स्मृति मेहरा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
स्मृति मेहरा
सन् २०१० मे महिला ब्रिटिश ओपनक दौरान मेहरा
व्यक्तिगत विवरण
उपनामसिमी
जन्म (१९७२-०५-१२) १२ मई १९७२ (उमर ५१)
कोलकाता, भारत
उचाई५ फिट ५ इन्च (१.६५ मी)
निवास भारत
करियर
विश्वविद्यालयकलकत्ता विश्वविद्यालय
व्यावसायिकता प्राप्त१९९४
अन्य टुरसभएलपिजिए भ्रमण (१९९७-२००८)
फ्युचर्स दौरा (१९९४-२००६)
व्यवसायिक विजय
विजय यात्रा
फ्युचर्स टुर
मुख्य प्रतियोगितासभमे सर्वश्रेष्ठ परिणाम
मुख्य पिजिए प्रतियोगितासभमे सर्वश्रेष्ठ परिणाम
क्राफ्ट नाबिस्को च्याम्पियनसिपनै खेललक
एलपिजिए च्याम्पियनसिपCUT: १९९८, १९९९, २००२, २००३
युएस विमिन ओपनT53: २००१
डु माउरियर क्लासिकT27: १९९८
विमिन ब्रिटिश ओपनCUT: २००१

स्मृति "सिमी" मेहरा (जन्म २१ मई १९७२) भारतक महिला गोल्फ खेलाडी छी। ओ पहिल भारतीय महिला गोल्फर छी जे महिलासभक लेल दुनियाक प्रमुख गोल्फ दौराक सदस्य बनल। ओ अमेरिका स्थित एलपिजिए दौरा केनए अछि। हुनका भारतमे महिला गोल्फक लेल एक अग्रणी आ एक स्तम्भक रूपमे जानल जाएत अछि।[१] स्मृतिक जन्म कोलकातामे भेल आ हिनकर शिक्षा दीक्षा कलकत्ता विश्वविद्यालय सँ भेल छल।

सन् १९९४ मे मेहरा एक व्यावसायिक गोल्फर बनि गेल छल। मेहरा सन् १९९६ मे मुख्य एलपिजिए दौरामे पदोन्नति प्राप्त करवाक लेल सन् १९९६ मे दोसर स्तरीय फ्यूचर्स दौरा पर एक बेर जीत प्राप्त केनए छल, जे हुनका सन् १९९७- सन् १९९९ आ सन् २००१- सन् २००४ धरि खेलऽमे मद्द्ति केलक। सन् २००५ मे महरा अपन कन्धाक शल्यक्रिया करौलक आ शीर्ष स्तर पर अपन जगह पुन: स्थापित करवाक उद्देश्य सँ सन् २००६ मे फ्यूचर्स दौरा पर खेलनाए आरम्भ केलक।

जीवनी[सम्पादन करी]

मेहरा अपनी माए बिली सँ प्रेरित भऽ रोयल कलकत्ता गोल्फ क्लबमे गोल्फ खेलनाए सीखलक। ई गोल्फ क्लब दक्षिण पूर्व एसियाक एक प्रमुख शौकिया गोल्फ खेलाड़ीसभक अखाड़ा रहल अछि। मेहरा अपन खाली समय गोल्फ फाउन्डेसन अफ इन्डियाक माध्यम सँ वञ्चित बच्चासभकें पढ़ाए व्यतित करैत अछि।[२]

करियर[सम्पादन करी]

सन् २००५ अक्टुबरमे, मेहरा अपने गृह देशमे शीर्ष स्तरक महिला गोल्फ खेलकें प्रदर्शन करवाक भूमिका निर्वाह करैत भारतमे सम्पन्न भेल पहिल महिला पेशेवर स्किन गेममे एलपिजिए टुर्स गोल्फर्स हिथर डेली-डोनोप्रियो, हिलेरी लुनके आ सेलेस्टे ट्रोचक सङ्ग ई प्रतियोगितामे सहभागिता जनेनाए छल।

सन् २०१२ मे, हिरो-डब्ल्युजिएआई पुरस्कार समारोहमे मेहराकें 'प्लेयर अफ द इअर' खेलाडीक लेल नामाङ्कित कएल गेल छल। हुनका ओहि टिमकें हिस्सा होमए कें श्रेय देल गेल जे महिलासभक व्यावसायिक दौरा कऽ स्थिर बनेलक। ओ सम्पूर्ण १५ प्रतियोगितासभमे सहभागी भऽ खेललक आ एहिमे सँ सात खेलमे जीत प्राप्त केलक।[३]

अपन एथलेटिक उपलब्धिसभ छोड़ि, मेहरा भारतीय महिला गोल्फरसभकें गोल्फ कऽ अपन करियर बनेबाक अवसर प्रदान करवाक लेल महिला गोल्फ एसोसिएसन अफ इन्डियाक सह-संस्थापक बनि गोल्फ कऽ दुनिया प्रभावित केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Vani, Sharmila will join Aditi as Indian women's golf gains more attention"। Women's Indian Open। अन्तिम पहुँच 20 February 2019
  2. "International Impact: Evian Masters wildcards Mariajo Uribe, Smriti Mehra, and Maria Verchenova all hail from different countries and are making their mark on the sport"Golf Digest। 23 July 2010।
  3. "Smriti Mehra is Women's Professional Golf Player of the Year"Times of India। 11 April 2012।

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]