विनीता बाली
विनीता बाली Vinita Bali | |
---|---|
![]() विनीता बाली, ब्रिटानिया इन्डस्ट्रिजक मुख्य कार्यकारी अधिकारी आ प्रबन्ध निर्देशक | |
जन्म | ११ नवम्बर १९५५ |
राष्ट्रियता | भारतीय |
मातृसंस्था | दिल्ली विश्वविद्यालय जमनालाल बजाज इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्ट स्टडिज (प्रबन्ध स्नातक) मिसिगन स्टेट विश्वविद्यालय |
व्यवसाय | ब्रिटानिया इन्डस्ट्रिजकें प्रबन्ध निर्देशक |
सक्रिय वर्ष | १९८०-वर्तमान |
विनीता बाली एक भारतीय महिला उद्यमी छी, जे ब्रिटानिया इन्डस्ट्रिज लिमिटेडक प्रबन्ध निर्देशक छी।[१]
शिक्षा
[सम्पादन करी]सन् १९७५ मे, हिनका द्वारा दिल्ली विश्वविद्यालयक लेडी श्रीराम कलेज सँ अर्थशास्त्रमे स्नातकक डिग्री प्राप्त कएलाकबाद जमनालाल बजाज इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्ट स्टडिज सँ एमबिए कएल गेल । बाली संयुक्त राज्य अमेरिकाकें मिसिगन स्टेट विश्वविद्यालय सँ छात्रवृत्ति प्राप्त करि संयुक्त राष्ट्र मुख्यालयमे एक प्रशिक्षक रूपमे कार्य केलक।[२]
करियर
[सम्पादन करी]
हिनकाद्वारा अपन करियरक शुरुआत वोल्टासमे करल गेल, जाहि ठाम ओ शीतल पेय ब्रान्ड रसनाकें शुभारम्भ केलक । ओ चौदह वर्ष धरि क्याडबरीक भारतीय डिवीजनकें लेल काम केनए अछि, जाहि ठाम ओ भारत आ अफ्रिकामे कम्पनीकें बाजारक विस्तार केलक । वर्ष १९९४ मे, ओ कोका कोलामे विपणन निर्देशकक रूपमे कार्य करि बादमे ओ ल्याटिन अमेरिकाक लेल विपणन उपाध्यक्ष नियुक्त भेल । कोकमे अपन नओ वर्षक कालमे, बाली विपणनक रणनीतिकें अन्तर्गत उपाध्यक्षक रूपमे सेहो काम केनए छल ।[३][४]विनीता सर्जियो जीमान समूहमे कार्य करवाक लेल वर्ष २००३ मे कोका-कोला छोड़ि देलक आ बादमे ओ जीमान समूहक अटलांन्टा अवस्थित गतिविधिसभक लेल प्रमुख नियुक्त कएल गेल ।[२]
बाली वर्ष २००५ मे जीमान समूह छोड़ि देलक आ भारतीय खाद्य कम्पनी ब्रिटानिया इन्डस्ट्रीजकें मुख्य कार्यकारी अधिकारी नियुक्त भेल, एहि ठाम हिनका वर्ष २००६ मे प्रबन्ध निर्देशकक पद पर प्रोन्नत कएल गेल । हिनका वर्ष २००९ मे "वर्षक महिला उद्यमी" कऽ रूपमे इकोनमिक टाइम्स पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल ।[५] हिनका द्वारा वर्ष २००९ मे ब्रिटानिया न्यूट्ररेशन फाउन्डेशनक स्थापना कएल गेल जे भारतमे स्कूलक बच्चाक कुपोषणकें मिटाबकऽ दिशामे आन्दोलनरत अछि । ई फाउन्डेशनक स्थापना आ उद्देश्यकें दृष्टिगत हिनका सामाजिक दायित्व पुरस्कार सँ अलङ्कृत कएल गेल ।[६]
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]![]() |
विकिमिडिया कमन्समे विनीता वालीसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- "Vinita Bali (Interview)", Business Standard, २७ सितम्बर २०११।
- "Vinita Bali Interview", NDTV।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ करमाली, नाज़नीन (३१ जनवरी २०१२), "Britannia's Tough Cookie" [ब्रिटानियाक टफ कुकी], फोर्ब्स डॉट कॉम (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच ९ अप्रैल २०१६।
- ↑ २.० २.१ "Management Team: Vinita Bali" [प्रबंधन दल: विनीता बाली] (अङ्ग्रेजीमे), ब्रिटानिया इंडस्ट्रीज, अन्तिम पहुँच ९ अप्रैल २०१६।
- ↑ "Vinita Bali" [विनीता बाली] (अङ्ग्रेजीमे), बिजनेस वीक, अन्तिम पहुँच ९ अप्रैल २०१६।
- ↑ "Meet Vinita Bali, Britannia CEO" [मिलिए विनीता बाली, ब्रिटानिया सीईओ से] (अङ्ग्रेजीमे), रेडिफ़ डॉट कॉम मनी, ८ नवंबर २००४, अन्तिम पहुँच ९ अप्रैल २०१६।
- ↑ "Asia's 50 Power Businesswomen: Karen Agustiawan" [एशिया के 50 असरदार व्यवसायी: करेन अगस्तिवान], फोर्ब्स (अङ्ग्रेजीमे), मार्च २०१२९ अप्रैल २०१६।
- ↑ "Britannia Industries get CSR Award" [ब्रिटानिया इंडस्ट्रीज को मिला सीएसआर पुरस्कार], दि हिन्दू (अङ्ग्रेजीमे), १२ दिसंबर २०१०, अन्तिम पहुँच ९ अप्रैल २०१६।