रामदेव
स्वामी रामदेव Ramdev | |
---|---|
जन्म | रामकिशन यादव २५ दिसम्बर, १९६५ |
राष्ट्रियता | भारतीय |
व्यवसाय | योगी |
स्वामी रामदेव (English: Ramdev) उच्चारण (सहायता जानकारी) (जन्म: रामकृष्णा यादव हरियाणा १९६५ मे )[१] एक विश्व प्रसिद्ध भारतीय योग गुरू छी । रामदेव ठाम-ठाम स्वयं जाक योग-शिविरसभक आयोजन करएत अछि, जहिमे प्राय: सभ सम्प्रदायक लोगसभ आवैत अछि । रामदेव अखनधरि देश-विदेशक करोडो लोगसभके प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष रूपसँ योग सिखा चुकल अछि ।[२] भारतसँ भ्रष्टाचार मिटावक लेल अभियान प्रारम्भ केलक ।[३]
जीवनी
[सम्पादन करी]भारतमे हरियाणा राज्यक महेन्द्रगढ जनपद स्थित अली सैयदपुर नामक गाँममे ११ जनवरी १९७१[४] के गुलाबो देवी एवं रामनिवास यादव कs घर जन्म लेनिहार रामदेवक वास्तविक नाम रामकृष्ण छल । समीपवर्ती गाँम शहजादपुरक सरकारी स्कूलसँ आठम कक्षा धरि पढाई पुरा करलाक बाद रामकृष्ण खानपुर गाँमके एक गुरुकुलमे आचार्य प्रद्युम्न व योगाचार्य बल्देव जीसँ संस्कृत आ योगक शिक्षा लेलक । योग गुरू बाबा रामदेव युवा अवस्थामे सन्यास लेवाक सङकल्प केलक आ रामकृष्ण, बाबा रामदेवक नयाँ रूपमे लोकप्रिय भs गेल ।
सार्वजिनक जीवनमे प्रवेश
[सम्पादन करी]बाबा रामदेव मई १९९५ मे दिव्य योग मन्दिर ट्रस्टक स्थापना केलक । २००३ सँ आस्था टीवी पर सभदीन भिन्सर बाबा रामदेवक योग कs कार्यक्रम देखेनाइ शुरू केलक जकर पश्चात बहुत रास् समर्थक हुनकासँ जुडल । योगकs जन-जन तक पहुँचाबsमे बाबा रामदेव महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केलक, भारत आर विदेशमे हुनकर योग शिविरमs आम लोग सहित बहुतो बडका-बडका हस्तिसभ भाग ल चुकल अछि । [५] बाबा रामदेवसँ योग सिखए बलामे सँ अभिनेता अमिताभ बच्चन आ अभिनेत्री शिल्पा शेट्टीक नाम उल्लेखनीय अछि । [६] [७] [८] [९] बाबा रामदेव पहलि बेर देवबन्द (उत्तर प्रदेश)मे मुस्लिम समुदायक सम्बोधित केनेछल । [१०]
पतन्जली योगपीठ
[सम्पादन करी]योग आर आयुर्वेदक बढ़ाबकs लेल बाबा रामदेव पतन्जली योगपीठक स्थापना केलक । ब्रिटेन, अमेरिका, नेपाल, कनाडा आ मारीशसमे सहो पतन्जली योगपीठक दुटा शाखासब अछि पतन्जली योगपीठ-एकटा आर पतन्जली योगपीठ-।
स्वामी रामदेबक प्रमुख कार्यसभ
[सम्पादन करी]स्वामी रामदेव सन् २००६ मs महर्षि दयानन्द ग्राम हरिद्वारम पतन्जली योगपीठ ट्रस्टके अतिरिक्त अत्याधुनिक औषधि निर्माण इकाई पतन्जली आयुर्वेद लिमिटेड नामसँ दुटा सेवा प्रकल्प स्थापित केलक । इसभ सेवा-प्रकल्पक माध्यमसँ स्वामी रामदेव योग, प्राणायाम, अध्यात्म आदिकs साथ-साथ वैदिक शिक्षा आ आयुर्वेदक सहो प्रचार-प्रसार कs रहल अछि । हुनकर प्रवचन विभिन्न टी० वी० चैनलसभ आस्था टीवी, आस्था इण्टरनेशनल, जी-नेटवर्क, सहारा-वन तथा इण्डिया टी०वी० पर प्रसारित होएत अछि । भारतम भ्रष्टाचार आ इटली एवं स्विट्ज़रलैण्डके बैंकम जमा रहल लगभग ४०० लाख करोड़ रुपैयाकs "काला धन" कs स्वदेश वापस लाबक माँग करति बाबा समुचे भारतकs एक लाख किलोमीटर कs यात्रा केलक । भ्रष्टाचारक खिलाफ बाबा रामदेव जी अनवरत लड़ाई जारी अछि आर राष्ट्र निर्माणमे सहो ओ प्रमुख भूमिका निर्वाह करि रहल अछि ।[११] [१२] एकर अलावा स्वामी रामदेव न स्वच्छ भारत अभियानमे सहो भाग लेलक । [१३] एतबे नै बाबा रामदेव अई अभियान के तहत हरिद्वार आ तीर्थ नगरी ऋषिकेश कs गोद लेबकs घोषणा सेहो केनेछल ।[१४]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Baba Ramdev: Daily Bhasker Daily Bhaskar, 3 June 2011
- ↑ वनास मंजूषा २००९ वरिष्ठ नागरिक समाज (स्मारिका) पृष्ठ २०
- ↑ वनास मंजूषा २००९ वरिष्ठ नागरिक समाज (स्मारिका) पृष्ठ २१
- ↑ name="in.jagran.yahoo.com"
- ↑ What makes Baba Ramdev so influential सङ्ग्रहित २०१५-०४-२८ वेब्याक मेसिन IBN Live
- ↑ "Yoga heals Bollywood"। The Times of India। 28 January 2008। मूलसँ 2012-01-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-02-09।
{{cite news}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ Clove, Mint, Pepper, Bakul, Pilu: These herbals give complete cleanliness to the teeth.
- ↑ http://www.livehindustan.com/news/entertainment/article1-watch-video-actor-shilpa-shetty-at-baba-ramdev-s-yoga-camp-in-mumbai-513282.html
- ↑ http://www.patrika.com/news/bollywood/baba-ramdev-is-lucky-for-shilpa-1163453/
- ↑ "Swami Ramdev promotes yoga at Deoband Gathering"। Zee News। 3 November 2009।
- ↑ http://naidunia.jagran.com/national-modi-made-a-step-towards-hygiene-slogan-194735
- ↑ http://navbharattimes.indiatimes.com/india/pm-starts-clean-india-campaign/articleshow/44061199.cms
- ↑ "Archive copy"। मूलसँ 2014-12-03 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-02-09।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link) - ↑ http://www.jagran.com/news/national-baba-ramdev-launched-the-clean-india-campaign-11705502.html