शर्मिला विश्वास
शर्मिला विश्वास Sharmila Biswas | |
---|---|
जन्म | |
व्यवसाय | शास्त्रीय नर्तकी, कोरियोग्राफर |
Dances | ओडिसी |
वेबसाइट | sharmilabiswas.com/home.html |
शर्मिला विश्वास (अन्य वर्तनी: शर्मिला बिस्वास) ओडिसी क प्रसिद्ध भारतीय शास्त्रीय नर्तकी आ कोरियोग्राफर छी। ओ गुरु केलुचरण महापात्र क शिष्या छी। २०१२ मे, शर्मिलाक सङ्गीत नाटक एकेडमी पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल। एकरा भारतक सङ्गीत, नृत्य आ नाटकक राष्ट्रिय एकेडमी, सङ्गीत नाटक एकेडमी, द्वारा देल जाएत अछि।
प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा
[सम्पादन करी]शर्मिला विश्वासक जन्म आ पालन-पोषण कोलकाता मे भेल, जत ओ आठ सालक उम्र सँ नृत्य सीखनाए शुरू क देने छल। जब ओह सोलह सालक छल, त ओ मुरलीधरन माझी सँ ओडिसीमे प्रशिक्षण शुरू केलक आ फेर केलुचरण महापात्रक द्वारा प्रशिक्षण लेलक।[१] एकर बाद, ओ कलानिधि नारायणन सँ अभिनय सिखलक।
व्यक्तिगत जीवन
[सम्पादन करी]शर्मिला १९८७ मे स्वपन कुमार विश्वास सँ विवाह केलक, जे स्वास्थ्य प्रबन्धनमे विशेषज्ञता राखैवाला डाक्टर छी। दुनु कोलकातामे रहैत अछि आ हुनका एकटा बेटा अछि जेकर नाम शौमिक विश्वास छी।[१]
करियर
[सम्पादन करी]ई बहुत वर्षमे, शर्मिला एलिफेन्टा, खजुराहो नृत्य महोत्सव आ कोणार्क नृत्य महोत्सव आ संयुक्त अधिराज्य, संयुक्त राज्य अमेरिका, जर्मनी, रूस, दुबई आ बङ्ग्लादेशमे कला उत्सवसभमे भाग लेनए अछि। ओ शास्त्रीय ओडिसीक साथ-साथे अपन प्रयोगात्मक नृत्य सेहो करैत अछि ।[१][२][३][४]
ओ उडिसाक मन्दिर नर्तकसभद्वारा प्रस्तुत प्राचीन महरी नृत्य पर सेहो व्यापक शोध केनए अछि ।[२] १९९५ मे, ओ कोलकातामे ओडिसी विजन एन्ड मुभमेन्ट सेन्टर (OVM) कऽ स्थापना केलक, जतय ओ कलात्मक निर्देशक छी आ युवा डान्सरसभक प्रशिक्षण दैत अछि।
२००९ मे, ओ पूर्व धारा शुरू केलक, जे पूर्वी भारत आ उत्तर पूर्व भारत कऽ पारम्परिक नृत्यक एक वार्षिक उत्सव छी ।
पुरस्कार
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ १.२ "Rhythms of life"। The Telegraph। 23 April 2005। अन्तिम पहुँच 28 May 2013।
- ↑ २.० २.१ "Katha Kavya Abhinaya"। Sangeet Natak Akademi। 2011। मूलसँ 27 September 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 28 May 2013।
{{cite web}}
: Unknown parameter|deadurl=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ Gowri Ramnarayan (28 January 2010)। "Treat to the eye and ear"। The Hindu। अन्तिम पहुँच 28 May 2013।
- ↑ "A blend of lasya and tandava: Innovative dance recital by Sharmila Biswas marked the Dhauli Mohotsav."। The Hindu। 14 Apr 2006। अन्तिम पहुँच 28 May 2013।