तिलगंगा आँखा केन्द्र

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
तिलगंगा आँखा केन्द्र
Tilganga Institute of Ophthalmology
भूगोल
स्थानगौशाला, बागमती पूल
काठमाडौँ, नेपाल
इतिहास
स्थापना१९९२
लिङकसभ
वेबसाइटआधिकारिक पृष्ठजाल

तिलगंगा आँखा अस्पताल नेपालक प्रमुख आँखा अस्पतालमे सँ एक छी। स्थपनाकालसँ ही सुलभ तथा सरल सुविधा प्रदान कऽ रहल ई अस्पताल स्वयम् कऽ एक उत्कृष्ट अस्पतालक रुपमे स्थापित करैमे सफल भेल अछि।[१]

इतिहास[सम्पादन करी]

नेपाल अन्धोपन नियन्त्रण कार्यक्रम (स्थापना सन् १९९२) अन्तर्गत (Tilganga Institue of Opthalmology|Tilganga Eye Hospital) एक गैरसरकारी संस्थाक रूपमे सन् १९९४ मे काठमान्डौंक तिलगङ्गामे स्थापना भेल अछि। ई अस्पताल नेपालक सर्वोत्कृष्ट अस्पतालमे पडैत अछि।[२]ई अस्पतालक संचालक आ योजनाकार नेत्र विशिषज्ञ डा. सन्दुक रुइत छी।[३]
ई अस्पतालक अन्तराष्ट्रिय पार्टनरक रुपमे आबद्ध संस्थासभ निम्न अछि-


अस्पतालाक विभाग‍[सम्पादन करी]

बिमारीसभक सरल उपचार आ अस्पताल व्यवस्थापनक लेल विभिन्न विभागमे विभाजन करि सुविधा देल जाइत अछि।

अस्पतालक सेवा[सम्पादन करी]

ई अस्पतालक मुख्य सुविधा निम्न रहल अछि –

  • बिमारीसभक उपचारक लेल आवश्यक सम्पूर्ण सुविधाक साथे ई अस्पतालद्वारा नेपालक विभिन्न ठाममे कार्यक्रम करि स्वास्थ सेवा देल जाइत अछि।
  • शिक्षा एवम् तालिमक डिपार्टमेन्ट अन्तर्गत एतय (MD Residency Program|एम.डी इन अपथ्यालमोलोजी) आ स्वास्थ कार्यकर्ताक तालिम सेहो देल जाइत अछि।
  • ई आँईख केन्द्रमे Eye Bank कऽ स्थापना करि कोर्नियल ट्रार्सप्लान्टेसन अप्रेसन कएल जाइत अछि|
  • क्याटराक्ट सर्जरी निम्ति ई अस्पतालमे ईन्ट्रालोकुलर लेन्स उत्पादन सेहो कएल जाइत अछि।


सामान्य सेवा[सम्पादन करी]

विशेषज्ञ सेवा[सम्पादन करी]

पुतली प्रत्यारोपण[सम्पादन करी]

तिलगंगा आँखा अस्पतालद्वारा सन् १९९४ सँ ही आँखा प्रत्यारोपण केनाइ सुरु कएल गेल अछि। तिलगंगा वर्षमे एक सय २० सँ एक सय ५० गोटेक मात्र पुतली प्रत्यारोपण करैमे एखनधरि ६ हजारसँ बेसीक हराएल दृष्टि घुमावमे सफल भेल अछि। प्रत्यारोपणक लेल करिब २५ हजार खर्च होएसँ भी केन्द्र निःशुल्क सेवा दैत अछि।[४]

बहिरंग विभाग(ओपीडी)[सम्पादन करी]

साधारण उपचार वा अस्पतालमे भर्ना नै करैवाला बिमारीक निम्त्ति बहिरंग विभाग रहल अछि। ई सेवा अन्तर्गत आँईख सम्बन्धितसभ किसिमक सेवा देल जाइत अछि। ई अस्पतालमे आकास्मिक सेवा २४ घण्टा देल जाइत अछि। शनिदिन बाहेक बाँकी दिनसभमे भोर ८-३:३० धरि खुला रहैत अछि।


तिलगंगामे लेजर सर्जरी[सम्पादन करी]

