सामग्री पर जाएँ

सचिन तेन्दुलकर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

सचिन तेन्दुलकर
Sachin Tendulkar
व्यक्तिगत जानकारी
पुरा नामसचिन रमेश तेन्दुलकर
जन्म (१९७३-०४-२४) २४ अप्रैल १९७३ (उमर ५१)[]
बोम्बे (एखन मुम्बई), महाराष्ट्र, भारत
अन्य नामलिटिल मास्टर, तेन्देल्या, क्रिकेटक भगवान,[]मास्टर ब्लास्टर,[]द मास्टर,[][]द लिटल च्याम्पियन
उचाई१.६५ मी (५ फिट ५ इन्च)
बल्लेबाजी शैलीदाहिना हात
गेन्दबाजी शैलीदाहिना हात लेग स्पिन, अफ स्पिन, मध्यमगति
काजबल्लेबाज
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी
राष्ट्रिय पक्ष
टेस्ट पदार्पण (टोपी २००)१५ नवम्बर १९८९ v पाकिस्तान
अन्तिम टेस्ट१४ नवम्बर २०१३ v वेस्ट इन्डिज
ओडिआई पदार्पण (टोपी ७४)१८ दिसम्बर १९८९ v पाकिस्तान
अन्तिम ओडिआई१८ मार्च २०१२ v पाकिस्तान
ओडिआई पोसाक क्रम१०
गृह टिम जानकारी
वर्षटिम
१९८८–२०१३मुम्बई
२००८–२०१३मुम्बई इन्डियनस (आइपिएल)
१९९२योर्कसायर
खेल जीवनी तथ्याङ्क
प्रतियोगिता टेस्ट ओडिआई एफसी एलए
म्याच २०० ४६३ ३१० ५५१
रन स्कोर १५,९२१ १८,४२६ २५,३९६ २१,९९९
बल्लेबाजी औषत ५३.७९ ४४.८३ ५७.९२ ४५.५४
१००/५० ५१/६८ ४९/९६ ८१/११६ ६०/११४
उत्कृष्ट स्कोर २४८* २००* २४८* २००*
कूल बल ४,२४० ८,०५४ ७,५६३ १०,२३०
विकेट ४६ १५४ ७१ २०१
गेन्दबाजी औषत ५४.१७ ४४.४० ६२.१८ ४२.१७
एक पारीमे ५ विकेट
एक म्याचमे १० विकेट - -
उत्कृष्ट गेन्दबाजी ३/१० ५/३२ ३/१० ५/३२
क्याच/स्टम्प ११५/- १३५/- १७४/- १७५/-
स्रोत: []क्रिकइन्फो, १५ नवम्बर २०१३

सचिन रमेश तेन्दुलकर (/ˌsəɪn tɛnˈdlkər/; जन्म: २४ अप्रैल १९७३) एक पूर्व भारतीय क्रिकेट खेलाडी आ कप्तान छी । क्रिकेटक इतिहासमे सचिनके विश्वक सर्वश्रेष्ठ बल्लेबाजसभमे गिनल जाइत अछि । भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्नसँ सम्मानित होमए वाला ओ सर्वप्रथम खेलाडी आ सबसँ कम उमरक व्यक्ति छी ।[] सचिन तेन्दुलकर राजीव गान्धी खेल रत्न पुरस्कारसँ सम्मानित एकमात्र क्रिकेट खेलाडी छी । सन् २००८ मे हुनका पद्म विभूषणसँ सेहो पुरस्कृत कएल गेल छल ।

सन् १९८९ मे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटमे पदार्पण कएलाक पश्चात् ओ बल्लेबाजीमे बहुत रास कीर्तिमान स्थापित केनए अछि । ओ टेस्टएकदिवसीय क्रिकेट, दुनू स्वरूपमे सर्वाधिक शतक बनेनिहार खेलाडी छी । ओ टेस्ट क्रिकेटमे सबसँ बेसी रन बनेनिहार बल्लेबाज सेहो छी ।[] ई संगे ओ टेस्ट क्रिकेटमे १५,००० सँ बेसी रन बनेनिहार विश्वक एकमात्र खेलाडी छी । एकदिवसीय म्याचमे सेहो हुनका सबसँ बेसी रन बनेबाक कीर्तिमान प्राप्त अछि । ओ अपन पहिल प्रथम श्रेणी क्रिकेट म्याच मुम्बईक लेल १४ वर्षक उमरमे खेलने छल । ओ अपन अन्तर्राष्ट्रिय खेल जीवनक आरम्भ सन् १९८९ मे पाकिस्तानक विरुद्ध कराचीमे केनए छल ।

