सिलेट सहर
सिलेट
ꠍꠤꠟꠐ সিলেট, বাংলাদেশ | |
---|---|
शीर्ष सँ: भवनसभ, ओसमानी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल, सिलेट केन्द्रीय रेलवे स्टेसन, सिलेट सर्कस गृह, सुफी शाह जलाल प्रतिमा, सिलेट अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट ग्राउन्ड | |
बङ्गलादेशक नक्सामे सिलेट | |
निर्देशाङ्क: २४°५४′उ॰ ९१°५२′पू॰ / २४.९००°N ९१.८६७°Eनिर्देशाङ्क: २४°५४′उ॰ ९१°५२′पू॰ / २४.९००°N ९१.८६७°E | |
देश | बङ्गलादेश |
प्रदेश | सिलेट विभाग |
जिला | सिलेट |
नगरपालिका विभागक स्थापना | सन् १८६७ |
सिलेट शहर निगमक स्थापना | ९ अप्रैल २००१ |
महानगरीय शहर धोषणा | ३१ मार्च २००९[१] |
सरकार | |
• प्रकार | मेयर परिषद |
• अङ्ग | सिलेट शहर निगम |
• मेयर | अरिफल हक चौधरी (बङ्गलादेश राष्ट्रिय पार्टी) |
क्षेत्रफल | |
• शहर | २६.५० किमी२ (१०.२३ वर्गमाइल) |
• महानगर | ११० किमी२ (४० वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ३५ मिटर (११५ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• शहर | ५,२६,४१२ |
• घनत्व | २००००/वर्ग किमी (५१०००/वर्ग माइल) |
वासिन्दा | सिलेटी |
समय क्षेत्र | युटिसी+६ (बङ्गलादेशी समय) |
डाक कोड | ३१०० |
पोलिस | सिलेट महानगरीय प्रहरी[२] |
अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल | अोसमानी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल |
टेलिफोन कोड | +८८०८२१ |
वेबसाइट | scc.gov.bd |
सिलेट (बङ्गाली: সিলেট) पूर्वोत्तर बङ्गलादेशमे अवस्थित एक महानगरीय शहर छी । ई सिलेट विभागक प्रशासनिक शहर छी । ई शहर बङ्गालक उत्तरपश्चिममे सुरमा नदीक दहिना किनारमे अवस्थित अछि । ई शहरमे पाँच लाख सँ बेसी जनसङ्ख्या रहल अछि । सिलेट बङ्गलादेशक सभ सँ महत्त्वपूर्ण आध्यात्मिक आ सांस्कृतिक केन्द्रक रुपमे रहल अछि । ई बङ्गलादेशमे ढाका आ चिटागोङक बाद सभ सँ महत्त्वपूर्ण शहरसभमे सँ एक छी कियाकी ई शहर देशक अर्थतन्त्रमे बहुत पैग सहयोग पहुँचाबैत अाएल अछि ।
सिलेट उपत्यका बङ्गलादेशक सभ सँ पैग तेल आ ग्याँस उत्पादन केनिहार शहरी क्षेत्र छी । ई शहर बङ्गलादेशमे चाय उत्पादन करवाक प्रमुख केन्द्रस्थल छी । ई शहरक प्रमुख अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल अोसमानी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल छी जे नाम बङ्गलादेशक कमान्डर एमएजी अोसमानीक नाम सँ रखल गेल अछि ।
उत्पत्ति
[सम्पादन करी]सिलेट शहरक नाम श्रीहाट्टा सँ उत्पत्ति भेल छल ।[३] ई शब्दक अनुसार 'श्री' कऽ अर्थ प्रतिष्ठा या सौन्दर्य होएत अछि तँ 'हट्टा' कऽ अर्थ बजार होएत अछि । मुगल साम्राज्यक अभिलेखमे श्रीहाटा बङ्गाल सभा जिलाक नामक रूपमे प्रयोग कएल गेल छल । ब्रिटिश भारतमे श्रीहट्टा आ अङ्ग्रेजीमे एकरा सिलेटक रूपमे कहल जाए लागल ।[४]
मैसम आ भूगोल
[सम्पादन करी]सिलेट बङ्गलादेशक २४°५३′३०″N ९१°५३′००″E / २४.८९१७°N ९१.८८३३°Eमे रहल अछि । ई शहर सिलेट विभाग अन्तर्गत सिलेट जिलाक भितर अबैत अछि । सिलेटमे उष्ण वर्षा भेल मौसम अछि । वर्षाक समय अप्रैल सँ अक्टुबर धरि गरम आ बहुत भारी वर्षा आ हिमपात होएत अछि तँ नवम्बर सँ फरबरी धरि कनिक ठण्डा आ हल्का गरम आ दिनसभ छोट होएत अछि । मई सँ सितम्बर धरि ४२.०० मिलिमिटर वार्षिक वर्षा होएत अछि जे सम्पूर्ण समयकें वर्षाक पानिकें ८० % छी ।
जनसाङ्ख्याकी
[सम्पादन करी]सन् २०११ बङ्गलादेशक जनगणना अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ५३१,६६३ रहल अछि । सन् १९९१ मे शहरक जनसङ्ख्या वार्षिक १.९० % सँ वृद्धि भेल छल जे सन् २०११ मे १.७२% मे घटल अछि ।[५] सन् २००१ कऽ जनगणना अनुसार शहरक साक्षरता दर ६९.७३ % रहल अछि तँ शहरमे उच्च साक्षरता दर वार्ड नम्बर २२ मे रहल अछि जे ८४.२४ अछि आ न्यून साक्षरता दर वार्ड नम्बर १० मे रहल अछि जे ४८.१५ % अछि । ई शहरमे ५५,५१४ टा घरसभ रहल अछि । [६]
खेलकुद
[सम्पादन करी]यातायात
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "बङ्गलादेशी शहर"। बिबिसी न्युज। २ अप्रिल २००९। अन्तिम पहुँच २ अप्रिल २००९।
{{cite news}}
: Check date values in:|accessdate=
आ|date=
(help) - ↑ "सिलेट नगरपालिका प्रहरी"। अाधिकारिक वेबसाइटमा। मूलसँ 2024-01-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-11-10।
- ↑ https://global.britannica.com/place/Sylhet
- ↑ Tanweer Fazal (2013). Minority Nationalisms in South Asia. Routledge. pp. 53. आइएसबिएन 978-1-317-96647-0. https://books.google.com/books?id=6bGMAQAAQBAJ&pg=PA53.
- ↑ "राष्ट्रिय: शहरी क्षेत्रको तथ्याङ्क" (PDF)। सन् २०११ क राष्ट्रिय जनगणना। बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग। August 2014। pp. २५, ४८। मूल (PDF)सँ 2015-05-18 कऽ सङ्ग्रहित।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Area, बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग ३० मई २००९" (PDF)। मूल (PDF)सँ 2008-12-17 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-11-10।
बाह्य लिङ्कसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे सिलेटसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
विकियात्रामे सिलेटसँ सम्बन्धित यात्रा वृतान्त उपलब्ध अछि। |