विराट कोहली

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
विराट कोहली
Virat Kohli
Virat Kohli portrait.jpg
कोहली प्रो कबड्डी लीगक उद्घाटन समारोहमे, जुन २०१६
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म (१९८८-११-०५) ५ नवम्बर १९८८ (उमर ३४)
दिल्ली, भारत
अन्य नामचीकू[१]
उचाई५ फिट ९ इन्च (१.७५ मी)
बल्लेबाजी शैलीदहिना हाथ सँ
गेन्दबाजी शैलीदहिना हाथक मध्यम तेज गति
काजब्याट्सम्यान
सम्बन्धअनुष्का शर्मा (पत्नी)
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी
राष्ट्रिय पक्ष
टेस्ट पदार्पण (टोपी १६९)२० जुन २०११ v वेस्ट इन्डिज
अन्तिम टेस्ट२४ जनवरी २०११ v दक्षिण अफ्रिका
ओडिआई पदार्पण (टोपी १७५)१८ अगस्त २००८ v श्रीलंका
अन्तिम ओडिआई१६ फरबरी २०१८ v दक्षिण अफ्रिका
ओडिआई पोसाक क्रम१८
टि२०आई पदार्पण (टोपी ३१)१२ जुन २०१० v जिम्बाब्वे
अन्तिम टि२०आई७ नवम्बर २०१७ v न्युजिल्यान्ड
टि२०आई पोसाक क्रम१८
गृह टिम जानकारी
वर्षटिम
२००६–वर्तमानदिल्ली
२००८–वर्तमानरोयल च्यालेन्जर्स बेङ्गलोर (पोशाक क्रम १८)
खेल जीवनी तथ्याङ्क
प्रतियोगिता टेस्ट वनडे टि20आई एफसी
म्याच ६६ २०८ ५७ ९८
रन स्कोर ५,५५४ ९,५८८ १,९८३ ७,८०३
बल्लेबाजी औषत ५३.४० ५८.१० ५०.८४ ५३.८१
१००/५० २१/१६ ३५/४६ ०/१८ २८/२४
उत्कृष्ट स्कोर २४३ १८३ ९०* २४३
कूल बल १६३ ६४१ १४६ ६३१
विकेट
गेन्दबाजी औषत १६६.२५ ४९.५० ११०.००
एक पारीमे ५ विकेट
एक म्याचमे १० विकेट n/a n/a
उत्कृष्ट गेन्दबाजी १/१५ १/१३ १/४२
क्याच/स्टम्प ६३/– १००/– २७/– ९४/–
स्रोत: इएसपिएन क्रिकइन्फो, २४ फरबरी २०१८

विराट कोहली (अङ्ग्रेजी: Virat Kohli; जन्म: ५ नवम्बर १९८८) भारतीय राष्ट्रिय क्रिकेट टिमक कप्तान छी ।[२] दहिना हातक कलात्मक ब्याट्सम्यान कोहली विश्व क्रिकेटमे उत्कृष्ट ब्याट्सम्यानक दर्जा प्राप्त केनए अछि ।[३][४][५][६][७][८][९][१०][११]इन्डियन प्रिमियर लिग (आइपिएल) मे रोयल च्यालेन्जर्स बेङ्गलोर दिस सँ खेलनिहार कोहली सन् २०१३ सँ ओ ई टिमक कप्तानक भूमिकामे अछि ।

