नक्की ताल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नक्की ताल
Nakki Lake
स्थानमाउन्ट आबु, राजस्थान
निर्देशाङ्क२४°३५′४६″N ७२°४२′११″E / २४.५९६१४०°N ७२.७०३०६६°E / 24.596140; 72.703066निर्देशाङ्क: २४°३५′४६″N ७२°४२′११″E / २४.५९६१४०°N ७२.७०३०६६°E / 24.596140; 72.703066
सिंचित राष्ट्रसभभारत
अधिकतम गहिराई८० फिट (२४ मी)
नक्की ताल सूर्यास्तक बाद

नक्की ताल भारतक पहाड़ी नगरी माउन्ट आबुक अरावली श्रेणीमे अवस्थित एक ताल छी । मीठ पानिक ई ताल राजस्थानक सभसँ उंच ताल छी जे ठण्डीमे प्राय जमि जाइत अछि । तालक चारो दिस अवस्थित पहाड़क दृश्य अत्यन्त मनमोहक दृश्य अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

हिन्दू ग्रन्थक अनुसार ई एक प्राचीन पवित्र ताल छी । ई तालक नाम नक्की भेलाक कारण ई नहसँ खुनल गेल मान्यता अछि । बशकाली राक्षससँ बचवाक लेल भगवानद्वारा ई ताल खुनल गेल एकटा किम्बदन्ती अछि । दिलवाड़ा जैन मन्दिरक आगा रसिया बलम आ कुँवारी कन्या मन्दिर (राजाक पुत्री) अवस्थित अछि ।[१]

पर्यटन[सम्पादन करी]

ई तालमे नौकायनक आनन्द लेल जा सकैत अछि । नक्की तालक दक्षिण-पश्चिममे अवस्थित सूर्यास्त बिन्दूसँ अस्त होइत सूर्यक सौन्दर्य देखल जा सकैत अछि । एतय सँ दूर धरि फैलल हरल भरल मैदानसभक दृश्य अति मनमोहक अछि । सूर्यास्तक समय आकाशक बदलैत रङ्ग देखवाक लेल हजारो पर्यटक एतय आबैत अछि । प्राकृतिक सौन्दर्यक नैसर्गिक आनन्द देनिहार ई ताल चारो दिस पर्वत शृङ्खलासभ सँ घेरल अछि । एतय अवस्थित पहाड़ी टापु बहुतेक आकर्षक अछि । एतय कार्तिक पूर्णिमाक दिन लोकसभ स्नान करि धर्म लाभ उठबैत अछि । तालक एक टापुकें ७० अश्वशक्तिसँ चलित विभिन्न रङ्गमे जल फव्वारा लगाए आकर्षक बनायल गेल अछि जकर धारासभ ८० फिट उपर धरि जाइत अछि । तालमे नौका विहार आ ताल नजदिके घोड़सवारीक आनन्दक सेहो व्यवस्था अछि । तालक किनामे एक सुन्दर बगैचा अछि, जतय सन्ध्या समयमे घुमैक लेल आ नौकायनक लेल पर्यटकसभक भारी सङ्ख्यामे उपस्थिति रहैत अछि । तालक नजदिक रहल दोकानसभसँ राजस्थानी शिल्पक सामान खरीदल जा सकैत अछि । एतय सङ्गमरमर पत्थर सँ बनल मूर्तिसभ आ सूती कोटा साड़ीसभ बहुतेक लोकप्रिय अछि । एतय रहल दोकानसभसँ चाँदीक आभूषणसभ सेहो खरीददारी कएल जा सकैत अछि ।[२][३] [४]

भूगोल[सम्पादन करी]

ई तालक लम्बाई ८०० मिटर आ चौडाई ४०० मिटर अछि आ पश्चिममे रहल बाँधलग ई तालक गहिराई २० सँ ३० फिट अछि । ई माउन्ट आबुक एक महत्वपूर्ण पर्यटन केन्द्र छी । तालक नजदिक एक पहाड़पर तोड़ चट्टान अछि । ई तालसँ नजदिके रहल पहाड़पर रघुनाथ मन्दिर आ महराजा जयपुर महल अवस्थित अछि ।


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Nakki Lake सङ्ग्रहित २०१६-१२-३१ वेब्याक मेसिन. Retrieved 2 January 2013.
  2. "आबू की प्राकृतिक सुषमा" (एचटीएम)। अभिव्यक्ति। अन्तिम पहुँच १५ दिसंबर २००९ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  3. "राजस्थान का स्‍वर्ग-माउंट आबू"। 45प्लस इंडिया। मूल (एएसपीएक्स)सँ 2009-01-30 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 24 मार्च 2008 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  4. Nakki Lake सङ्ग्रहित २०१६-१२-३१ वेब्याक मेसिन. Retrieved 2 January 2013.

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]