सामग्री पर जाएँ

सन्नी लियोन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सन्नी लियोन
Sunny Leone
सन्नी लियोन सन् २०१९ मे
जन्म
केरन मल्होत्रा

(१९८१-०५-१३)मई १३, १९८१[१]
उचाइ५ फिट ४ इन्च (१.६३ मी) [२]
जीवनसाथी(सभ)ड्यानियल वेबर (वि. २०११)[३]
वेबसाइटhttp://www.sunnyleone.com

करनजीत कौर वोहरा (जन्म १३ मई, १९८१), जकरा ओकर रङ्गमञ्च नाम सन्नी लियोन (/liˈoʊni/) सँ जानल जाएत अछि, एक चलचित्र अभिनेत्री आ कामुक मोडल छी। एखन वर्तमान समयमे ओ भारतीय चलचित्र उद्योगमे सक्रिय अछि। ओ एक पूर्व अश्लील चलचित्र अभिनेत्री छी।[४][५] सन्नी लग अमेरिका आ क्यानाडा दुनू देशक नागरिकता अछि।[६][७] ओ रङ्गमञ्चमे कमबेसी मुदा करन मल्होत्रा नामक प्रयोग सेहो केनए अछि। सन्नीकेँ सन् २००३ मे पेन्थहाउस पेट अफ द इअरके रूपमे मनोनित भेल छल आ भिभिड इन्टरटेनमेन्ट सँ काज करवाक लेल अनुबन्धित सेहो भेल। अमेरिकी वयस्क पत्रिका म्याक्सिमद्वारा सन्नीकेँ सन् २०१० मे १२ शीर्ष अश्लील कलाकारसभमे मनोनित केनए छल।

सन्नी स्वतन्त्र मुख्यधारा कार्यक्रम, चलचित्रसभ आ टेलिभिजन श्रृङ्खलामे भूमिका निर्वाह केनए अछि। ओकर पहिल मुख्यधारामे उपस्थिति सन् २००५ मे भेल छल जखन ओ एमटिभी इन्डियाक कार्यक्रम एमटिभी भिडियो म्युजिक अवार्ड्सक लेल रेड कार्पेट रिपोर्टरक रूपमे काज केनए छल। सन् २०११ मे ओ भारतीय रियालिटी टेलिभिजन श्रृङ्खला बिग बोसमे प्रतिभागीक रुपमे भाग लेनए छल। ओ भारतीय रियालिटी कार्यक्रम एमटिभी स्प्लिट्सभिल्लाक प्रस्तोताक रुपमे काज केनए अछि।

सन् २०१२ मे ओ भारतीय चलचित्र अभिनेत्री तथा निर्देशक पूजा भट्टक कामुक थ्रिलर चलचित्र जिस्म २ (२०१२) सँ बलिउड चलचित्र क्षेत्रमे पदार्पण केलक आ अप्पन पूरा ध्यान मुख्य धारा चलचित्रमे अभिनय करवाक उपर केन्द्रित करि देलक जकर बाद ओ हिन्दी चलचित्र ज्याकपट (२०१३), रागिनी एमएमएस २ (२०१४), एक पहेली लीला (२०१५) आ तेरा इन्तजार (२०१७) मे अभिनय केनए छल।

अप्पन अभिनय करियर छोड़ि ओ अमेरिकी क्यान्सर सोसाइटीक लेल पैसा जुटेबाक लेल 'रक एण्ड रोल लस एञ्जल्स हाफ-म्याराराथन' सहितक सामाजिक कार्यक्रमसभमे अप्पन सक्रिय योगदान दऽ रहल अछि। एहि वाहेक ओ 'पिपल फर द एथिकल ट्रिटमेन्ट अफ एनिमल्स' (पेटा)कऽ लेल एकटा बचाएल गेल कुत्ताक सङ्ग, पालतू जानवर पालऽवला मालिकसभकेँ अप्पन बिलाए आ कुत्तासभकेँ बधिया आ न्यून करवाक लेल प्रोत्साहन करऽकऽ उद्देश्य सँ विज्ञापन अभियानमे सेहो काज केनए अछि।

