विदेह (पत्रिका)

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

विदेह मैथिलीक प्रसिद्ध ओ पहिल पाक्षिक ई पत्रिका अछि जे कि गजेन्द्र ठाकुरजीक संचालनमे बर्ख सँ एखन धरि निरंतर रूपें प्रकाशित भऽ रहल अछि। एखन धरि एकर कुल 320 अंक प्रकाशित भऽ चुकल अछि।[१]

विदेहक इतिहास[सम्पादन करी]

'भालसरिक गाछ'- मैथिली जालवृत्तसँ प्रारम्भ इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि, जे कि आब विदेहक नामसँ पाक्षिक रूपमे ई- प्रकाशित होइत अछि। विदेहक रूपमे पहिल अंक 1/1/2008केँ प्रकाशित भेल आ ई हरेक मासक 1 आ 15 तारीखकेँ प्रकाशित होइत अछि। 1/5/2017 धरि विदेहक कुल 225 अंक प्रकाशित भऽ चुकल अछि। इंटरनेटक संसारमे विदेहक अलग ओ बेछप स्थान छै।

विदेहक काज[सम्पादन करी]

1) मैथिलीमे एखन अहाँ जाहि मैथिली विकिपिडिया पर ई लेख पढ़ि रहल छी। तकर श्रेय विदेहेक छै। ओना मैथिली विकीपीडिया केर मंजूरी 2014मे भेटलै मुदा ओहिसँ पहिने एहि लेल जे पेटीशन, जतेक शब्दक अनुवाद आ पृष्ठ जरूरी छलै से विदेहक निर्देशनमे विदेहक उपसंपादक उमेश मंडल द्वारा संपन्न कएल गेल। मैथिली विकीपीडियाक लगभग 70% पृष्ठ Umeshberma (उमेश मंडल) केर नामसँ बनल भेटत। विदेह ई काज 2008सँ लऽ कऽ 2013 धरि केलक तकर बाद ओ मंजूरी लेल आगू बढ़ि सकलै।[२] 26 जनवरी 2008 केँ विदेह (पत्रिका) द्वारा मैथिलीमे विकीपीडिया लेल आवेदन कएल गेलै आ 22 अक्टूबर 2014 केँ ई एप्रूभ्ड भेलै।[३] 2008-14 केर बीच विदेह जतेक आवश्यक अनुवाद ओ तकनीकी काज छलै से संपादन केलकै। विदेहक संबंधमे विकीपीडियाक Gerard M सेहो अपन ब्लागपर May 09, 2011 केँ लिखने छथि।[४]


2) विदेह बहुत रास साहित्यिक चोरक पर्दाफास केलक। विदेहसँ पहिने सभ कियो साहित्यिक चोरक पक्षमे छलाह या जानि बूझि कऽ अनठा दै छलाह मुदा विदेह एहन-एहन चोर आ ओकर पक्षमे रहए बलाक बहिष्कार केलक।[५]

3) विदेह सम्मान उर्फ समानांतर साहित्य अकादेमी सम्मान केर शुरुआत विदेह केलक।[६]

4) विदेह गैर-ब्रामहण, गैर-कायस्थ जातिक प्रतिभाशाली लेखक सभकेँ आगू अनलक।[७]

5) विदेह एकटा "विदेह आर्काइभ" बना कऽ आनलाइन पुस्तकालय केर निर्माण केलक [८]

6) "विदेह मिथिला रत्न" केर निर्माण कए कऽ आनलाइन रूपें मिथिला-मैथिली-मैथिलसँ संबंधित लोकक फोटो वृहत रूपें सार्वजनिक केलक [९]

7) "विदेह मिथिलाक खोज" नामक सिरीज प्रकाशित कऽ विदेह ऐतिहासिक आ पुरातात्विक चित्र सभकेँ एकट्ठा कऽ सार्वजनिक केलक [१०]

8) विदेह द्वारा मैथिलीक पहिल ब्लाग एग्रीगेटर केर निर्माण कएल गेल जकर नाम "विदेह सूचना संपर्क अन्वेषण" अछि। एहिमे मैथिलीक अधिकांश वेबसाइट, ब्लाग आ इंटरनेटक विभिन्न साइटक पता (URL) भेटत [११]

9) विदेहक हरेक अंककेँ मिथिलाक्षर (तिरहुत्ता)मे प्रकाशन सेहो विदेहक प्रसंशनीय काज अछि। बहुत लोक लिपि लेल कानै छथि मुदा कोनो प्रयास नै करै छथि मुदा विदेह चुप-चाप बिना कोनो कनने-खिजने हरेक अंकक प्रकाशन मिथिलाक्षर (तिरहुत्ता)मे केलक। विदेह-सदेह केर अंक सभ सेहो मिथिलाक्षर (तिरहुत्ता)मे प्रकाशित भेल छै।

