माउन्ट आबु

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
माउन्ट आबु
Mount Abu

आबु पर्वत
पहाड़ी नगर
Mount Abu.jpg
माउन्ट आबु Mount Abu राजस्थानपर अवस्थित
माउन्ट आबु Mount Abu
माउन्ट आबु
Mount Abu
माउन्ट आबु Mount Abu भारतपर अवस्थित
माउन्ट आबु Mount Abu
माउन्ट आबु
Mount Abu
निर्देशाङ्क: २४°३५′३३″N ७२°४२′३०″E / २४.५९२५°N ७२.७०८३°E / 24.5925; 72.7083निर्देशाङ्क: २४°३५′३३″N ७२°४२′३०″E / २४.५९२५°N ७२.७०८३°E / 24.5925; 72.7083
देशभारत
राज्यराजस्थान
जिलासिरोही
सरकार
 • प्रकारपर्यटन
उँचाई१२२० मिटर (४००० फिट)
जनसङ्ख्या (२०११)[१]
 • सम्पूर्ण२२,९४३
 • घनत्व५०/किमी (१००/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रभारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०)
डाक कोड३०७५०१
टेलिफोन कोड+०२९७४
आइएसओ ३१६६ कोडRJ-IN
गाडी दर्ताRJ ३८
नजदिकी शहरसिरोही , आबु रोड , अहमदाबाद
वेबसाइटwww.mountabu.net.in


माउन्ट आबु (About this sound pronunciation ) समुद्र तलसँ १२२० मीटरक उचाई पर अवस्थित आबु पर्वत (माउन्ट आबु) राजस्थानक एकमात्र पहाड़ी नगर छी । ई अरावली पर्वतक सर्वोच्च शिखर, जैन धर्मावलम्बीसभक प्रमुख तीर्थस्थान तथा राज्यक ग्रीष्मकालीन शैलावास छी । अरावली श्रेणिसभक अत्यन्त दक्षिण-पश्चिम छोर पर ग्रेनाइट शिलासभक एकल पिण्डक रूपमे अवस्थित आबु पर्वत पश्चिमी बनास नदीक लगभग १० किमी सकेत घाटीद्वारा अन्य श्रेणीसभसँ पृथक भऽ जाइत अछि । पर्वतक उपर तथा पार्श्वमे अवस्थित ऐतिहासिक स्मारकसभ, धार्मिक तीर्थमन्दिरसभ आ कलाभवनसभमे शिल्प-चित्र-स्थापत्य कलासभक स्थायी निधिसभ अछि । एतय अवस्थित गुफामे एक पदचिहृ अङ्कित अछि जकरा लोक भृगुक पदचिन्ह मानैत अछि । पर्वतक मध्यमे सङ्गमरमरक दुई विशाल जैनमन्दिर अछि ।

राजस्थानक सिरोही जिलामे अवस्थित अरावली पहाड़ीसभक सबसँ सर्वोच्च चोटी पर बसल माउन्ट आबुक भौगोलिक अवस्थिति आ वातावरण राजस्थानक अन्य शहरसभ सँ भिन्न आ मनोरम अछि । ई स्थान राज्यक अन्य हिस्सासभ जका गरम नै अछि । माउन्ट आबु हिन्दूजैन धर्मक प्रमुख तीर्थस्थल छी । एतय ऐतिहासिक मन्दिर आ प्राकृतिक सौन्दर्य पर्यटकसभकें अपन दिस लालयित करैत अछि । माउन्ट आबु पहिने चौहान साम्राज्यक हिस्सा छल जे बादमे सिरोहीक महाराजाद्वारा माउन्ट आबुकें राजपूताना मुख्यालयक लेल अङ्ग्रेजसभकें दऽ देलक । ब्रिटिश शासनक समय माउन्ट आबु मैदानी इलाकासभक गर्मीसँ बचऽ कऽ लेल अङ्ग्रेजक पसन्दीदा स्थान छल ।

इतिहास[सम्पादन करी]

माउन्ट आबु प्राचीन कालसँ साधु सन्तसभक निवास स्थान रहल अछि । पौराणिक कथासभक अनुसार हिन्दू धर्मक तैंतीस करोड़ देवी देवता ई पवित्र पर्वत पर भ्रमण करैत अछि । कहल जाइत अछि कि महान सन्त वशिष्ठद्वारा पृथ्वीसँ असुरसभक विनाशक लेल एतयह यज्ञक आयोजन केनए छल । जैन धर्मक चौबीसम र्तीथङ्कर भगवान महावीर सेहो एतय आयल छल । ओकर बाद सँ माउन्ट आबु जैन अनुयायीसभक लेल एक पवित्र आ पूजनीय तीर्थस्थल बनल अछि ।[२] एक कहावतके अनुसार आबु नाम हिमालयक पुत्र आरबुआदाक नाम पर पड़ल छल । आरबुआदा एक शक्तिशाली सर्प च्च्हल, के एक गहीर खदामे भगवान शिवक पवित्र वाहन नन्दी बैलक जान बचेने छल ।[३]

दर्शनीय स्थल[सम्पादन करी]

प्राकृतिक सुषमा आ विभोर करैवला वनस्थलीक पर्वतीय स्थल आबु पर्वत ग्रीष्मकालीन पर्वतीय आवास स्थल आ पश्चिमी भारतक मुख्य पर्यटन केन्द्र रहल अछि । ई स्वास्थ्यवर्धक जलवायुक संगे एक परिपूर्ण पौराणिक परिवेश सेहो छी । एतय वास्तुकलाक हस्ताक्षरित कलात्मकता सेहो दृष्टव्य अछि ।

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Census of India Search details", censusindia.gov.in, अन्तिम पहुँच १० मई २०१५ 
  2. "राजस्थान का स्‍वर्ग-माउन्ट आबु" (एएसपीएक्स), 45प्लस इंडिया, अन्तिम पहुँच २४ मार्च २००८ 
  3. "माउन्ट आबु शहर मार्गदर्शिका" (एचटीएमएल), ट्रेनएन्क्वायरी.कॉम, अन्तिम पहुँच २४ मार्च २००८ 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]