विनोद चौधरी
विनोद चौधरी Binod Chaudhary | |
|---|---|
| जन्म | अप्रैल १४, १९५५[१] |
| राष्ट्रियता | नेपाली |
| व्यवसाय | अध्यक्ष चौधरी ग्रुप |
| प्रसिद्धि कारण | चौधरी ग्रुप |
Label(s) | विनोद चौधरी |
| जमा सम्पति | |
| राजनीतिक दल | नेपाली काँग्रेस |
| जीवनसाथी(सभ) | सारिका चौधरी |
| बालबच्चा | ३ |
| अभिभावक(सभ) | लुंकारण दास चौधरी गङ्गा देवी चौधरी |
विनोद चौधरी नेपालक एक परिचित उद्योगपति छी। ओ चौधरी ग्रूप अफ इन्डस्ट्रीजक मालिक छी। ओ विश्वक धनिक समुहमे नेपालक एक मानल जाइत अछि।
९० सालक महाभूकम्प गेल २ वर्षके बाद सन् १९३५मे चौधरी परिवार न्युरोड हालक विशाल बजार सँ पहिले वार्षिक २०० रूपैयाँ भाडामे लके पसल खोलने छल। ओ पसलक सामान बिक्री करै तत्कालीन राणा प्रधानमन्त्री जुद्ध शमशेरक दरबारमे आवत जावत करै चौधरी परिवारक रोकतोक नै छल। बाद मे ब्रान्डक सामान बिक्री करैके न्युरोडमे अरुण इम्पोरियम खोललक। एतय कतिपय आयातित सामान सेहो दरबार जाईत अछि।
चर्चित अन्तर्राष्ट्रिय ब्रान्डक कपडा आ अन्य समाग्री लावि दरबार आ सम्पन्नक बिक्री करिते-करिते चौधरी परिवार स्टील, घागो कारखाना जेहन उद्योगमे प्रवेश केने छल। पिछला समयमे चौधरीक कपडा पसलक ग्राहक तत्कालीन राजारानी आ दरबारक सदस्य होईत छल। पञ्चालयतकालमे दरबारसँगके ई सम्पर्क उद्योग खोलैके सेन्स लैल उपयोगी बनल।
परन्तु, परम्परागत नै नयाँ देखैके विनोदक स्वभाव वाइवाइमे मात्र समिति नै भेल। नयाँ-नयाँ व्यवसायमे ओ हात लगाईते चलि गेल। कतेक मे सफल भेल कतेक मे असफल। रेडियो टेलिभिजन बिक्रीसँ सन्तुष्ट नै भ पार्टपुर्जा लावि उत्पादन सुरु केलक। दुई वर्ष पहिले नैपालमे सिजी ब्रान्डक टिलिभिजन बिक्री करैके सुरु केलक। बासुदेव चलचित्र बनाक मनोरञ्जन उद्योगमे प्रवेश केलक। ठेक्का पट्टा, निकासी व्यापारमे सेहो चौधरी परिवार संलग्न छल। काठमाडौं त्रिशुली सडक, सोल्टी होटलक किछ भाग चौधरी समूह बनेने अछि। देश आर्थिक उदारीकण नीति लेलाक बाद बैंक, होटल, फाइनान्स कम्पनी, हाउजिङ, जलविद्युत, स्वास्थ्य, उत्पादनलगायत उद्योगमे सिजी हात लगेलक। तत्कालीन समयमे ई सभ नयाँ क्षेत्र छल। सञ्चार, बियर, चुरोटलगायत उद्योगमे सेहो सिजी लगानी केलक।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Chaudhary, Binod, "Biography", Binod Chaudhary, Binod Chaudhary, मूलसँ अक्टुबर २५, २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच अप्रैल १७, २०१३।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)