त्रिभुवन विश्वविद्यालय

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
त्रिभुवन विश्वविद्यालय
Tribhuvan University
आदर्श वाक्यसमग्र शिक्षाक विकास
प्रकारपब्लिक सहशिक्षा
स्थापनावि.स. २०१६ साल
कुलपतिनेपालक प्रधानमन्त्री
उप-कुलपतिहीरा बहादुर महर्जन
शैक्षिक कर्मचारी
७,०४९ प्राध्यापकीय सङ्काय
५,६०७ अन्य सङ्काय [१]
विद्यार्थीसभ६,०४,४३७ [२]
स्थान,
क्याम्पसकीर्तिपुर
वेबसाइटत्रिभुवन विश्वविद्यालय

त्रिभुवन विश्वविद्यालय वा टियु (अङ्ग्रेजी : Tribhuvhan University वा TU) नेपालक पुरान, पैग विश्वविद्यालय तथा उच्च शिक्षाक लेल नेपालक पहिल राष्ट्रिय शैक्षिक संस्था सेहो छी । ई विश्वविद्यालयक केन्द्रीय कार्यालय कीर्तिपुर काठमाडौंमे अछि ।

ई विश्वविद्यालय ३०४२–५–२ रोपनी क्षेत्रफलमे फैलल अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्गत पाँचटा प्राविधिक शैक्षिक संस्था आ चारिटा साधारण सङ्काय सञ्चालित अछि । ई पचासटा प्राविधिक शीर्षकमे प्रमाण–पत्र तहके शिक्षा द रहल अछि ताहिना १०७९ शीर्षकमे स्नातक तथा १ हजार शीर्षकमे स्नातकोत्तर शीर्षकमे शिक्षा प्रदान करि रहल अछि । एकर साथ ई विद्यावारिधिक लेल समेत विभिन्न शिर्षकमे प्राविधिक तथा सङ्कायस्तरीय शिक्षा द रहल अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्गत ९३१ टा निजी क्याम्पससभ सम्बन्धन लेनए अछि ।

सन् २०१३–१४ धरि एहिमे ६,०४,४३७ विद्यार्थीसभ विभिन्न शैक्षिक तहमे अध्ययनरत अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे ७,९६६ अध्यापन सङ्काय अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे १५,१९६ कर्मचारी कार्यरत अछि । कृषि तथा पशु विज्ञान, वन विज्ञान, इञ्जिनियरिङ, विज्ञान तथा प्रविधि, चिकित्साशास्त्र, समाजविज्ञान, भूगर्भशास्त्र मानवशास्त्र, व्यवस्थापन, शिक्षाशास्त्र, कानून तथा मानविकिमे ई विश्वविद्यालय शिक्षा प्रदान करि रहल अछि । ३८ केन्द्रीय विभाग समेत करि ई विश्वविद्यालयक ६० आङ्गिक क्याम्पस रहल अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

त्रिभुवन विश्वविद्यालय


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Tribhuvan University"मूलसँ 2007-10-06 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-12-10 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "Tribhuvan university"मूलसँ 2018-09-03 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-12-10 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]