सन् २०११ मे सन्नी सङ्गीतकार ड्यानियल वेबर सँ विवाह केनए छल।[८] एखन वर्तमान समयमे सन्नी आ वेबर मुम्बई, महाराष्ट्रमे रहैत अछि।

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

सन्नी लियोनक जन्म केरन मल्होत्रा नाम सँ सार्निया, ओन्टारियोमे एक सिक्‍ख पञ्जाबी परिवारमे भेल छल। ओकर पिता तिब्बतमे जन्मल छल आ दिल्लीमे पलल बढ़ल छल। सन्नीकेँ माए (जकर २००८ मे मृत्यु भऽ गेल छल[९]) सिरमौर, हिमाचल प्रदेशक एक छोट सन गाम सँ छली।[१०] वाल्यकाल सँ ओ बहुतेक चुस्त छल आ पुरुषसभक सङ्ग हकी खेलैत छली।[११] ओ आइस स्केटिङ केनाए सेहो पोसन्द करैत छली।[१२]

ओना तँ ओ सिक्‍ख छली, मुदा सन्नीकेँ माए-बाप ओकर दाखिला एक क्याथोलिक विद्यालयमे कराए देलक कियाकि ओकरा लेल आम विद्यालयमे जेनाए खतरापूर्ण समझल गेल।[१३] जखन ओ १२ वर्षक भेल तखन ओकर परिवार फोर्ट ग्रेटिएट, मिसिगन चलि गेल आ ओकर एक साल बाद अप्पन दादा दादीकेँ सपना पूरा करैत ओकर पुरा परिवार एके स्थानमे रहवाक उद्देश्य सँ लेक फरेस्ट, क्यालिफोर्निया जाए बसि गेल।[१४][१५] सन्नी सन् १९९९ मे अपन विद्यालय शिक्षा प्राप्त करि उच्च शिक्षा प्राप्ति करवाक लेल कौलेजमे दाखिला लेलक। मात्र ११ वर्षक उमरमे सन्नी अपन जीवनक पहिल चुम्बन,[१६] १६ वर्षक उमरमे एक टा बास्केटबल खेलाड़ीसँ यौन आनन्द लऽ अप्पन कौमार्य भङ्ग केनए छल[१६] आ १८ वर्षक उमरमे ओ अप्पन द्वयौनिकताक खोज केनए छल।[१७][१६]

प्रमुख चलचित्रसभ

[सम्पादन करी]
वर्षफिल्मभाषाभूमिकानोट्स
2012जिस्म २हिन्दीइज़्ना
2013शूटआऊट ऍट वडालाहिन्दीलैलाविशेष उपस्थिति
2013जैकपॉटहिन्दीमाया
२०१४रागिनी एमएमएस २हिन्दीसनी लियोन
२०१४वादकररयतमिलस्वयंविशेष उपस्थिति "लो आना लाइफ-उ"
२०१४हेट स्टोरी २हिन्दीस्वयंविशेष उपस्थिति "पिंक लिप्स"[१८]
२०१४टीना और लोलोहिन्दीटीनापोस्ट-प्रोडक्शन
२०१५एक पहेली लीलाहिन्दीमीरा/लीला
२०१५डी.केकन्नड़स्वयंविशेष उपस्थिति "सेशम् बगिलु तेजियम्मा"[१९]
२०१६मस्तीज़ादेहिन्दीलैला/लिली लेलेफिल्मिंग"[२०]
२०१५कुछ कुछ लोचा हैहिन्दीशनाया
२०१५"बेईमान लव"हिन्दीटीबीएप्री- प्रोडाक्शन
२०१६"डोंगरी का राजा"हिन्दीस्वयंविशेष उपस्थिति "चोली ब्लॉकबस्टर"
२०१६"रईस"हिन्दीस्वयंविशेष उपस्थिति "लैला ओ लैला "[२१]
२०१७ बादशाहो हिंदी स्वयं विशेष उपस्थिति "पिया मोरे"
२०१७ भूमि हिंदी स्वयं विशेष उपस्थिति "ट्रिप्पी ट्रिप्पी"