दिल्लीमे जनमल आ बढल कोहली सन् २००६ मे प्रथम-श्रेणी क्रिकेटमे पदार्पण करै सँ पहिने दिल्ली क्रिकेट टिमक प्रतिनिधित्व करि विविध उमर-समूहक क्रिकेटमे अपन भागिदारी जनाए चुकल छल । मलेसियामे आयोजन भेल २००८ आइसिसी अन्डर-१९ क्रिकेट विश्वकपमे भारत अन्डर-१९ राष्ट्रिय क्रिकेट टिमक कप्तानी करैत अपन समूहकें विजयी बनेनाए छल । विश्वकपक किछ महिना बाद ओ श्रीलंका राष्ट्रिय क्रिकेट टिमक विरुद्ध १९ वर्षक उमरमे एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय खेलमे पदार्पण केनए छल । वर्तमान समयमे वनडे क्रिकेटमे सभ सँ बेसी शतक लगेनिहार क्रिकेटरसभक श्रेणीमे विराट कोहली दोसर क्रममे अछि ।[१२][१३][१४][१५] विराट कोहली अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटमे सभ सँ तीव्र १५,००० रन बनाबैवला ब्याट्सम्यान छी । ओ क्रिकेटक सम्पूर्ण स्वरूपक कूल ३३३ म्याचमे ई कारनामा करि हाशिम अमलाद्वारा स्थापित कीर्तिमान तोड़लक ।[१६]

जिवनी[सम्पादन करी]

विराट कोहलीक जन्म दिल्लीमे एक पञ्जाबी परिवारमे ५ नवम्बर १९८८ कें भेल छल ।[१७] हुनकर पिता प्रेम कोहली एक ओकिल आ माता सरोज कोहली एक गृहिणी छी ।[१८] हुनकर एक भाए विकास आ एक पैग बहीन भावना अछि ।[१९] हुनकर परिवारक अनुसार कोहली तीन वर्षक उमरमे क्रिकेट ब्याट हाथमे लऽ अपन पिताक बलिङ करवाक लेल कहैत छल ।[२०]

कोहली उत्तम नगरमे पैग भेल [२१] आ अपन विद्यालय शिक्षा विशाल भारती सार्वजनिक विद्यालय सँ पुरा केलक । सन् १९९८ मे पश्चिम दिल्ली क्रिकेट एकेडमीक स्थापना भेलाक बाद ९ वर्षक कोहली ओकर हिस्सा बनि गेल ।[२१] विराट जका होनहार क्रिकेट खेलाडी गल्ली क्रिकेट खेल अपन समय बर्बाद करि रहल अछि हुनका व्यावसायिक क्लबमे क्रिकेटक कला सिखवाक पड़ोसीसभक सलाह अनुसार कोहलीक पिता हुनका ओ क्रिकेट एकेडमी लऽ गेल छल ।[१८] राजकुमार शर्माक प्रशिक्षणमे कोहली एकेडमीमे खेल सिखैत छल आ ओहि समय ओ वसुन्धरा इनक्लेभमे सुमीत डोग्रा एकेडमी सँ म्याच सेहो खेलैत छल ।[२१] प्रशिक्षक शर्मा ओ दिन याद करैत कहैत छथि जे कोहली एक क्षमतावान आ बहुत मिहिनेती खेलाडीक सङ्ग सङ्ग कोनो क्रममे ब्याटिङ करि सकैत अछि ।[२२][१८] खेलक सङ्ग सङ्ग ओ पढ़ाईमे सेहो अव्वल विद्यार्थी छल ।[२३]सन् २०१५ धरि कोहलीक परिवार मीरा बागमे रहैत छल आ बादमे ओसभ गुरुग्राममे बसोबास आरम्भ केलक ।[२४]

युवा आ घरेलू करियर[सम्पादन करी]