10) विदेहक हरेक अंककेँ ब्रेल लिपिमे प्रकाशन सेहो विदेहक प्रसंशनीय काज अछि। विदेह-सदेह केर अंक सभ सेहो ब्रेल लिपिमे प्रकाशित भेल छै। श्रुति प्रकाशनक बहुत पोथी सेहो ब्रेल लिपिमे प्रकाशित छै आ एहि पोथी सभकेँ दरभंगा स्थित नेत्रहीन संस्थानक बच्चा सभहँक बीच पढ़बाक लेल सेहो बाँटल गेल छै।

11) विदेह भारत आ नेपालक मानक व्याकरणक मिलान कए कऽ एकटा उभय मानक भाषा बनेलक जाहिसँ कृत्रिम मानक भाषा खत्म भेल आ मैथिली ओहनो लोक धरि पहुँचल जकरा उच्चवर्ग उपेक्षित कऽ देने छलखनि। विदेहक एहि मानक भाषाकेँ "भाषा पाक" द्वारा अभिहित कएल जाइत छैक।

विदेहक प्रकाशन[सम्पादन करी]

विदेहक किछु विशेषांक:-

१) हाइकू विशेषांक १२ म अंक, १५ जून २००८

२) गजल विशेषांक २१ म अंक, १ नवम्बर २००८

३) विहनि कथा विशेषांक ६७ म अंक, १ अक्टूबर २०१०

४) बाल साहित्य विशेषांक ७० म अंक, १५ नवम्बर २०१०

५) नाटक विशेषांक ७२ म अंक १५ दिसम्बर२०१०

६) नारी विशेषांक ७७म अंक ०१ मार्च २०११

७) बाल गजल विशेषांक विदेहक अंक १११ म अंक, १ अगस्त २०१२

८) भक्ति गजल विशेषांक १२६ म अंक, १५ मार्च २०१३

९) गजल आलोचना-समालोचना-समीक्षा विशेषांक १४२ म, अंक १५ नवम्बर २०१३

१०) काशीकांत मिश्र मधुप विशेषांक १६९ म अंक १ जनवरी २०१५

११) अरविन्द ठाकुर विशेषांक १८९ म अंक १ नवम्बर २०१५

१२) जगदीश चन्द्र ठाकुर अनिल विशेषांक १९१ म अंक १ दिसम्बर २०१५

१३) दू अंकमे विदेह सम्मान विशेषा‍क- २००म अ‍क १५ अप्रैल २०१६/ २०५ म अ‍क १ जुलाई २०१६

१४) मैथिली सी.डी./ अल्बम गीत संगीत विशेषांक- २१७ म अंक ०१ जनवरी २०१७


विदेह लेखकसँ आमंत्रित रचनापर आम‍ंत्रित आलोचकक टिप्पणीक शृंखला प्रकाशित कऽ रहल अछि जकर विवरण एना अछि--

१.कामिनीक पांच टा कविता आ ओइपर मधुकान्त झाक टिप्पणी


विदेहक विभिन्न अंकक श्रेष्ठ रचना सभकेँ चूनि कऽ एखन धरि दस खंडमे प्रिंट रूप सेहो प्रकाशित कएल गेल अछि जकर विवरण एना अछि--

विदेह:सदेह:१ (विदेह ई-पत्रिकाक बीछल रचनाक संग- मैथिलीक सर्वश्रेष्ठ रचनाक एकटा समानान्तर संकलन)

विदेह:सदेह:२ (मैथिली प्रबन्ध-निबन्ध-समालोचना २००९-१०)

विदेह:सदेह:३ (मैथिली पद्य २००९-१०)

विदेह:सदेह:४ (मैथिली कथा २००९-१०)

विदेह मैथिली विहनि कथा [ विदेह सदेह ५ ]

विदेह मैथिली लघुकथा [ विदेह सदेह ६ ]

विदेह मैथिली पद्य [ विदेह सदेह ७ ]

विदेह मैथिली नाट्य उत्सव [ विदेह सदेह ८ ]

विदेह मैथिली शिशु उत्सव [ विदेह सदेह ९ ]

विदेह मैथिली प्रबन्ध-निबन्ध-समालोचना [ विदेह सदेह १० ]

संदर्भ ओ स्रोत[सम्पादन करी]

  1. विदेह
  2. http://esamaad.blogspot.in/2012/01/blog-post_08.html
  3. https://meta.wikimedia.org/wiki/Requests_for_new_languages/Wikipedia_Maithili
  4. https://ultimategerardm.blogspot.com/2011/05/bihari-wikipedia-is-actually-written-in.html
  5. http://www.videha.co.in/videhablog.html
  6. "Archive copy"मूलसँ 2017-12-03 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-05-01 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  7. "Archive copy"मूलसँ 2017-12-03 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-05-01 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  8. http://videha.co.in/new_page_15.htm
  9. http://videha.co.in/photo.htm
  10. http://videha.co.in/favorite.htm
  11. http://videha.co.in/feedback.htm