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. ↑ "About Me", www.sunnyleone.com, मूलसँ दिसम्बर २५, २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच जनवरी ५, २०१६। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. ↑ "Sunny Leone Weight, Height, Bra Size, Shoe Size, Body, Measurements, Waist, Hips", Celebrity Measurements, अन्तिम पहुँच २०१५-०९-२६।
  3. ↑ "Sunny Leone's husband comes to India", The Times of India, अप्रैल १६, २०१२, मूलसँ मार्च २२, २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच अक्टुबर १, २०१२।
  4. ↑ "Sunny Leone - Desi Porn - SunnyLeone.com", sunnyleone.com, मूलसँ २०१८-१२-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०१-१०। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  5. ↑ "Sunny Leone profile", AVN, मूलसँ दिसम्बर २५, २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच Dec २७, २०१५। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  6. ↑ "A Sunny day in Sarnia", अन्तिम पहुँच जुलाई १६, २०१६।
  7. ↑ "How Karen Malhotra turned into a world-famous porn star Sunny Leone", मूलसँ दिसम्बर २५, २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच जुलाई १६, २०१६। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  8. ↑ "Sunny Leone's husband Daniel Weber, will now make his Bollywood debut in wife's 'Jackpot' – Latest News & Updates at Daily News & Analysis", अगस्त १५, २०१३, अन्तिम पहुँच जुलाई १६, २०१६।
  9. ↑ Joanne Cachapero (३० जुलाई २००८), "SunnyLeone.com Relaunches With Party This Weekend", AVN, मूलसँ २०१८-१२-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २ जुलाई २००८। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  10. ↑ Luke Ford, "Interview", lukeisback.com, अन्तिम पहुँच १३ मई २००७।
  11. ↑ "Sunny Leone Becomes Vivid Girl", AVN, २० जून २००७, मूलसँ २०१२-०४-१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २६ अगस्त २००७। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  12. ↑ Rabbits Review (१५ दिसंबर २००५), "Rabbits Porn Blog: Sunny Leone Interview", Rabbits Review, मूलसँ २०१२-०३-२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १५ दिसंबर २००५। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  13. ↑ Shawn Alff (२३ अगस्त २०१०), "Pornstar Sunny Leone on thriving in the wild, wild west of the adult industry", blogs.creativeloafing.com, अन्तिम पहुँच ११ सितंबर २०१०।
  14. ↑ "Ambush Interview #97", Ambush Interview, ८ अक्टूबर २००६, मूलसँ २०१८-१२-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ अक्टूबर २००६।
  15. ↑ Weisblott, Marc (४ जुलाई २००८), "Sunny Leone's America", Eye Weekly, मूलसँ २००८-११-१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ४ जुलाई २००८। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  16. 1 2 3 "Sunny Leone profile", Brazzers, मार्च ९, २०१८, अन्तिम पहुँच मार्च ९, २०१८।
  17. ↑ "Meet the Girl: Sunny Leone", Men's Fitness, फरबरी १, २००७, अन्तिम पहुँच फरबरी १, २००७।
  18. ↑ "लियोन के "पिंक लिप्स" के 10 लाख प्रशंसक", पत्रिका समाचार समूह, ५ अगस्त २०१४, अन्तिम पहुँच ५ अगस्त २०१४।
  19. ↑ "अब कन्नड़ फिल्म में सनी का धमाल, करेगी आइटम सॉन्ग", पत्रिका समाचार समूह, ७ जुलाई २०१४, अन्तिम पहुँच ५ अगस्त २०१४।
  20. ↑ "सनी लियोन के साथ इश्क लड़ाएंगे तुषार कपूर", पत्रिका समाचार समूह, ८ जुलाई २०१४, अन्तिम पहुँच ५ अगस्त २०१४।
  21. ↑ "'रईस' में शाहरुख खान साथ होंगी सनी लियोनी!", ज़ी न्यूज़ हिन्दी, अन्तिम पहुँच २७ मार्च २०१६।

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]