सन् २००२ मे अपन करियरक आधा बाटमे विज्डन क्रिकेटर्स अल्मानाक हुनका टेस्ट क्रिकेटक सबसँ महान ब्याट्सम्यानक सूचीमे दोसर स्थानमे राखने छल, हुनकासँ आगा अस्ट्रेलियाक डन ब्र्याडम्यान छल । तहिना एकदिवसीय क्रिकेटमे सेहो हुनका दोसर स्थान प्राप्त भेल छल, हुनकासँ आगा वेस्ट इन्डिजक भिभ रिचर्ड्स रहल छल ।[] भारतद्वारा २०११ क्रिकेट विश्वकप जितैवाला टिममे तेन्दुलकर प्रमुख खेलाडीक रुपमे छल, भारतक प्रतिनिधित्व करैत हुनकाद्वारा खेलल गेल ६ क्रिकेट विश्वकपमे सँ ई पहिल विश्वकप जित छल ।[१०]दक्षिण अफ्रिकामे भेल २००३ क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगितामे प्लेयर अफ द टुर्नामेन्ट भेल छल । सन् २०१३ मे विज्डन क्रिकेटर्स अल्मानकक १५०अम वार्षिकोत्सवक अवसरमे विश्व क्रिकेट इतिहासमे विश्व टेस्ट एगहारम खेलाडीक सूचीमे अपन स्थान बनेबाने सफल ओ एक मात्र एकमात्र भारतीय क्रिकेट खेलाडी छल ।[११][१२][१३]

तेन्दुलकरद्वारा क्रिकेट खेलमे कएल गेल योगदानक कदर स्वरूप भारत सरकार सन् १९९४ मे अर्जुन पुरस्कार, सन् १९९७ मे भारतक सभसँ पैग खेल सम्मान राजीव गान्धी खेल रत्नक संगे सन् १९९९ आ सन् २००८ मे क्रमसः पद्म श्रीपद्म विभूषणद्वारा सम्मानित केनए छल ।[१४] सन् २०१३ नवम्बर १६ मे अपन क्रिकेट जीवनक अन्तिम म्याचक समाप्ति पश्चात किछ देरमे प्रधानमन्त्री कार्यालय (भारत) हुनका भारतक सभसँ पैग नागरिक सम्मान भारत रत्नसँ सम्मानित करवाक निर्णय केनए छल ।[१५][१६] भारत रत्नसँ सम्मानित होमएवाला ओ अखनधरिक सभसँ कम उमरक लोक आ पहिल खेलाडी छी ।[१७][१८]

सन् २०१२ दिसम्बरमे, तेन्दुलकर एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटसँ सन्यासक घोषणा केनए छल ।[१९]ट्वान्टी२० क्रिकेटसँ अक्टुबर २०१३ मे सन्यास लेनए छल [२०]आ सन् २०१३ नवम्बर १६ मे मुम्बईक वानखेडे स्टेडियममे वेस्ट इन्डिज विरुद्ध अपन जीवनक २००अम तथा अन्तिम टेस्ट म्याच खेल क्रिकेटक सम्पूर्ण स्वरुपसँ सन्यास लेनए छल । तेन्दुलकर ६६४ अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट म्याच खेल कूल ३४,३५७ रन बनेनाए छल ।[]

सचिन क्रिकेट जगतक सर्वाधिक प्रायोजित खेलाडी छी आ विश्व भरमे हुनकर अनेक प्रशंसक अछि । हुनकर प्रशंसकगण हुनका प्रेमसँ भिन्न-भिन्न नामसभ सँ बजबैत अछि जहिमे सबसँ प्रचलित लिटिल मास्टर आ मास्टर ब्लास्टर अछि । क्रिकेट वाहेक सचिन अपने नामसँ एकटा रेस्टोरेन्ट सेहो खोलने अछि । वर्तमानमे ओ भारतक राज्य सभाक सदस्य अछि, सन् २०१२ मे ओ राज्य सभाक सदस्यक रूपमे नामित कएल गएल छल ।[२१]

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]
अञ्जली आ सचिन एक सार्वजनिक समारोहमे

तेन्दुलकरको जन्म राजापुरक मराठी ब्राह्मण परिवारमे भेल छल ।[२२] हुनकर पिता रमेश तेन्दुलकर जानल मानल कथाकार छल तँ माता रजनी एक जीवन विमा कम्पनीमे काज करैत छल ।[२३] सचिनक नाम हुनकर पिता अपन मनपोसन्द सङ्गीतकार सचिन देव बर्मनक नाममे राखने छल । हुनकर भैया अजीत तेन्दुलकर सचिनके क्रिकेट खेलक लेल प्रोत्साहित केनए छल । सचिनक एक भाई नितिन तेन्दुलकर आ एक बहिन सविता तेन्दुलकर अछि ।[२४]सन् १९९५ मे सचिन तेन्दुलकरक विवाह अञ्जली तेन्दुलकरसंग भेल छल ।[२५] सचिनक दुई बेटाबेटी अछि- सारा आ अर्जुन ।

