ललका पाग

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
ललका पाग
Lalka Paag
पोस्टर
निर्देशकप्रशान्त नागेन्द्र
निर्मातारत्नेश एन शाह
बृत्तान्त वर्णनप्रशान्त नागेन्द्र
कलाकारस्वेता वर्मा, मीना गौतम
सङ्गीतकारसीताराम सिंह
छायाँकनकर्ताअनिरुद्ध सिंह
देशभारत
भाषामैथिली

ललका पाग मैथिली भाषामे बनल फिल्म छि,[१]जाहिमे गामक एक गोटे साधारण, सीधा आ चरित्रवान लडकी तिरु आ उच्च शैक्षणिक योग्यतावला एक गोटे आधुनिक व्यक्ति राधाकान्तक कहानी देखाएल गेल अछि। फिल्मक निर्देशन प्रशान्त नागेन्द्रद्वारा कएल गेल छल आ रत्नेश एन. शाहद्वारा निर्मित कएल गेल छल।[२][३]

मिथिलाक सांस्कृतिक पहिचान


सारांश[सम्पादन करी]

राधाकान्त अपन कलेजक प्रेम- कामाख्या केर छोडि तिरु सँ जबरजस्ती विवाह केलक। तिरु आदर्श मैथिली महिलासभक प्रतिबिम्ब होवाक साथ-साथ त्याग केर सहो प्रतीक अछि ई सिनेमामे। ओ अपन जीवनक सभ रीति-रिवाजसभ आ सामाजद्वारा निर्धारण कएल गेल कर्तव्यसभसँ बड नीक जकाँ परिचित अछि। तिरु के ई बात बुझाल छल जे राधाकान्त कहियो भी हुनका पूरे मनसँ हुनका पत्नी केर रूपमे स्वीकार नहि करत्। तिरुक दमनकारी मौनता किछे समयक बाद ओकर दुश्मन बनि गेल। एही शाश्वत मौनता हुनकर जीवनसाथी आ ससुरालबला केर हुनकर भावनासभप्रति आओरो अधिक मजबूत आ लापरवाह बना देलक। एतय धरि कि राधाकान्त कामाख्यासँ विवाह करबाक बात पर विचार करै लगल। राधाकान्त तिरु के आगा कामाख्यासँ विवाह करबाक नेत कबूल केलक। तिरु एहि बात पर घोषणा करैत अछि जे हुनका कुनु आपत्ति नहि अछि। आब, राधाकान्तक लेल तिरु एकटा पहेली जेहन बनि गेल, एकटा नै सुलझेबला आ आकर्षक पहेली। विवाह समारोहक बीचमे, पुजारी राधासँ अपन माथ पर लाल पाग पहिरबाक अनुरोध केलक, किएकि ई शताब्दीसँ सेहो बेसी मैथिली विवाहक पोशाक रहल अछि। तिरु हुनका ललका पाग दैत अछि, ओहि जे राधाक साथ हुनकर विवाहमे प्रयोग कएल गेल छल। तिरुक ई बलिदान देखि राधा एकदम आत्मविभोर भ जोर-जोरसँ कनै लगैत अछि। राधा, तिरुक सुन्दरतासँ मन्त्रमुग्ध रहल छल, जे शुद्ध आ आधुनिकीकरणसँ अछूत अछि। राधा आब दुविधा मे अछि, एक दिशन हुनकर मासूमियत आ पवित्रतामे तिरु अछि आ दोसर दिशन हुनकर जीवनक प्यार कामाख्या अछि।[४][५]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. फाइल:Maithili film to hit bihar screens on february 27.jpg
    News Paper Cutting
  2. "Latest Patna News 02/02/2015: मैथिली फिल्म 'ललका पाग' का म्यूजिक रिलीज"Bhaskar.com। अन्तिम पहुँच 2016-02-25
  3. "राजकमल चौधरीक कथा आधारित मैथिली फिल्म "ललका पाग" - नव मिथिला - maithili news Portal"Navmithila.com। अन्तिम पहुँच 2016-02-25
  4. "राजकमलक कथा पर बनल अछि फिल्म ललका पाग ~ मिथिमीडिया | Maithili News Portal"Mithimedia.in। 2015-01-12। अन्तिम पहुँच 2016-02-25
  5. "हम अहां स एक बेर फेरो बियाह करितहुं.. 11883498"Jagran.com। 2014-12-17। अन्तिम पहुँच 2016-02-25


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]