तिला सङ्कराति
तिला सङ्कराति Tila Sankranti | |
---|---|
![]() तिला सङ्कराति पावनिक रमझम | |
अन्य नाम | मकर सङ्क्रान्ति, माघी |
समुदाय | हिन्दू |
प्रकार | धार्मिक, सांस्कृतिक |
महत्व | फसल उपजक पावनि, लम्बा दिनक स्वागत, सूर्य पुजा |
अनुष्ठान | गुड्डी उड़ान, मेला, नदीमे सूर्य पुजा, कला, नृत्य, सामाजीकरण |
तिथि | लगभग १४ जनवरी |
२०२१ मे | |
समबन्ध | माघी (शिख), माघे सङ्क्रान्ति, मकर सङ्क्रान्ति, पोङ्गल |
तिला सङ्कराति नेपालक एक प्रमुख पावनि छी। ई माघ महिनाक पहिल दिन मनाएल जाइत अछि । ई दिन नेपालमे सार्वजनिक विदा होइत अछि । नेपालमे माघ महिनाक पहिल दिन मकर सङ्क्रान्ति पहाडक जिलासभमे माघे सङ्क्रान्ति, मधेस आ थारु समुदायमे माघी आ मैथिली सहितक भारत बर्षक हिन्दू तिला सङ्कराति नामसँ मनबैत अछि । एहि प्रातेसँ नदी पोखरि सहितक जलाशयमे लोकसभक भिड नजरि होइत अछि । श्रद्धालु ठण्डीके परवाह कएने बिना स्नान कए भगवानक पूजा करैत अछि आ स्नान पूजा पछाडी तिल, मुरही, चुराक लड्डु (तिलवा, लाई आ चुरला बनाऽ कऽ ग्रहण करैत अछि । एहि दिन दिनक भोजनमे लोक खिचडी आ तरुवा, पापड आदि लैत छथि । खम्हाउर खेबाक बिशेष प्रथमिकता सेहो रहैत अछि ।
इतिहास[सम्पादन करी]
ज्योतिष शास्त्र अनुसार सौर मासक हिसाबसँ माकर संकराइतसँ सुर्य धनु राशीसँ मकर राशीमे प्रवेश करैत दक्षिणायनसँ उतरायण होइत अछि तए एकरा मकर संकराइत कहल जाइछ । सुर्यक उदयबिन्दु दक्षिन दशासँ उतर दिशादिस जायब प्रारम्भ होइछ आ उतरायणक प्रारम्भेसँ एहि अवधिमे तुलनात्मक रुपमे दिन लम्बा होयब आ तापक्रममे शनै:शनै वृद्धि होयब सुरुह होइछ । तए खगोलीय रुपमे एकर अलगे महत्व अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ Makar Sankranti, National Portal, Government of India