साध्वी ऋतम्भरा
साध्वी ऋतम्भरा Sadhvi Rithambara | |
---|---|
![]() भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीकें राखी बान्हैत साध्वी ऋतम्भरा | |
जन्म | १ जनवरी १९६४ लुधियाना,पञ्जाब भारत |
राष्ट्रियता | भारतीय |
खोजकर्ता छी | वात्सल्य ग्राम दुर्गा वाहिनी परमशक्ति पीठ |
साध्वी ऋतम्भरा या दीदी माँ साध्वी ऋतम्भरा विश्वविख्यात आध्यात्मिक विभूति,देश-विदेशमे अपन ओजस्वी वाणीसँ धर्म एवं राष्ट्र जागरण आ संस्था परमशक्ति पीठक विभिन्न सेवा कार्यसभद्वारा प्राणी सेवी कार्यसभ सञ्चालित करैत आबि रहल अछि।[१]
प्रारम्भिक जीवन
[सम्पादन करी]दीदी माँ साध्वी ऋतम्भरा जी कें जनम पञ्जाब, भारत राज्यक लुधियाना जिलामे अवस्थित एक छोट गाम मण्डी दोराहामे १ जनवरी १९६४ मे भेल छल। ऋतम्भरा अपन माता-पितासँ प्रेरित भऽ वाल्यकालसँ धर्मक कार्यसभ आ मानवसेवा सँ जुड़ि गेल छल।
सार्वजिनक जीवनमे प्रवेश
[सम्पादन करी]महाविद्यालयीन शिक्षाक समय ओ पूज्य गुरुदेव अनन्तश्री विभूषित युगपुरुष स्वामी परमानन्द जी महाराजक वेदान्त विचारधारासँ प्रभावित भऽ हुनकर शिष्या बनल आ किछ समय बाद सन्यासी बनि गेल। साध्वी ऋतम्भरा जी १९९० कऽ दशकमे विश्व हिन्दू परिषद् द्वारा सञ्चालित "श्रीराम जन्मभूमि मुक्ति आन्दोलन"क एक तेजस्वी व्यक्तित्व बनिकें अग्रणी भूमिका निर्वाह केनए छल। हिनकाद्वारा एहि आन्दोलनक सफलताक लेल समुचा भारतमे धर्म जागरण करैत हिन्दू समाजक विभिन्न जातिसभकें एकताक सूत्रमे सङ्गठित केलक, आ एकात्म भेल हिन्दू शक्तिद्वारा एहि आन्दोलनक सफलताक रूपमे अपन आराध्य श्री रामललाक जन्मभूमि अयोध्यामे भव्य मन्दिर निर्माणक सम्पूर्ण न्यायालयीन अधिकार प्राप्त केलक। ई आन्दोलन साध्वी ऋतम्भरा जीकें तेजस्वी भूमिकाक कारण ऐतिहासिक बनल छल। [२][३][४][५][६]
आन्दोलनक बाद साध्वी अपन पूज्य सद्गुरुदेवक आशीर्वाद लकऽ वर्ष १९९२ मे मानवसेवी संस्था परमशक्ति पीठक गठन केलक । वर्ष १९९७ मे एक सन्तद्वारा सड़क पर निराश्रित हालतमे भेटल एक नवजात बच्चा हिनका सौंपि देनए छल आ पुनः एहि ठामसँ वात्सल्य यात्राक शुरूआत कएने छल। ओहि दिन ओ निश्चय केलक कि आब कोनो भी निराश्रित नवजात सड़क पर दम नै तोड़त्, कोई परित्यक्त बहिन समाजक कोनो प्रकारक क्रूरताक शिकार नै होएत, कोई भी वृद्धा माता अपन सन्तानसँ उपेक्षित भऽ वृद्धाश्रमक संवेदनहीन व्यवस्थामे नै जिबत। दिल्लीक एक छोटे सन् घरमे हिनका द्वारा समाजक ई तीनु वञ्चित वर्गकें साथ पहिल ‘वात्सल्य परिवार’ बनौने छल। हिनकर दृढ़ सङ्कल्पसँ वर्ष १९९८ मे परमशक्ति पीठक विस्तार मिलल। योगेश्वर भगवान श्रीकृष्णक कर्मभूमि वृन्दावनमे हिनका सेवाकार्यक लेल एक विशाल भूखण्ड आवन्टित भेल जकर नाम राखल गेल ‘वात्सल्य ग्राम’ देश-विदेशक अपन सहयोगी बन्धु-भगिनिसभक सङ्ग मिलिकें हिनकाद्वारा एहिठाम अनेक सेवा कार्यक स्थापना कएल गेल अछि जे निम्नानुसारक कार्य करैत अछि।[७][८][९][१०][११]
