सामग्री पर जाएँ

गुरुग्राम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
गुरुग्राम
Gurugram
गुड़गाँव
गुरुग्राम Haryanaपर अवस्थित
गुरुग्राम
गुरुग्राम
हरियाणा में स्थिति
निर्देशांक: २८°२७′२२″N ७७°०१′४४″E / २८.४५६°N ७७.०२९°E / 28.456; 77.029निर्देशाङ्क: २८°२७′२२″N ७७°०१′४४″E / २८.४५६°N ७७.०२९°E / 28.456; 77.029
देश भारत
राज्यहरियाणा
ज़िलागुरुग्राम ज़िला
जनसंख्या (2011)
  कुल८,७६,९६९
भाषा
  प्रचलितहरियाणवी, पंजाबी, हिन्दी
समय मण्डलIST (यूटीसी+5:30)
पिनकोड122xxx
दूरभाष कोड0124
वाहन पंजीकरणHR-26 (नगर)
HR-55 (वाणिज्यिक)
HR-72 (सोहना)
HR-76 पटौदी (गुड़गाँव)
वेबसाइटgurugram.gov.in

गुरुग्राम (पूर्व नाम: गुड़गाँव), हरियाणाक एक नगर छी जे राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्ली सँ सटल अछि। ई दिल्लीसँ ३२ किमी दूर अछि। दक्षिण-पश्चिम मे स्थित अछि। २०११ मे ८,७९,९९६ क जनसङ्ख्याक साथ ई फरीदाबाद के बाद हरियाणाक दोसर सर्वाधिक जनसङ्ख्या वाला नगर छी। गुरुग्राम दिल्लीक प्रमुख उपग्रह नगरसभमे सँ एक छी, आ राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्रक हिस्सा छी। चण्डीगढ़मुम्बईक बाद ई भारतक तेसर सभसँ बेसी प्रति व्यक्ति आय वाला शहर छी।[]

लोकमान्यताक अनुसार महाभारत कालमे इन्द्रप्रस्थ (वर्तमान दिल्ली) क राजा युधिष्ठिर ई ग्राम अपन गुरु द्रोणाचार्य केँ देने छल। हुनकर नाम पर एकर नाम गुरुग्राम राखल गेल, जे कालान्तर मे गुड़गाँव भ गेल। महान गुरु भक्त एकलव्य केर गुड़गाँव सँ घनिष्ठ संबंध अछि। एहि स्थान पर गुरु द्रोणाचार्य एकलव्य सँ अंगूठा मँगने छलाह। मुगल कालमे ई आगरा प्रान्तमे छल, जबकि ब्रिटिश कालमे ई दिल्ली जिलाक भाग छल। १९५० के दशक तक गुरुग्राम एकटा छोट गाम छल, जकर अर्थव्यवस्था कृषि पर आधारित छल। आस - पासक क्षेत्रक तुलनामे एहि ठामक माटि खराब गुणवत्ताक छल, आ एहि कारणसँ एहि ठामक जमीनक दर बहुत कम छल। एकर लाभ उठबैत कैको कम्पनीसभ ८० आ ९० के दशकमे एतय औद्योगिक क्षेत्र स्थापित करए लागल।[][]

प्राचीन इतिहास

[सम्पादन करी]

महाभारत के अनुसार ई क्षेत्र पाण्डव राजा युधिष्ठिर द्वारा अपन गुरु द्रोणाचार्य के गुरुदक्षिण के रूप में देल गेल छल | बाद मे ई मौर्य साम्राज्य के अधीन आबि गेल, आ फेर अगिला वर्ष मे यादव शासक के हाथ मे आबि गेल, तकर बाद पहलवीकुशाना साम्राज्य, जखन ओ यमुनासतलज के बीच के इलाका में कुशान के पराजित केलनि। यादव के बाद सत्रप राजा रुद्रदमन प्रथम के शासन छल, आ फेर गुप्त वंश, आ हुन, जे मंदसौर के यशोधर्मन के शासन छल | आ तखन कन्नौज. केँ यशोवर्मन द्वारा उखाड़ि देल गेल। हुनका लोकनिक बाद एहि क्षेत्र पर हर्ष (५९०–४६७ ई.पू.) आ गुर्जारा-प्रतिहार वंश (७वीं शताब्दीक मध्य सँ ११म शताब्दी धरि) केर शासन छल | ७५६ मे तोमर वंश प्रतिहार के सत्ता स बेदखल क अपन राज्य के स्थापना केलक, जे ११५६ मे चौहान वंश के राजा विसालेदेव चौहान स पराजित भ गेल छल | ११८२ मे चौहान वंशक विस्तार गुरुग्राम, नुह, भिवानीरेवाड़ी धरि भेल।

गुरुग्राम नगर हरियाणा राज्यक गुरुग्राम जिलाामे स्थित अछि। ई नगर राष्ट्रिय राजधानी नई दिल्लीक ३० किमी दक्षिण द्वारका-दिल्ली सँ लगभग १० किमीक दूरी पर, आ राज्यक राजधानी चंडीगढ़क २६८ किमी दक्षिणमे स्थित अछि। नगरक कुल क्षेत्रफल ७३८.८ वर्ग किलोमिटर अछि।[] समुद्र तल सँ एकर उचाई २१७ मीटर अछि।[]

धर्म आ सम्प्रदाय

[सम्पादन करी]
गुरुग्राम के धार्मिक आंकड़े (२०११)
धर्म अनुयायी
हिन्दू धर्म
 
९१.८८%
इस्लाम
 
४.५७%
सिख धर्म
 
१.६०%
अन्य
 
१.१६%

हिन्दू धर्म नगरक प्रमुख धर्म छी। एकर अतिरिक्त गुड़गाँवमे सिख धर्म, इस्लाम, बौद्ध धर्म, जैन धर्म, ईसाई धर्म आ बहाई धर्मक अनुयायी सेहो रहैत अछि। गुडगाममे सभ प्रमुख धर्मक लेल पूजाक अनेक स्थान अछि, जहिमे मन्दिर, गुरुद्वारा, मस्जिद आ चर्च शामिल अछि।

शहरक कुल जनसंख्यामे ९१.८८ प्रतिशत हिन्दू धर्मक आ ४.५७ प्रतिशत इस्लाम धर्मक अनुयायी अछि। एकर अत्रिरक्त नगरमे १.६० प्रतिशत लोक सिख धर्मक, ०.९५ प्रतिशत लोग ईसाई धर्मक, ०.७९ प्रतिशत लोग जैन धर्मक आ ०.०९ प्रतिशत लोग बौद्ध धर्मक पालन करैत अछि। एकर अतिरिक्त, नगरक कुल जनसङ्ख्यामे सँ ०.१३ प्रतिशत लोक या त आस्तिक अछि, या कोनो धर्म सँ सम्बद्ध नहि अछि।

इन्दिरा गाँधी अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थलक समीप स्थित अछि, आ दिल्ली सँ दिल्ली गुडगाँव एक्सप्रेसवेदिल्ली गुरुग्राम द्रुतगामी मार्गक माध्यमसँ जुड़ल अछि। गुरुग्राम मे मेट्रो यातायातक सभ सँ प्रचलित साधन अछि। दिल्ली मेट्रो सं दिल्ली मेट्रो नेटवर्क सं जुड़ल अछि दिल्ली मेट्रो क येलो लाइन द्वारा। एकर अतिरिक्त सेहो नगर मे अनेक अन्य मेट्रो रूट प्रस्तावित अछि जाहि मे रैपिड मेट्रो गुरुग्राम प्रमुख अछि।[]

गुरुग्राम (१९८१–२०१०, चरम १९६५–२०००) २.-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) रेकर्ड २८٫०
(८२)
३३٫५
(९२)
४१٫४
(१०७)
४६٫५
(११६)
४९٫०
(१२०)
४७٫५
(११८)
४५٫०
(११३)
४१٫०
(१०६)
४१٫२
(१०६)
३९٫३
(१०३)
३८٫४
(१०१)
३२٫५
(९१)
४९٫०
(१२०)
अधिकतम °से (°फे) औषत २०٫७
(६९)
२३٫७
(७५)
२९٫६
(८५)
३६٫६
(९८)
४०٫२
(१०४)
३९٫८
(१०४)
३५٫५
(९६)
३४٫०
(९३)
३४٫१
(९३)
३२٫८
(९१)
२८٫३
(८३)
२३٫१
(७४)
३१٫५
(८९)
न्यूनतम °से (°फे) औषत ६٫४
(४४)
८٫८
(४८)
१३٫५
(५६)
१९٫१
(६६)
२४٫१
(७५)
२६٫५
(८०)
२६٫४
(८०)
२५٫६
(७८)
२३٫८
(७५)
१७٫३
(६३)
११٫३
(५२)
७٫०
(४५)
१७٫५
(६४)
न्यूनतम °से (°फे) रेकर्ड ०٫०
(३२)
०٫७
(३३)
३٫७
(३९)
९٫२
(४९)
१४٫८
(५९)
१२٫०
(५४)
२१٫०
(७०)
१५٫५
(६०)
१३٫९
(५७)
९٫३
(४९)
२٫६
(३७)
−०٫४
(३१)
−०٫४
(३१)
औषत वर्षात मीमी (इञ्च) १५٫०
(०٫५९)
२१٫४
(०٫८४)
१२٫३
(०٫४८)
१८٫२
(०٫७२)
३४٫३
(१٫३५)
५७٫३
(२٫२६)
१७१٫४
(६٫७५)
१९०٫७
(७٫५१)
९३٫८
(३٫६९)
१२٫०
(०٫४७)
१०٫७
(०٫४२)
९٫९
(०٫३९)
६५७٫०
(२५٫८७)
वर्षात दैनिक औषत १٫२ १٫६ १٫२ १٫१ २٫२ ३٫६ ७٫६ ८٫३ ४٫६ १٫० ०٫८ ०٫८ ३४٫२
औषत नमी (%) (at 17:30 IST) ५४ ४५ ३७ २८ ३१ ४० ६३ ६९ ५९ ४५ ४७ ५५ ४८
स्रोत #१:
स्रोत #२: Weather Atlas[]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ २५ अप्रैल २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २५ अप्रैल २०१८
  2. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ २५ अप्रैल २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २५ अप्रैल २०१८
  3. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ २७ अप्रैल २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २७ अप्रैल २०१८
  4. "Demographics", Municipal Corporation, Gurgaon, मूलसँ ११ अक्तूबर २०१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २०१८
  5. "GGN/Gurgaon(3)", India Rail Info, मूलसँ २१ फ़रवरी २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २ अक्टुबर २०१३
  6. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ २६ अप्रैल २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २५ अप्रैल २०१८
  7. "Gurgaon, India - Climate and monthly weather forecast", Weather Atlas, मूलसँ १२ जुलाई २०२२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १२ जुलाई २०२२

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]