कोहली पहिल बेर अक्टुबर २००२ मे दिल्ली अन्डर-१५ टिमक लेल २००२-०३ मे पाली उम्रिगर ट्रफीमे खेलने छल । ओ ३४.४० कऽ औसत सँ १७२ रनक सङ्ग ओहि प्रतियोगितामे अपन टिमक लेल अग्रणी रन बनेनिहार खेलाडी छल । ओ २००३-०४ पाली उम्रिगर ट्रफीक लेल अपन टिमक कप्तान बनल आ प्रतियोगिता अवधिमे दुई शतक आ दुई अर्धशतक सहित ७८ कऽ औसत सँ ५ पारीमे ३९० रन बनेलक । सन् २००४ कऽ उत्तरार्धमे, विराटकें २००३-०४ मे विजय मर्चेन्ट ट्रफीक लेल दिल्ली अन्डर-१७ टिममे चयन कएल गेल । ओ चारि म्याचमे ११७.५० कऽ औसत सँ दुई शतक आ २५१* कऽ शीर्ष स्कोरक सङ्ग ४७० रन बनेलक । दिल्ली अन्डर-१७ टिम २००४-०५ कऽ विजय मर्चेन्ट ट्रफी जीतलक जहिमे कोहली दुई शतक सहित ८४.११ कऽ औसत सँ ७ म्याचमे ७५७ रनक सङ्ग प्रतियोगिताक उच्चतम रन-स्कोरर छल । सन् २००६ फरबरीमे, ओ दिल्ली क्रिकेट टिमक लेल सर्भिस क्रिकेट टिमक विरुद्ध सूची ए क्रिकेटक पदार्पण केलक मुदा बल्लेबाजी नै कऽ सकल ।

सन् २००६ जुलाईमे कोहलीकें इङ्ल्यान्ड दौराक लेल भारत अन्डर-१९ राष्ट्रिय क्रिकेट टिममे चयन कएल गेल । ओ तीन म्याचक टेस्ट श्रृङ्खलामे इङ्ल्यान्ड अन्डर-१९ राष्ट्रिय क्रिकेट टिमक विरुद्ध ४९ आ तीन म्याचक एकदिवसीय श्रृङ्खलामे १०५ कऽ औसत सँ रन बनेलक । मेजबान भारत अन्डर-१९ टिम दुनू श्रृङ्खलामे विजयी रहल । दौराक समापनक बाद, भारत अन्डर-१९ टिमक प्रशिक्षक लालचन्द राजपूत कोहली सँ प्रभावित भऽ कहने छल— कोहली गति आ स्पिन दुनूक विरुद्ध तगड़ा कौशल देखेलक । सितम्बरमे, भारत अन्डर-१९ टिम पाकिस्तानक दौरा केलक । ओतय कोहली पाकिस्तान अन्डर-१९ कऽ विरुद्ध टेस्ट श्रृङ्खलामे ५८ आ एकदिवसीय श्रृङ्खलामे ४१.६६ कऽ औसत सँ रन बनेलक ।

कोहली सन् २००६ दिसम्बरमे १८ वर्षक उमरमे तमिलनाडु क्रिकेट टिमक विरुद्ध दिल्लीक लेल अपन प्रथम श्रेणी क्रिकेटक शुरुआत केलक आ अपन पहिल पारीमे १० रन बनेलक । दिसम्बरमे ओ चर्चामे आएल जखन ओ अपन पिताक मौतक एक दिन बाद कर्नाटक क्रिकेट टिमक विरुद्ध अपन टिमसँ खेलैक निर्णय करि ९० रन बनेलक । आउट भेलाक तुरन्त बाद ओ सीधे अन्तिम संस्कारक लेल चलि गेल । दिल्ली टिमक कप्तान मिथुन मनहास कहलक— ई टिमक लेल बहुत पैग प्रतिबद्धताक एक अधिनियम छी आ हुनकर पारी टिमक लेल बहुत महत्वपूर्ण साबित भेल । प्रशिक्षक चेतन चौहान कोहलीद्वारा दर्शाएल गेल रङ्गरूप आ दृढ़ सङ्कल्पक सराहना केलक । हुनकर माताक अनुसार ओहि दिनक बाद विराट परिवर्तित भऽ गेल आ एके रातिमे ओ एक बहुत अधिक परिपक्व व्यक्ति बनि गेल । एकर बाद ओ सभ म्याचकें गम्भीरता सँ लेलक । ओहि सत्रमे ओ ३६.७१ कऽ औसत सँ ६ म्याचमे कूल २५७ रन बनेलक ।[२५]