वात्सल्य ग्राम, वृन्दावन (उत्तरप्रदेश), भारतक सेवा कार्य
[सम्पादन करी]भारतक अन्य स्थानसभ पर परमशक्ति पीठक सेवा कार्य
[सम्पादन करी]बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]- दीदी माँ
- वात्सल्य ग्राम का जालघर
- ‘वात्सल्य ग्राम’ की प्रयोगशाला (भारतीय पक्ष)
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Basu, Amrita (1998). "Appropriating Gender". In Jeffery, Patricia. Appropriating Gender : Women's Activism and Politicized Religion in South Asia. New York: Routledge. pp. 1. doi:10.4324/9780203379585-5. आइएसबिएन 9780203379585. https://www.taylorfrancis.com/books/9780203379585/chapters/10.4324/9780203379585-5.
- ↑ Sarkar, Tanika (2001). "Aspects of Contemporary Hindutva Theology: The Voice of Sadhvi Rithambhara". Hindu wife, Hindu nation: community, religion, and cultural nationalism. Indiana University Press. https://www.fulcrum.org/epubs/n870zr08h.
- ↑ Sangari, Kumkum (१९९३), "Consent, Agency and Rhetorics of Incitement", Economic and Political Weekly 28 (18): 877, आइएसएसएन 0012-9976, जेएसटिओआर 4399675।
- ↑ Sugirtharajah, Sharada (२००२), "Hinduism and Feminism: Some Concerns", Journal of Feminist Studies in Religion 18 (2): 104, आइएसएसएन 8755-4178, जेएसटिओआर 25002442।
- ↑ JAFFRELOT, CHRISTOPHE (२०१०), "Abhinav Bharat, the Malegaon Blast and Hindu Nationalism: Resisting and Emulating Islamist Terrorism", Economic and Political Weekly 45 (36): 51–58, आइएसएसएन 0012-9976, जेएसटिओआर 25742046।
- ↑ Gangoli, Geetanjali (2007). "Conclusions". Indian Feminisms : Law, Patriarchies and Violence in India. Routledge. doi:10.4324/9781315588292. आइएसबिएन 9781315588292. https://www.taylorfrancis.com/books/9781315588292/chapters/10.4324/9781315588292-11.
- ↑ McGirk, Tim (२८ फरबरी१९९३), "Hindu zealots find an avenging angel", London: The Independent, अन्तिम पहुँच १४ अगस्त २००९।
- ↑ "CBI insists on proceeding against all Ayodhya accused", Rediff.com, २३ फरबरी २००१, अन्तिम पहुँच १४ अगस्त २००९।
- ↑ Kapur, Ratna (१९९६), "Who Draws the Line? Feminist Reflections on Speech and Censorship", Economic and Political Weekly 31 (16/17): WS19, आइएसएसएन 0012-9976, जेएसटिओआर 4404055।
- ↑ Cossman, Brenda; Kapur, Ratna (१९९६), "Secularism: Bench-Marked by Hindu Right", Economic and Political Weekly 31 (38): 2627, आइएसएसएन 0012-9976, जेएसटिओआर 4404599।
- ↑ Navlakha, Gautam (१९९५), "Politics of Silhouetted Anger", Economic and Political Weekly 30 (7/8): 367, आइएसएसएन 0012-9976, जेएसटिओआर 4402404।