आकृति:मुख्य चित्र/२०१८-०१-१५

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
{{{texttitle}}}

तिला सङ्कराति नेपालक एक प्रमुख पावनि छी। ई माघ महिनाक पहिल दिन मनाएल जाइत अछि । ई दिन नेपालमे सार्वजनिक विदा होइत अछि । नेपालमे माघ महिनाक पहिल दिन मकर सङ्क्रान्ति पहाडक जिलासभमे माघे सङ्क्रान्ति, मधेस आ थारु समुदायमे माघी आ मैथिली सहितक भारत बर्षक हिन्दू तिला सङ्कराति नामसँ मनबैत अछि । एहि प्रातेसँ नदी पोखरि सहितक जलाशयमे लोकसभक भिड नजरि होइत अछि । श्रद्धालु ठण्डीके परवाह कएने बिना स्नान कए भगवानक पूजा करैत अछि आ स्नान पूजा पछाडी तिल, मुरही, चुराक लड्डु (तिलवा, लाई आ चुरला बनाऽ कऽ ग्रहण करैत अछि । एहि दिन दिनक भोजनमे लोक खिचडी आ तरुवा, पापड आदि लैत छथि । खम्हाउर खेबाक बिशेष प्रथमिकता सेहो रहैत अछि ।...



फोटोग्राफर/श्रोतः Saloni Desai , तिथि: ५ जनवरी २००८
सम्बन्धित पन्ना तिला सङ्कराति