विकिपिडिया:विकिपिडिया एसियाली महिना २०२३

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सम्मुख पन्ना चित्रदीर्घा २०२३ २०१९ २०१८ २०१७ २०१६ २०१५
विकिपिडिया एसियाली महिना

विकिपिडिया एसियाली महिना एकटा अनलाइन सम्पादनथन प्रतियोगिता छी जे एसियाली विकिपिडिया समुदायसभक बिच सद्भाव बढाबैमे मद्दत करत। ई प्रतियोगिता सन् २०२३ नवम्बर महिना भरि चलत, ई एसियाली महिनाक मुख्य उद्देश्य मैथिली भाषाक विकिपिडियामे एसियाली राष्ट्रसभ आ नेपालक बारेमे लेखक सङ्ख्यामे बढोत्तरी आ स्तरीयता प्रदान करेबामे सहयोग करत।

जे कियो प्रतियोगी चारि (४) आ ओइसँ बेसी लेख बनाएत हुनका एकटा पोस्टकार्ड उपहार स्वरूप आन राष्ट्रसँ प्रदान कएल जाइत।

जे प्रतियोगी कोनो भी विकिपिडियामे सभसँ बेसी लेख बनाएत हुनका विकिपिडिया एसियाली राजदुतसँ सम्मान कएल जाइत।

नियमसभ

  • १ नवम्बर २०२३ ०:०० सँ ३० नवम्बर २०२३ २३:५९ के बिच अहाँसभद्वारा नव लेख बनाएल गेल (ठुट लेख नै) ।
  • लेख कम से कम ३,५०० बाइट आ ३०० शब्दके होवाक चाही ।
  • लेख उल्लेखनीयताके अनुसार बनल होवाक चाही ।
  • लेखमे विश्वसनीय स्रोत, उद्दरण अनिवार्य रूपसँ होवाक चाही ।
  • लेखमे कोनो किसिमक ट्याग नै लगबाक चाही ।
  • लेख सूची नै होवाक चाही ।
  • लेख जानकारीयुक्त होवाक चाही ।
  • लेख एसियाली राष्ट्र वा अहाँक अपन राष्ट्रक बारेमे होवाक चाही ।
  • एकटा आयोजकद्वारा बनाएल गेल लेख दोसर आयोजकद्वारा जाँच कएल जाएत ।
  • टिप्पणी: अन्तिममे न्यायिक समिती द्वारा लेखकेँ जाँच कराओल जाएत ।

आयोजकसभ

सहभागीसभ

भाग लेल जाए आ अपन योगदान एतय राखल जाए । आयोजक लेख मापदण्ड अनुरुप अछि या नै अछि से जाँच करि ठिक चिन्ह लगाओल जाएत ।

लेख पेश करी

विकिपिडिया एसियाली महिना २०२३ मे लेख पेश करी ।

उपयोगी लिङ्कसभ

एहो सभ देखी

सम्बन्धन