सङ्घीयता

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
  सङ्घीय राष्ट्रसभ

सङ्घीयता एकटा राजनैतिक विचारधारा छी जहिमे सदस्यसभ एकटा समूहके शासकीय तहमे बन्धन कएल गेल होइत अछि । ई शब्दके संवैधानिक रूपमे राष्ट्रक शक्तिके केन्द्रीय सरकार आ प्रान्तीय सरकारमे विभाजित भेल उपर उल्लेखित विचारधारामे आधारित व्यवस्थाके जनाबै लेल सेहो प्रयोग कएल जाइत अछि । ई व्यवस्थामे आधारिक राष्ट्के सङ्घ कहल जाइत अछि ।

सरकारक शक्ति आ जिम्मेवारीके केन्द्रीय आ प्रदेश वा स्थानीयस्तरक भिन्न- भिन्न तहमे विभाजित करैवाला पद्धति सङ्घीयता छी । राज्यसत्ता आ सार्वभौमसत्ताक समेत विभाजन करि शासकीय क्रियाकलापमे बेसीसँ बेसी जनताके संलग्न करबैवाला राजनैतिक प्रक्रिया सङ्घीयता छी । सङ्घीयताके बहुजातीय, बहुभाषिक तनाव समाधान करैवाला संवैधानिक आ राजनैतिक औजारक रूपमे समेत व्याख्या कएल जाइत अछि । दोसरदिस सीमान्तीकृत समूहके सशक्तिकरण करवाक उपायक रूपमे समेत एकरा लेल जाइत अछि । विश्वमे नेपाल सहित वर्तमानमे २५ टा सङ्घीय स्वरूपक मुलुक अछि ।[१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]