टाइम्स अफ इण्डिया (अंग्रेजीमे) (न्यूयॉर्क), २७ मार्च २००९, मूलसँ २०१३-११-१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  40. "Caltech GALCIT International von Kármán Wings Award" (अंग्रेजीमे), galcit.caltech.edu, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  41. "Dr Abdul Kalam, former President of India, receives NTU Honorary Degree of Doctor of Engineering" (अंग्रेजीमे), नानयांग टेक्नोलॉजिकल विश्वविद्यालय, २६ अगस्त २००८, मूलसँ २०११-०८-२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  42. URL=http://articles.economictimes.indiatimes.com/2008-06-05/news/27702555_1_doctorate-amu-kalam "AMU to honour Kalam with doctorate" (अंग्रेजीमे), द इकोनॉमिक टाइम्स, ५ जून २००६, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  43. "Carnegie Mellon University Awards Honorary Doctorate To Former India President A.P.J. Abdul Kalam", cmu.edu (अंग्रेजीमे), कार्नेगी मेलन विश्वविद्यालय, २६ अक्टूबर २०१५, मूलसँ २०१५-०५-०६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  44. "King Charles II Medal for President", द हिन्दू (अंग्रेजीमे) (चेन्नई), १२ जुलाई २००७, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  45. "King Charles II Medal for Kalam", द इकोनोमिक टाइम्स (अंग्रेजीमे) (भारत), ११ जुलाई २००७, मूलसँ २०१६-०३-०५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  46. "Kalam conferred Honorary Doctorate of Science", द इकोनोमिक टाइम्स (अंग्रेजीमे) (भारत), २३ अक्टूबर २००७, मूलसँ २०१३-११-१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  47. ४७.० ४७.१ ४७.२ ४७.३ ४७.४ "Dr. Abdul Kalam's Diverse Interests: Prizes/Awards" (अंग्रेजीमे), आइ॰आइ॰टी॰ मद्रास, मूलसँ २००७-०७-१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  48. ४८.० ४८.१ "Bio-data: Avul Pakir Jainulabdeen Abdul Kalam", Press Information Bureau, Government of India, १ मार्च २०१२, अन्तिम पहुँच १ मार्च २०१२ 
  49. "List of recipients of Bharat Ratna" (PDF), Ministry of Home Affairs, Government of India, अन्तिम पहुँच १ मार्च २०१२ 
  50. "List of Distinguished Fellows" (अंग्रेजीमे), Institute of Directors, अन्तिम पहुँच २८ जुलाई २०१५ 
  51. ५१.० ५१.१ "Bharat Ratna conferred on Dr Abdul Kalam", Rediff.com, २६ नवम्बर १९९७, अन्तिम पहुँच १ मार्च २०१२ 

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी