सामग्री पर जाएँ

रोहिणी भाटे

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
गुरु

रोहिणी भाटे
रोहिणी भाटे
रोहिणी भाटे
जन्म(१९२४-११-१४)१४ नवम्बर १९२४
पटना, बिहार, भारत
मृत्यु१० अक्टुबर २००८(२००८-१०-१०) (८३ वर्ष)
पुणे, महाराष्ट्र
राष्ट्रियताभारत
नागरिकताभारतीय
शिक्षाभारतीय शास्त्रीय नृत्य, हिन्दुस्तानी शास्त्रीय सङ्गीत
मातृसंस्थाफर्गुसन कलेज
व्यवसायशास्त्रीय नृत्य कलाकार, शिक्षक, लेखक, शोधकर्ता
सङ्गठननृत्यतिभारती कथक नृत्य एकेडमी
शैलीकथक
पुरस्कारसङ्गीत नाटक एकेडमी पुरस्कार

रोहिणी भाटे (मराठी: रोहिणी भाटे) (१४ नवंबर १९२४ - १० अक्टूबर २००८) भारतक सब सँ वरिष्ठ कथक नृत्य प्रतिपादक छल[], आ भारतीय शास्त्रीय नृत्य कलाकार, शिक्षक, लेखक, शोधकर्ताक रूपमे जानल जाएत छल। अपन करियरक समयमे, हुनका बहुतो पुरस्कारसभ सँ सम्मानित कएल गेल छल, जेना सङ्गीत नाटक एकेडमी पुरस्कार आ कालिदास सम्मान।[]

रोहिणी जयपुरलखनऊ घराना सँ कथक सिखलक। ओ नृत्य रचनासभक एक बडका कोष बनेलक, जत ओ अभिनायक लेल एक विश्लेषणात्मक आ नवीन दृष्टिकोण लागू करलक।[] हिन्दुस्तानी शास्त्रीय सङ्गीतमे अपन ज्ञानक कारण, ओ प्राय अपन नृत्य रचनासभक लेल सङ्गीत तैयार करलक। समीक्षक सुनील कोठारीक अनुसार, विजया मेहता द्वारा निर्देशित शकुन्तलाक लेल हुनकर कोरियोग्राफी उल्लेखनीय अछि।

रोहिणी भाटेक जन्म १४ नवम्बर १९२४ पटना, बिहारमे भेल छल । ओ पुणे सँ अपन शिक्षा पूरा करलक। ओ एक मध्यमवर्गीय करहादे ब्राह्मण परिवार सँ आबैत अछि। रोहिणीक गुरु पार्वती कुमारक द्वारा भरतनाट्यम्मे प्रशिक्षित कएल गेल छल । ओ १९४६ मे फर्गुसन कलेज सँ कलामे अपन डिग्री प्राप्त केलक।[] ओहि वर्ष ओ जयपुर घरानाक सोहनलालक साथ कथक सिखनाए शुरू केलक। ओ पंडित लच्छू महाराजक मार्गदर्शनमे, बारह वर्ष सँ अधिक समय तक, आ लखनऊ घरानाक पंडित मोहनराव कल्लियनपुरकरक मार्गदर्शनमे, पन्द्रह वर्ष सँ अधिक समय तक कथकमे विशेषज्ञता प्राप्त केनए छल।[] ओ सङ्गीतकार केशवराव भोले आ वसन्तराव देशपाण्डे सँ हिन्दुस्तानी सङ्गीत सेहो सिखलक, आ कथकमे डाक्टरेटक उपाधि प्राप्त केलक।

पुरस्कार

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Rohini Bhate", IMDb, अन्तिम पहुँच २० जनवरी २०१७
  2. "Rohini Bhate passes away", The Hindu, ११ अक्टुबर २००८, अन्तिम पहुँच १९ जनवरी २०१७
  3. Jafa, Navina (४ अगस्त २०१६), "Dissolving the dissonance", The Hindu, अन्तिम पहुँच १९ जनवरी २०१७
  4. "Biographies of Kathak Gurus", Nad Sadhna: Institute for Indian Music & Research Center, मूलसँ १७ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २० जनवरी २०१७ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  5. Walker, Margaret E. (2016). India's Kathak Dance in Historical Perspective. London: Routledge. प॰ 126. आइएसबिएन 9781315588322. OCLC 952729440.

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]