सन् २००७ अप्रैलमे, ओ अपन ट्वान्टी २० क्रिकेटक शुरुआत केलक आ अन्तर-राज्य टि२० च्याम्पियनसिपमे अपन टिमक लेल ३५.८० कऽ औसत सँ १७९ रनकें सङ्ग उच्चतम रन-स्कोररक रूपमे प्रतियोगिता समाप्त केलक ।

सन्दर्भ सामाग्री[सम्पादन करी]

  1. "Kohli will take Indian cricket places", रेडिफ़, अन्तिम पहुँच २४ दिसम्बर २०१५ 
  2. "My summer watching the big four" 
  3. "ICC World Twenty20: Virat Kohli best batsman in the world, says Sunil Gavaskar" (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  4. "Kohli is world's best batsman: Wasim Akram - The Express Tribune", The Express Tribune (अङ्ग्रेजीमे), २०१६-०३-११, अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  5. "Kohli the best in the world: Waugh", cricket.com.au (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  6. "'Kohli is the best player in the world'", ESPNcricinfo, अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  7. "Virat Kohli better than AB de Villiers, says Shane Warne" (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  8. "Virat Kohli is a genius and best in the world: Javed Miandad - Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  9. "India vs South Africa: Virat Kohli is 'Greatest Ever ODI Player', Says Michael Vaughan", News18, २०१८-०२-१७, अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  10. NDTVSports.com, "Virat Kohli Is 'The Best ODI Player Of All Time', Says Former Australian Captain – NDTV Sports", NDTVSports.com (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  11. "Sachin Tendulkar vs Virat Kohli: Imran Khan joins debate, says current Test captain is 'better than anyone'", Zee News (अङ्ग्रेजीमे), २०१६-०६-१९, अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२५ 
  12. "Is Kohli up there with Tendulkar and Richards as an ODI batsman?" 
  13. "32 वनडे शतक जड़कर कोहली , अब सिर्फ सचिन से ही पीछे है।" 
  14. "सफलता के शिखर पर विराट 30वें शतक के साथ वनडे में एक और कमाल" 
  15. "भारत के लिए खुशखबरी, वनडे में सबसे अधिक शतक जड़ने के मामले में विराट कोहली बने नंबर-2" 
  16. "सबसे तेज 15 हजार रन बनाने वाले बल्लेबाज बने विराट कोहली" 
  17. "Even today the money cricketers make is not enough: Kapil Dev in conversation with Virat Kohli", India Today, ११ जुलाई २०१५-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ६ अक्टुबर २०१५  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  18. १८.० १८.१ १८.२ "Virat changed after his dad's death: Mother", Times of India, २७ फरबरी २०१५-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २२ अप्रैल २०१५  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  19. Lokendra Pratap Sahi (७ मार्च २०११), "Being aggressive comes naturally: Virat Kohli – Young turk speaks about his likes and Dislikes", The Telegraph (Calcutta, India), २३ मार्च २०१२-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १३ मार्च २०१२  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  20. "This is Virat", The Cricket Monthly, ESPNcricinfo, ९ जून २०१५-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१५  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  21. २१.० २१.१ २१.२ "Cricketer Virat Kohli - India's latest sex symbol?", Indian Express, २२ अप्रैल २०१५-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २२ अप्रैल २०१५  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  22. Lokapally (2016), p. 19.
  23. "Successful Alumni / Vishal Bharti Public School", मूलसँ २७ मई २०१५-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २७ मई २०१५  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  24. "Virat Kohli: Delhi's golden boy since 2002", The Times of India, २७ अप्रैल २०१६-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २४ अगस्त २०१६  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  25. विराट कोहली की जीवनी हिंदी में साहूफॉरयु.कॉम।

वाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]