चस्मा नै लगाक वा आँखिक पावर बेसी भ चस्मा लगावै पडैक बाध्यतासँ मुक्त होवाक लेल ई लेजर सर्जरी प्रयोग कएल जा सकैत अछि। विदेशमे सिमित रुपमे रहल ई महग सर्जरी नेपालमे पहिल बेर ई सर्जरी तिलगंगा आँखा अस्पताल बहुत कम मुल्यमे करैत अछि। आँखिक पुतलीभित्र 'रेटिना' छेकैवाला पत्र हटाक दृष्टि सन्तुलित रखैक लेल लेजर पद्दतिक प्रयोग कएल जाइत अछि। लेजर सर्जरीक स्माइल प्रविधि सेहो कहल जाइत अछि। भारतमे करिब अढाइ लाख भारू आ अन्य देशमे सेहो २ सँ ८ लाख रुपैयाँ पडैवाला ई लेजर सर्जरी तिलगंगा करिब ४५ हजारमे ई सेवा दैत आएल अछि। एतेक सुलभ मूल्यमे एहन शल्यक्रिया करैवाला नेपाल पहिल देश मानल जाइत अछि। एकर अतिरिक्त विपन्नवर्गक निशुल्क सेवा दैत आएल अछि।
संसारमे लेजर शल्यक्रिया करैवाला जम्मा ६ गोटे विज्ञ अछि, जाहिमे नेपालक डा. किशोर प्रधान रहल अछि। नेपालमे हालधरि माइनस १४ आ प्लस ६ धरि पावर भेल सभाक ई प्रविधि अपनाक शल्यक्रिया कएल जा सकैत अछि आ नेपालमे शल्यक्रिया करैसँ पहिले बेलायतमे डा.ड्यान लगायत विशेषज्ञसभ कम्प्युटरसँ बिमारीक रिपोर्ट देखि सुझाव दै कऽ व्यवस्था अछि।


सामुदायिक आँखा केन्द्र[सम्पादन करी]

शैक्षिक कार्यक्रम[सम्पादन करी]

ई अस्पतालद्वारा संचालन कएल गेल शैक्षिक कार्यक्रम अन्तर्गत एतय मुख्य करि दुई बिषयमे पढावल जाइत अछि।

स्वास्थ विज्ञानमे स्नाकोत्तर
अपथ्यालमोलोजी लके पढावल जाईवाला ई विषयक अवधि ३ बर्षक होमैत अछि। तिलगंगा आँखा अस्पताल आ धुलिखेल अस्पतालक संयुक्त संचालित ई कार्यक्रमक काठमान्डौं विश्वविध्यालय मान्यता देनए अछि। ई शैक्षिक कार्यक्रम अन्तर्गत ई विषयक प्रथम वर्षक पढाई धुलिखेल कलेज , दोसर वर्ष तिलगंगा आँखा अस्पताल आ अन्तिम वर्ष विद्यार्थीसभाक आर आखाँ अस्पतालमे तालिमक लेल पठावल जाइत अछि। ई विषय पूर्ण रुपमे समाप्त भेलाक बाद विद्यार्थीसभ नेपाल हेल्थ काउन्शिलमे अपन नाम ग्रेड द्वितीय स्वास्थकर्ताक रुपमे दर्ता करावैमे मान्य होमैत अछि।

एम.डी इन अपथ्यालमोलोजी
ई कार्यक्रमक अवधि सेहो ३ वर्षक रहैत अछि। ई शैक्षिक कार्यक्रमक मुख्य उद्धेश्य योग्य आखाँ स्वास्थकर्ता उत्पादन करि नेपालक विभिन्न आँखा अस्पताल/केन्द्रमे सेवा प्रदान करेनाइ अछि। ई विषयक मान्यता नाम्स(NAMS)द्वारा मान्यता देल गेल अछि।

‍‍


टीआईओद्वारा प्रस्तावित सेवासभ[सम्पादन करी]

सम्पर्क ठेगान[सम्पादन करी]

ठेगान: गौशाला , काठमान्डौं
ई-मेल: tec@tilganga.com.np
फोन नम्बर: ९७७-१- ४४९३७७५, ४४९३६८४
फ्याक्स नम्बर: ९७७-१-४४७४९३७

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Cureblindness.org। "Tilganga Institue of Opthalmology"मूलसँ 29 June 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 20 July 2013 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. wikimapia। "Tilganga Eye Hospital"। अन्तिम पहुँच 8 July 2013
  3. SahakariNepal। "तिलगंगा विश्वकै मोडल बनेको छ"। अन्तिम पहुँच 10 July 2013[permanent dead link]
  4. नयाँ पत्रिका। "आँखाको नानी अभावमा प्रत्यारोपण समस्या"। अन्तिम पहुँच १० July 2013[permanent dead link]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

‍‍