सामग्री पर जाएँ

त्रिभुवन विश्वविद्यालय

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
त्रिभुवन विश्वविद्यालय
Tribhuvan University
फाइल:त्रिभुवन विश्वविद्यालयक लोको .png
आदर्श वाक्यसमग्र शिक्षाक विकास
प्रकारपब्लिक सहशिक्षा
स्थापनावि.स. २०१६ साल
कुलपतिनेपालक प्रधानमन्त्री
उप-कुलपतिहीरा बहादुर महर्जन
शैक्षिक कर्मचारी
७,०४९ प्राध्यापकीय सङ्काय
५,६०७ अन्य सङ्काय []
विद्यार्थीसभ६,०४,४३७ []
स्थान,
क्याम्पसकीर्तिपुर
वेबसाइटत्रिभुवन विश्वविद्यालय

त्रिभुवन विश्वविद्यालय वा टियु (अङ्ग्रेजी : Tribhuvhan University वा TU) नेपालक पुरान, पैग विश्वविद्यालय तथा उच्च शिक्षाक लेल नेपालक पहिल राष्ट्रिय शैक्षिक संस्था सेहो छी। ई विश्वविद्यालयक केन्द्रीय कार्यालय कीर्तिपुर काठमाडौँमे अछि।

ई विश्वविद्यालय ३०४२–५–२ रोपनी क्षेत्रफलमे फैलल अछि। त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्गत पाँचटा प्राविधिक शैक्षिक संस्था आ चारिटा साधारण सङ्काय सञ्चालित अछि। ई पचासटा प्राविधिक शीर्षकमे प्रमाण–पत्र तहके शिक्षा द रहल अछि ताहिना १०७९ शीर्षकमे स्नातक तथा १ हजार शीर्षकमे स्नातकोत्तर शीर्षकमे शिक्षा प्रदान करि रहल अछि। एकर साथ ई विद्यावारिधिक लेल समेत विभिन्न शीर्षकमे प्राविधिक तथा सङ्कायस्तरीय शिक्षा द रहल अछि। त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्गत ९३१ टा निजी क्याम्पससभ सम्बन्धन लेनए अछि।

सन् २०१३–१४ धरि एहिमे ६,०४,४३७ विद्यार्थीसभ विभिन्न शैक्षिक तहमे अध्ययनरत अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे ७,९६६ अध्यापन सङ्काय अछि। त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे १५,१९६ कर्मचारी कार्यरत अछि। कृषि तथा पशु विज्ञान, वन विज्ञान, इन्जिनियरिङ, विज्ञान तथा प्रविधि, चिकित्साशास्त्र, समाजविज्ञान, भूगर्भशास्त्र मानवशास्त्र, व्यवस्थापन, शिक्षाशास्त्र, कानून तथा मानविकिमे ई विश्वविद्यालय शिक्षा प्रदान करि रहल अछि। ३८ केन्द्रीय विभाग समेत करि ई विश्वविद्यालयक ६० आङ्गिक क्याम्पस रहल अछि।

त्रिभुवन विश्वविद्यालय


सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Tribhuvan University", मूलसँ २००७-१०-०६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. "Tribhuvan university", मूलसँ २०१८-०९-०३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]