सचिन मुम्बईके शारदाश्रम विद्यामन्दिरसँ अपन शिक्षा पुरा केनए छल । ओतय इ प्रशिक्षक रमाकान्त अचरेकरक अचरजमे अपन क्रिकेट जीवनक प्रारम्भ केनए छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Bal, Sambit, "Sachin Tendulkar—Cricinfo Profile", ESPNcricinfo, मूलसँ १४ नवम्बर २०१० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ दिसम्बर २००७ 
  2. "The God of Cricket Joins Twitter", Bollywood.com, अन्तिम पहुँच २१ दिसम्बर २०१० 
  3. "Sachin Tendulkar: Bio, Facts", Celebrity Bio, Facts, अन्तिम पहुँच २०१७-०५-३० 
  4. Arora, Nishant, "India will need Sachin for next 2–3 years: Srikkanth: Cricket Next", Cricketnext.in.com, मूलसँ २४ अक्टुबर २००८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २७ नवम्बर २००८  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  5. Berry, Darren (२६ अक्टुबर २००८), "Despite the loss of ageing stars, India is on the brink of a golden era", Melbourne: Theage.com.au, अन्तिम पहुँच २७ नवम्बर २००८ 
  6. www.espncricinfo.com/ci/content/player/35320.html
  7. "सचिन तेंडुलकर, सीएनआर राव भारत रत्न से सम्मानित", नवभारत टाईम्स, ४ फ़रवरी २०१४, मूलसँ २०१४-०२-२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ५ फ़रवरी २०१४  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  8. ८.० ८.१ "Records / Combined Test, ODI and T20I records / Batting records ; Most runs in career", ESPNcricinfo, १७ नवम्बर २०१३, अन्तिम पहुँच १७ नवम्बर २०१३ 
  9. "Tendulkar second-best ever: Wisden", Rediff.com, अन्तिम पहुँच २७ नवम्बर २००८ 
  10. "Reliving a dream", The Hindu, ६ अप्रैल २०११, अन्तिम पहुँच ६ अप्रैल २०११ 
  11. "Don Bradman, Shane Warne in Wisden's XI", theaustralian.com, २३ अक्टुबर २०१३, अन्तिम पहुँच २३ अक्टुबर २०१३ 
  12. "WG Grace and Shane Warne in Wisden all-time World Test XI", BBC, २३ अक्टुबर २०१३, अन्तिम पहुँच २३ अक्टुबर २०१३ 
  13. "Sachin Tendulkar in Wisden's All-time World Test XI", NDTV, २३ अक्टुबर २०१३, अन्तिम पहुँच २३ अक्टुबर २०१३ 
  14. "Padma Awards", Ministry of Home Affairs, Government of India, २०१५, मूलसँ १५ अक्टुबर २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २१ जुलाई २०१५  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  15. "Sachin first sportsperson to win country's highest civilian honour Bharat Ratna", Hindustan Times, New Delhi, १६ नवम्बर २०१३, मूलसँ १७ जनवरी २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १६ नवम्बर २०१३  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  16. "Bharat Ratna for Prof CNR Rao and Sachin Tendulkar", Prime Minister's Office, १६ नवम्बर २०१३, १९ नवम्बर २०१३ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १६ नवम्बर २०१३  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  17. "Sachin Tendulkar and CNR Rao conferred Bharat Ratna", The Times of India, ४ फरबरी २०१४, ४ फरबरी २०१४ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ४ फरबरी २०१४  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  18. "CNR Rao, Sachin receive Bharat Ratna", The Hindu, ४ फरबरी २०१४, अन्तिम पहुँच ४ फरबरी २०१४ 
  19. "Tendulkar announces limited-overs retirement", Wisden India, अन्तिम पहुँच २३ दिसम्बर २०१२ 
  20. "Tendulkar calls time on IPL career", Wisden India, २६ मई २०१३। 
  21. "Rajya Sabha stint", Hindustan Times, ४ जून २०१२, मूलसँ २०१२-०६-०४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ४ जून २०१२  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  22. "Sachin born at Nirmal Nursing Home", मूलसँ १९ दिसम्बर २०१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ दिसम्बर २०१३  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  23. Thani, L.; Mishra, R. (1999). Sensational Sachin. Diamond Pocket Books. प॰ 113. आइएसबिएन 81-288-2573-9. "His mother Rajni Tendulkar worked in L.I.C." 
  24. "Sachin Tendulkar", Mahalo.com, अन्तिम पहुँच १८ दिसम्बर २०१२ 
  25. "Sachin Tendulkar", Mahalo.com, मूलसँ २१ अक्टुबर २०१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ दिसम्बर २०१२ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]